संगीता देव केँ भेटतनि एहि वर्षक डा. राजेन्द्र विमल सम्मान

मनीष कर्ण, जनकपुर। मार्च २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला नाट्यकला परिषद् (मिनाप) केर बहुचर्चित गायिका संगीता देव केँ डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठान सँ भेटयवला हरेक वर्षक सम्मान एहि वर्ष २६ मार्च केँ समारोहपूर्वक देल जेतनि, ई जनतब मिनाप केर अध्यक्ष सुनील मल्लिक करौलनि अछि।

जनकपुर मे मैथिली भाषा ओ साहित्य संग-संग कला प्रति जागरुकता मे डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक योगदान सब दिन सराहना योग्य रहल अछि। संगीत आ स्वर केर साधिका संगीता देव केँ ई सम्मान देबाक निर्णय सँ मैथिली स्रष्टा समाज मे उत्साहक माहौल देखल जा रहल अछि।

सम्मानक लेल तीन सदस्यीय छनौट समिति गठन कएल गेल छल । ओ समितिमे चर्चित गायक एवं मिनापक पूर्व अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, मैथिली विकासक संयोजक जीवनाथ चौधरी आ डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक संयोजक एवं पत्रकार सुजीत कुमार झा छलथि । डा. राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक संरक्षक डा. राजेन्द्र विमलक जन्मदिनक अवसरपर प्रत्येक वर्ष एकगोटे श्रष्ठाके सम्मान करवाक परम्परा रहल अछि । एहिसँ पूर्व राजेन्द्र विमल प्रतिभा सम्मान विएन पटेल, संजय यादव आ रीना यादवके देल गेल छल ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

3 + 7 =