कोसी में बनत बंदारगाह व हवाई अड्डा: सांसद पप्पू यादव

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी ११, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सुपौल जिला के वीरपुर कोसी बराज आर धम्हारा घाट समीप बंदरगाह आर हवाई अड्डा बनेबाक योजना 2019 ई तक पूरा करबाक लेल प्रयास शुरू क देल गेल अछि । एकरा लेल बजट में 125 करोड़ रुपया स्वीकृति भेल अछि । जकर घोषणा बहुत जल्द केन्द्रीय मंत्री नितिन गडकरी एहि महीनाक अंतिम सप्ताह में सहरसा आबि करताह । वीरपुर या सहरसा में हवाई अड्डा बनत एहि बातक खुलासा सांसद राजेश रंजन उपाख्य पप्पू यादव रवि दिन परिसदन में कयलनि । श्री यादव कहलनि जे कोसी बराज व धम्हारा घाट सँ जहाज खुलि कय कुर्सेला होएत गंगा के रास्ता सँ फरक्का बराज होइत कोलकाता तक जायत । एहि सँ ब्यपारी सबकेँ खुब फायदा हैत । मिथिलाक कोसी क्षेत्र बहुत पिछड़ल इलाका अछि । ताहि हेतु हवाई अड्डा सेहो जरूरी अछि ।

एकर आलावा सांसद कहलनि जे निर्मली वाया भपटियाही फारबिसगंज नव रेल लाइन लेल एक सौ करोड, कुर्सेला स बिहारीगंज, मुरलीगंज, खुर्दा होइत भीमनगर तक नव रेल लाइन परियोजना, पुरैनी स ललितग्राम होइत वीरपुर तक नव रेल लाइन परियोजना, राष्ट्रीय उच्च पथ संख्या 106, 107 व दरभंगा स बनमंखी तक नव एन एच पथ, माली चौक स फुलौत तक नव एन एच के निर्माण होयत । जाहि सँ एहि क्षेत्र में खुशहाली बढ़त व लोक के जीवन में सुख व समृद्धि आयोत । ओ कहलनि जे 25 मार्च स पहिले हर हाल में बंगाली बजार रेलवे ओवरब्रिज के निविदा भ जायत तकरा बाद कार्य प्रारंभ होयत ।