भारतीय जनता पार्टी खजौली मंडल द्वारा धरना प्रदर्शन ….

भारतीय जनता पार्टी खजौली मंडल के द्वारा खजौली प्रखंड कार्यालय पs

एकदिवसीय धरना प्रदर्शन प्रखंड विकास पदाधिकारी आं समाचार के माध्यम सं

विभिन्न जन समस्या के बिहारक महामहिम राज्यपाल के समक्ष माँग रखलैन ।

प्रथम किसान सभक लेल धान बेचबाक लेल क्रय केंद्र के अखैन धरि सुनिश्चित नै भेल, 
और किसानके लगान के दुगुना मुल्य फसल सब पर मिलबाक चाहि ।
ताहि के सुनिश्चित जल्द सं जल्द होय से माँग रखलैन ।
द्वितीय राष्ट्रीय वृद्धा पेंशन आ अन्य सामाजिक सुरक्षा पेंशन के सुनिश्चित रुप सं नै आयब रहल
अछि , ताहि के बैंक खाता में सुनिश्चित करायल जाए
दलित,महादलित,पिछड़ा ,अतिपिछड़ा,स्नातकोत्तर छात्रवृति बिहार सरकार द्वारा बंद करा देल गेल।
जाहि के अतिशीघ्र छात्र सबके उचित शिक्षा आ छात्रवृति मिलबाक चाहि।
एक बहुत जरूरी मुद्दा रखैत कहलैन जे बंद पर लोहट चिनी मिल के जल्द सं जल्द चालु होबाक चाही ।
यदि लोहट मिल चालु भ जायत त मिथिलांच फेर सं खुशहाल भ जायत ।
हज़ारों लाखों युवा किसान आ मिथिलांचल वासी के काम मिलत ।
बिहार कर्मचारी चयन आयोगक के प्रश्नपत्रक के लिक भेला सं लाखों युवाक भविष्य अंधकारमय भsगेल ।
एना कियाक बेर बेर युवाक भविष्य केर अवहेलना कयल जा रहल अछि । याहि के घोर निंदा केलगेल ।
तथा आहि के जाँच केंद्रीय जाँच ब्यूरो सं करबाक माँग रखलैन।
उक्त पांच सुत्रीय मांग राष्ट्रीय जनतांत्रीक गठबंधन द्वारा एकदिवसीय धरनाकs माध्यम 
से राज्यपाल बिहार से माँग रखलैन । माँग पुरा नै भेला पs जनजागरुकता कअ जन आंदोलन
 करअ पs मजबूर भ जायत से प्रेश विज्ञप्ति जारी करैत भाजपा खजौली अध्यक्ष सरोज सिंह जनौलैन ।