मैथिली कवि एवं रेडियोकर्मी मणिकान्त झा केर अपील: प्राकृतिक त्रासदी भूकम्प पर संकलित साहित्यिक रचनाक प्रकाशन

अल ईण्डिया रेडियो – दरभंगा स्टेशन सँ मैथिली समाचारवाचक तथा मैथिली कवि – स्रष्टा सह भाषा अभियानी मणिकान्त झा अपन फेसबुक स्टेटस केर मार्फत सँ मैथिलीभाषी साहित्यकर्मी स्रष्टा सब सँ अपन पूर्वक अनुभव भीषण बाढि पर संकलित रचनाक प्रकाशन अति लोकप्रिय होयबाक बात कहैत वर्तमान नेपाल भूकंप जेकर प्रभाव सगरो मिथिलाक्षेत्र पर पड़ल अछि ताहि पर रचना संकलन करैत प्रकाशनक बात कहलनि अछि। हुनकर अपील हुनकहि शब्द मे:

 

बंधुगण ,

वर्ष २००४ मे मिथिला मे आयल भीषण बाढ़िक पछाति हम अपना संयोजन मे एकटा कविता संग्रह प्रकाशित कयने रही | एहि मे मैथिलीक अनेक कवि विभीषिकाक दृश्य केँ अपन लेखनी सँ उजागर कयने छलाह | पोथीक लोकप्रियता एक मासक भीतरे दोसर संस्करण प्रकाशित करबा लेल मजबूर कय देने छल | पोथीक नाम छल  ‘बाढ़ि दू हजार चारि ‘|

अखन एक बेर फेर मिथिला दलमलित भेल | सोदर देश नेपाल सहित अपनो लोकनि भूकंपक चपेट मे आबि गेलहुँ | हमर मोन एक बेर फेर सँ साहित्यकार लोकनिक कलम केँ आमंत्रित करबा लेल उसका रहल अछि | तैं अपने लोकनि सँ आग्रह जे एहि त्रासदी केँ देखैत अपन अपन एक कविता पठेबाक कृपा करी जाहि सँ ओ पुस्तकाकार भऽ सकय | कृपया अपन रचना कंपोज कय मेल सँ अथवा पोस्ट सँ पठाबी | रचनाक प्रकाशनक अंतिम निर्णय संपादकक ऊपर होयत |


हमर पता _ मणिकांत झा, शुभंकरपुर, दरभंगा, पिनकोड-८४६००६ email – [email protected]