सहरसा मे खुजल एम्बीशन कैरियर जंक्सन, मेधावी लेल छात्रवृत्ति

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी १०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सहरसा में खुजल एंबीशन कैरियर जंक्शन, मेधावी छात्र-छात्रा केर निःशुल्क पढाई केर व्यवस्था

मिथिला में बढ़िया शिक्षा के अभाव में एहिठामक छात्र-छात्रा केँ पलायन करय सँ रोकबाक लेल सहरसा में कोटा केर योग्य शिक्षक द्वारा कोटे जेकाँ शिक्षण व्यवस्था सहरसा में कम लागत स पढाई हेतु ई संस्थान काज शुरू भेल अछि । संस्थान के निदेशक संदीप कश्यप कहलनि जे मिथिला कहियो विद्या अध्ययन केर केन्द्र छल जतय पुरा विश्वक छात्र पढ़ाई करैत छल, मुदा एखन स्थिति बिल्कुल उल्टा भ गेल । मिथिला क्षेत्र स बृहद मात्रा में छात्र सब बाहर जाइछ । बाहर भेजला स जहाँ एक तरफ अभिभावक आर्थिक संकट झेलैत छथि ओतहि बच्चा केँ बाहर भेजला स ओकर संस्कार में कमी भ जाइछ जाहि स ओकरा असफलता हाथ अबैछ । ताहि हेतु एंबीशन कैरियर जंक्शन कम पाई मे इंजीनियर, डॉक्टर के पढाई आर तैयारी करबाओत ।

श्री कश्यप कहलनि जे आब कोशी के बच्चा अप्पन भाग्य एंबीशन कैरियर जंक्शन के मार्गदर्शन में बना सकैत अछि । संस्थान द्वारा वर्ग 8.9.10.11.12वीं केर विषयवार मेडिकल, इंजनीयरिंग, ओलम्पियाड के तैयारी प्रारंभ कयल गेल अछि । एहि संस्थान के कुशल व अनुभवी शिक्षक मे ईः बंशी पाठक, ए एस राठौड़, ए के भारद्वाज, डी कुमार, दिलीप चौधरी के निर्देशन में छात्र छात्रा के तैयारी करायल जाइछ ।