मधुबनी,खजौली,कन्हौली मुखिया द्वारा हाट प्रांगण में खरंजाकरण …

“रवीन्द्र भारती” खजौली मधुबनी दिनांक 01/09/2017, दिन – शुक्रवार


मुखिया श्री रामाशीष सिंह,प्रथम ईंट रखैत
मुखिया श्री रामाशीष सिंह,प्रथम ईंट रखैत

मुखिया रामाशीष सिंह एंव वार्ड सदस्या शकुंतला देवी के अध्यक्षता में हाट प्रांगण में खरंजाकरण अस्सी वर्षिय वृद्ध बहादुर महतो,नागेश्वर महतो,डा० अर्जुन सिंह,दिनेश राय,गंगाराम सहित दर्जनों व्यक्ति सब द्वारा एक- एक ईंट राखि कs खरंजाकरणक कार्य प्रारंभ करौलैन।

अस्सी वर्षिय बहादुर महतो, ईंट रखैत
अस्सी वर्षिय बहादुर महतो, ईंट रखैत

 उक्त समय पs उपस्थित व्यक्तिसब में राजेन्द्र झा ग्रामीण सब के ओर सँ मुखियाक ई कार्य के लेल प्रशंसा आ  धन्यवाद देलैन। राजेन्द्र झा ने जनौलैन जे ई हाट सँ चारिटा गाम कन्हौली,चतरा,सुक्की,मैनापट्टी के लोक सब खरीद ब्रिकी कs लाभांवित होयत अछि। हाट पs गड्ढा में पानी लगला सँ किनय- बेचs में काफी परेशानी होयत छल। कारण वर्षांत के मौसम में जलजमाव भेल करैत छल। जाहि में बैठि कs शौदा बेचनाय बहुत कष्ट होयत छल। बितल मास में अहि हाट प्रांगण मिट्टी करण मुखिया रामाशीष द्वारा कराओल गेल छल। ई कार्यसब सँ ग्रामिण सब में हर्षोल्लास के माहौल अछि।