जानकी नवमीमें सहभागी होअब आएल साधुसंतके भेल भव्य स्वागत

326

धैर्यकान्त दत्त,जनकपुरधाम.३० अप्रिल २०१७.मैथिली जिन्दावाद!!

माता जानकीक जन्मोत्सवके अवसर मनाओल जाएबला जानकी नवमीमे सहभागी होबए आएल भारतक साधु सन्तके भव्य स्वागत कएलगेल अछि । याह वैशाख २१ गते होबए जा रहल जानकी नवमीक अवसर पर सहभागी होबए आएल भारतक साधुसन्तके जनकपुरवासी महोत्तरीक भिठ्ठामोड पहुँच कऽ भव्य स्वागत कएलन्हि अछि ।

भारतक वृन्दावन, अयोध्या, दिल्ली सहितक स्थानसँ आएल साधुसन्तके जनकपुरवासी रविदिन भिठ्ठामोड पहुँच कऽ स्वागत कएलन्हि अछि ।जानकी नवमीमे सहभागी होबएलेल भारतक वृन्दावन स्थित मल्लु पिठाधीश जगत गुरु राजेन्द्र दासजी महराज सहित पाँचसयसँ अधिकके संख्यामे साधुसन्त जनकपुर आएल जानकी मन्दिरक छोटे महन्थ रामरोशन दास जानकारी देलन्हि । भारतक साधु सन्तके स्वागत करबालेल धनुषाक विभिन्न राजनीतिक दलक प्रतिनिधि, मठिहानी महन्थ जग्गन्नाथ दास, विभिन्न युवा क्लबक प्रतिनिधि महोत्तरीक भिठ्ठामोड पहुँचल छलथि राम युवा कमिटीक अध्यक्ष शंभु शाह प्रेमी जानकारी देलन्हि । तहिना हुनकासभके जानकी मन्दिरमे महन्थ रामतपेश्वर दास तथा छोटे महन्थ राम रोशन दास स्वागत कएने छलथि । छोटे महन्थ दासक अनुसार वृन्दावनसँ आएल राजेन्द्र दासजीक प्रवचन सोमदिनसँ जानकी नवमी धरि जानकी मन्दिर प्रांङणमे सञ्चालन होबए जा रहल अछि ।

 

जानकी नवमीक अवसर सार्वजनिक छुट्टी देबाक माँग बेरबेर उठि रहलाक बादो सरकार एखन धरि माँग उपर सुनवाई नहि कएने अछि । जनकपुरक विभिन्न संघसंस्था राष्ट्रिय विभूति सीताक जन्मोत्सवके अवसर पर जानकी नवमीके दिन छुट्टी देबाक माँग करैत आबि रहल अछि । उपत्यका सहितक क्षेत्रमे मनाओल जाएबला विभिन्न पर्वसभमे सरकार स्थानीय तथा सार्वजनिक छुट्टीके व्यवस्था कएलाक बादो जानकी नवमी सन धार्मिक आस्थाके पर्वमे छुट्टीमे व्यवस्था नहि कऽ भेदभाव करैत आबि रहल संघसंस्थाक प्रतिनिधिसभक आरोप अछि । एहि वर्ष जानकी मन्दिर जानकी नवमीके भव्यताके साथ मनएबाक तैयारी कएलगेल अछि ।