राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक वार्षिकोत्सव आई, प्रतिभा सम्मान एहिबेर संगिता देवकें देल जाएत

मनीष कर्ण ,जनकपुरधाम ।मार्च २६,२०१७ .मैथिली जिन्दावाद!!

।डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक वार्षिकोत्सव आई विशेष कार्यक्रमके सँग मनाओल जा रहल अछि । जनकपुरक रामानन्द चौक स्थित सीता प्यालेस होटलमे होवएवला ओ कार्यक्रममे विभिन्न क्षेत्रक व्यक्तिक सहभागिता रहत ।
समारोहमे मिथिलाञ्चलक चर्चित गायिका संगिता देवके डा. राजेन्द्र विमल प्रतिभा सम्मानसँ सम्मानित कएल जाएत । तीन दशकसँ गायन क्षेत्रमे देव सक्रिय रहल छथि ।
सम्मानमे प्रशस्तीपत्र, ११ हजार नगद आ दोसल्ला देल जाइत अछि । सम्मानक लेल तीन सदस्यीय छनौट समिति गठन कएल गेल छल । ओ समितिमे चर्चित गायक एवं मिनापक पूर्व अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, मैथिली विकासक संयोजक जीवनाथ चौधरी आ डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक संयोजक एवं पत्रकार सुजीत कुमार झा छलथि ।
डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक संरक्षक डा. राजेन्द्र विमलक जन्मदिनक अवसरपर प्रत्येक वर्ष एकगोटे श्रष्ठाके सम्मान करवाक परम्परा रहल अछि । एहिसँ पूर्व राजेन्द्र विमल प्रतिभा सम्मान विएन पटेल, संजय यादव आ रीना यादवके देल गेल छल ।
ओ समरोहमे विचार गोष्ठी, साँस्कृतिक कार्यक्रम आ कवि गोष्ठी राखल गेल अछि । कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि नेपाल संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति कुलप्रसाद कोइराला छथि ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 4 =