Vishwa Dharohar Diwas: Mandan Dham, Mahishi
सुभाषचंद्र झा, मंडनधाम, महिषी, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद – मार्च १८, २०१५.
मंडन धाम (महिषी) मे विश्व धरोहर दिवस मनाआेल गेल। पुरातत्त्व विभाग व ग्रामीण सबहक सहयोग सँ महान् विभूति मंडन मिश्रक जन्मभूमि केँ सुरक्षित, संरछित आ जगजियार करबाक आवश्यकता रहबाक बात पर जोर देल गेल। एहि अवसर पर वक्ता सभ स्वतः प्रमाणम् परतः प्रमाणम् सिद्ध भूमि माँ उग्रतारा, कन्दाहा सुर्य मंदिर, नकुचेश्वर महादेव, मटेश्वरनाथ, वाणेश्वरनाथ, माँ कात्यायणी, चंडिकास्थान, बाबा लछमीनाथ गोसाईं स्थान, कारु खिरहरि स्थान समेत अनेकों अन्य ऐतिहासिक, पुरातत्त्विक महत्त्वक स्थल सब केँ जोगाकय रखबाक वास्ते समुचित प्रचारक संग रख-रखाव आ पर्यटन प्रोत्साहन करब बहुत जरुरी अछि कहल गेल।
मिथिला मे बहुत रास जगह दर्शनीय अछि खासकय कोसी सन पछरल इलाका मे पर्यटनक दृष्टि सँ अनेकों स्थलकेर विकास करब एहि क्षेत्र लेल वरदान होयत। उपस्थित जनमानस एहि लेल संकल्प लेलनि। सरकारक उपेक्षाक समाधान निज जागरुकता आ संवर्धन-प्रवर्धनक उपाय हेतु एहि क्षेत्रक नेतृत्वकर्ताक घेराव करबाक निर्णय लेल गेल। गामक युवा समूह सब एहि लेल कृतसंकल्पित देखेला जे आगामी समय मे सरकारी उपेक्षाकेँ वर्दाश्त नहि कैल जायत।
Jun 18, 2015 - 7:12 pm
Hello! Would you mind if I share your blog with my twitter group?
There’s a lot of folks that I think would really appreciate your content.
Please let me know. Cheers
Jun 20, 2015 - 9:55 pm
I absolutely love your blog and find almost all of your post’s to be exactly what I’m looking for.
Does one offer guest writers to write content for you? I wouldn’t mind creating
a post or elaborating on most of the subjects you write in relation to here.
Again, awesome weblog!