भव्यतापुर्वक समपन्न भेल डा.विमल केर जन्मदिन

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।मार्च २८,२०१७ .मैथिली जिन्दावाद !!

 मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमलक ७२अम जन्मदिन जनकपुरमे विशेष समारोहक सँग रविदिन(२६,मार्च)क  सम्पन्न भेल अछि । स्थानीय सीता प्यालेस होटलमे आयोजित ओ समारोहमे डा. विमल विशेष केक कटलन्हि ।ओ समारोहमे मैथिली आ नेपालीक साहित्य, कला संस्कृतिसँ आवद्ध व्यक्तिसभक सहभागिता रहल छल ।
समारोहमे नेपाल संस्कृत विश्वद्यिालयका उपकुलपति कुलप्रसाद कोइराला, मैथिलीका वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवतीरमण लाल, अयोध्यानाथ चौधरी, मैथिली विकास कोषका अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, मिनापका पूर्व अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, मिनापक उपाध्यक्ष परमेश झा, साहित्यकार अशोक दत्त, नेपाली साहित्यकार तोयाराज घिमिरे, गायक नविन मिश्र, संगिता देव सहितक सहभागिता छल । ओ अवसरपर गीतनाद सेहो भेल छल ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

3 + 6 =