मैथिल अभियानी महिषी सँ काठमांडुक यात्रा पर
मैथिली, मिथिला आ राष्ट्रवादकेर प्रखर समर्थक अभियानी तथा स्वतंत्र पत्रकार अमित आनन्द अपन कर्मक्षेत्र महिषी (सहरसा) सँ काठमांडुक यात्रा पर आइ निकैल चुकला अछि। अपन फेसबुक स्टेटस मे ओ कहलैन जे ‘चललहुँ काठमांडुक यात्रा पर भाया राजविराज।’ जानकारी करुणा झा द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केँ भेटल छल जे सहरसा सँ किछु अभियानी लोकनि काठमांडुक यात्रा पर जाय लेल चाहैत छथि, ओ सब आइ राजविराज आबि रहला अछि। ओ सब मोटरसाइकिल सँ काठमांडुक यात्रा पर जेबाक जानकारी करौने छथि। हलाँकि वर्तमान हालात मे असुरक्षित यात्रा अवांछित अछि, तथापि नेपालक भूकंपक दुखद समाचार आ राहत आदि मे भऽ रहल अनियमितताक संग लाखों मैथिलीभाषी व नेपाली आम नागरिकक संग भारतीय पर्यटन तथा कामगार लोकक फँसल रहबाक बात सँ अमित आनन्द समान समर्पित स्वयंसेवी अपन सेवादान लेल काठमांडु जेबाक जानकारी पहिनहि करौने छलाह। एकटा भावनात्मक संबंध सब केँ नेपाल संग छैक, खास कय जतय अपन भाषाभाषी आ देशवासी सेहो रहि रहल हो, अपन पड़ोसी मित्रराष्ट्र पर आयल आफद मे भले कियो कोना बिना सेवादान केने रहि सकैत अछि, किछु एहने भावनाक संग ‘मिथिलाक अनुपम डेग’ केर संस्थापक निराजन झा केर मार्गदर्शन मे सहरसाक अभियानी लोकनि काठमांडुक यात्रा पर निकैल गेला अछि। मैथिली जिन्दाबाद हिनका लोकनिक यात्राक सफलता लेल शुभकामनाक संग राहत कार्य मे सहयोग पहुँचबाक कामना करैत अछि।