देशेभरिके निर्वाचन कार्यालय घेराउ भेलाकबाद सरकारके चुनौती थपाएल !!

देशेभरिके निर्वाचन कार्यालय घेराउ भेलाकबाद सरकारके चुनौती थपाएल !!

अशोक कुमार सहनी, दोहा कतार, मैथिलीजिन्दवाद/ चैत्र–१६ गते,सरकार आबैवाल बैशाख ३१ गतेके घोषणा कएने स्थानीय निकायके निर्वाचनके मिति नजदिक अबति गेलासँ संविधान संशोधनके माग करति आन्दोलनरत शक्तिसभ संशोधन नै भऽक चुनाव होबही नै देवके गतिविधिके आओर सक्रिय बनौनेअछि । 

निर्वाचन कार्यालयसभ घेराऊ कएने, बोर्ड हटौने, कर्मचारीसभके कार्यालयमे प्रवेश कऽर नै देने, प्रचार सामग्री जरौने जेहन चुनाव विरोधी अभियान तीव्र बन्लाकबाद सरकार थप संकटमे परलअछि । 

सहमति बिना चुनाव होब नैदेब अभियानके सफल बनाब संघीय गठबन्धन आ मधेशी मोर्चाके आह्वानमे मंगलदिन देशेभरिके निर्वाचन कार्यालयसभ घेराऊ कएनेछल । परिमार्जन सहित संविधान संशोधन नै भेल तँ चुनाव होबही नै देवाक निर्णय कएने गठबन्धन आ मोर्चाक नेता कार्यकर्तासभ मंगलदिन निर्वाचन कार्यालय घेराऊ करति शान्तिपूर्ण विरोध प्रदर्शन कएनेअछि । 

धनुषा, महोत्तरी,सिरहा, सप्तरी, रौतहट, लगायतक जिल्लासभमे जिल्ला समन्वय समिति आ निर्वाचन कार्यालयके बोर्ड हटौनेअछि । काठमाडौं उपत्यका आ देशके अन्य जिल्लासभसँगे मधेशके सब जिल्लामे निर्वाचन कार्यालयसभ भिन्सर १० बजेसँ घेराउ कएनेछल तँ कतेको स्थानमे धर्ना दऽक मोर्चाक कार्यकर्तासभ बैसलछल । किछ स्थानमे निर्वाचन कार्यालयके कर्मचारीसभके बाहर निकाल्नेछल । 

 

संविधान संशोधन बाद मात्र निर्वाचनके माग करति आएल २८ दलीय गठबन्धन आ मोर्चासभ आगामी बैशाख ३१ गतेके घोषित निर्वाचनके सम्पूर्ण कार्यक्रम स्थगित कऽरके माग करति आएलअछि ।

 

💚💚💚💚💚💚💚🌷💚💚💚💚💚

पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी

💙💙💙💙💙💙💙🚩💙💙💙💙💙