मैथिली टीवी सिरियल ‘मेड इन मिथिला’ – पर्यटन प्रवर्धन

विमलजी मिश्र, नई दिल्ली। दिसम्बर १, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिलाक पौराणिक-ऐतिहासिक कथा-गाथा-तीर्थ केर प्रवर्धनः मिथिला क्षेत्र मे पर्यटन प्रवर्धन मे होयत सहायक

made in mithilaदेश मे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन केर सरकार व मैथिली-मिथिला अधिकार केर विभिन्न आन्दोलनक प्रभाव सँ भारतीय दूरदर्शन तथा अल ईण्डिया रेडियो व अन्य राष्ट्रीय प्रसारण मे मैथिली भाषा संग पूर्व मे कैल गेल विभेद दूर करबाक डेग मे मैथिली धारावाहिक, गीत-संगीत, परिचर्चा आदि केँ प्राथमिकताक संग प्रसारण कैल जा रहल अछि।

एखन विभिन्न चैनल पर मैथिली धारावाहिक सभक उपस्थिति मिथिलाक लेल एकगोट सुखद संकेत अछि । भारत सरकारक चैनल डीडी बिहार एखन एहि लेल नीक पहल कय रहल अछि।

एहि क्रम मे आनन्द फिल्म्स प्रोडक्शन लेल नरेश मण्डल शीघ्र ल क आबि रहल छथि मैथिली भाषा मे एकटा टॅाक शो । “मेड इन मिथिला” नामक एहि धारावाहिक मे मिथिलाक इतिहास, पर्यटन आ पौराणिकता पर प्रकाश देल जायत ।

कार्यक्रम संचालक रुप मे मैथिलीक प्रसिद्ध उद्घोषक आ फिल्म विशेषज्ञ किसलय कृष्ण आर संग मे सह-संचालिका अभिनेत्री जाह्नबी झा छथि । जनवरी २०१६ सँ प्रसारित होयबला एहि महत्वपूर्ण शो सँ मिथिलाक पर्यटन केँ अवश्य बढ़ावा भेटत ।

सम्प्रति नई दिल्लीक नीलम फिल्म्सक स्टुडियो मे उक्त शो केर फिल्मांकन काज द्रुत गतिए चलि रहल अछि । किसलय कृष्ण केर बान्हल स्क्रिप्ट आ नरेश मण्डलक सूक्ष्म दृष्टि सहजहि मैथिली लेल सकारात्मक पहल ल क आओत से शुटिंग क्रममे देखल जा सकैत अछि । सम्पूर्ण रुपसँ आधुनिक तकनीकक प्रयोग संग मेड इन मिथिला एक नव अनुभूति देत से सहजहि स्पष्ट अछि ।