शिक्षा, साहित्य व संस्कृति पर सहरसा मे सेमिनार सम्पन्नः एम्बीशन कैरियर जंक्सन

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। २८ मार्च, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सहरसा मे २७ मार्च केँ शिक्षा, साहित्य व संस्कृति विषय पर एम्बीशन कैरियर नामक कोचिंग संस्थान द्वारा एक महत्वपूर्ण सेमिनार केर आयोजन कएल गेल छल । मिथिलाक कोसी क्षेत्रक प्रतिभा केँ निखारक लेल सेमिनार व प्रतिभा खोज में प्रथम आयल छात्र छात्रा केँ पुरस्कार सेहो देल गेल । कार्यक्रम केर मुख्य अतिथि सर्वनारायण सिंह रामकुमार सिंह कॉलेजक प्राचार्य डॉ के एस ओझा व विशिष्ट अतिथि विक्रमादित्य खॉ द्वारा दीप प्रज्ज्वलित करैत कार्यक्रमक उद्घाटन कएल गेल छल ।

एहि कार्यक्रम में मैथिली गायक पवन नारायण तथा माधव राय संग मैथिली फिल्म निर्माता मुन्ना चमन, मंच उदघोषक व निर्देशक किसलय कृष्ण, कोचिंग संचालन मो रहमान, मैथिली अभियानी सुभाषचन्द्र झा, कवि व साहित्यकार शैलेन्द्र शैली तथा आनंद झा केँ पाग-दोसल्लाक संग सम्मानित कयल गेल ।

प्राचार्य डॉ ओझा कहलनि जे एम्बीशन कैरियर जंक्शन केर द्वारा प्रतिभा खोज सम्मान दय बेहतर शिक्षाक माहौल निर्माण कयल गेल अछि । आब एहि क्षेत्रक अभिभावक सबकेँ अपन बेटा-बेटी केँ इन्जिनियरिंग या मेडिकल आदिक पढ़ाई करबाक वास्ते प्रतियोगी परीक्षाक तैयार लेल कोटा (राजस्थान) या भारतक कोनो आन प्रदेश मे पूँजी नहि लगबय पड़त । एंबीशन कैरियर जंक्शन केर माध्यम सँ प्रतिभावान छात्र छात्रा केँ निःशुल्क पढ़ाई सेहो करेबाक जनतब एकर संचालक संदीप कश्यप कहलनि ।

कार्यक्रम केर अध्यक्षता करैत श्री विक्रमादित्य खाँ कहलनि जे कोसी क्षेत्र में प्रतिभाक कमी नहि अछि मुदा प्रतिभा पलायनक संग एहि ठामक लोकक पूँजी पलायन बड पैघ आ मुख्य समस्या अछि । तेकरा बहुत हद तक दूर करबाक लेल एम्बीशन कैरियर जंक्शनक प्रयास सराहनीय अछि ।

संस्थान केर निदेशक संदीप कश्यप कहलनि जे शिक्षा, साहित्य, संस्कृति आर संस्कार निर्माण में मातृभाषाक योगदान अमूल्य अछि । संस्कार युक्त शिक्षा आवश्यक अछि तखने अपन संस्कृति अक्षुण्ण रहत । कार्यक्रम में लगभग एक सौ पच्चीस छात्र छात्रा केँ प्रतिभा सम्मान देल गेल । संगहि सांस्कृतिक कार्यक्रम में पवन नारायण व माधव राय केर लोकगीत, पारम्परिक गीत पर श्रोता खूब झुमलाह आर मैथिलीक मिठासक चर्चा उपस्थित श्रोता जनमानस केर मोन केँ छूबि गेल ।