दिल्ली मे एक सँ बढिकय एक मैथिल व्यक्तित्वः मैथिल मंच

दिल्ली, सितम्बर १५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mj-distribution1मैथिली जिन्दाबाद केर दिल्ली महानगर मे वितरण ओ प्रसार केर भार व जिम्मेदारी मे अनवरत सहयोग कएनिहार संस्था ‘मैथिल मंच’ व एकर संस्थापक मणि भूषण राजू कहलैन अछि जे मैथिली भाषा व एकर साहित्यक मिठास सँ एक बेर फेर सब मैथिलजन केँ जोड़बाक महत्पूर्ण भारवहन करैत आनन्दक अनुभूति भ रहल अछि। वास्तव मे जाबत अपन साहित्य सँ लोकमानसकेँ नहि जोड़ब ताबत असल मिथिला संस्कार आ सभ्यताक संरक्षण होयब असंभव अछि।

mj-distribution2राजू कहलैन अछि जे हालहि प्रकाशित मैथिली जिन्दाबाद पाक्षिक केर प्रति अपन मैथिल जनमानसक हाथ मे देलाक बाद सब केँ आह्लादित पबैत छी। महानगर सँ अपन भाषा मे बूलेटिन भेटबाक मिश्रित प्रतिक्रिया भेटैत अछि। सब्सक्रिप्सन लेल सब तत्परता देखबैत छथि। परन्तु वितरण सही समय पर होयबाक चुनौती सँ परिचित रहैत एहि दिशा मे नीक सँ नीक व्यवस्थापन लेल प्रोत्साहित सेहो करैत छथि।

दिल्ली महानगर मे लाखों मैथिल जनमानस मौजूद अछि। सबसँ अधिक खुशी तखन भेटैत अछि जे जहिना महासागरक गहिंर तल पर पर्ल्स-कोरल्स (कीमती मोती आदि) भेटैत अछि तहिना दिल्लीमे एक सँ बढिकय एक मैथिल व्यक्तित्व सब संग भेंट होमय लागल अछि। विभिन्न कार्यालय मे जाएत छी, पता करैत छी – एक सँ बढिकय एक परिचय सोझाँ अबैत अछि। कोनो एहेन स्थान नहि जतय अपन मैथिल लोक नहि।

vyom-aa-rajuराजू जानकारी उपलब्ध करबैत कहलैन अछि जे, “नित दिन नव मैथिल सँ भेंट करय के क्रम में सौभाग्य सँ योगाचार्य श्री रवि व्योम शंकर झा पुत्र श्री श्रेष्ठ नारायण झा पछबारि टोल, हरिपुर ढ़गा,मधुबनी निवासी छथि । ई “पतंजलि विश्वविद्यालय केर प्रवक्ता” संग “दिल्ली योग प्रचारक”, पतंजलि योगपीठ छथि । मात्र 24 साल के उम्र में योगक सबसँ कठिन आसन शीर्षाशन में विश्व कीर्तिमान स्थापित करयवला मैथिल पुत्र केर दर्शनमात्र सँ हमरा सनक लोक केँ सेहो योग केर शक्तिक साक्षात अनुभव भेल। अपन सम्पूर्ण जीवन योग-साधना केँ समर्पित कय चुकल योगाचार्य निश्चय आजुक मैथिल युवा लेल प्रेरणादायक छथि। “मैथिल मंच” केर तरफ सँ हमसब प्रयास करब कि मिथिला में योग केर जे इतिहास रहल अछि ओ समस्त मैथिल समाज तक पहुँचा सकी आ पुन: भविष्य में मिथिला केँ एकटा योगशक्तिक केन्द्रक रुप में स्थापित करबाक योगाचार्य श्री रवि झा जी केर सपना साकार करी।”

mj-distribution3मैथिली जिन्दाबाद सहित दिल्ली मे कोनो आरो मैथिली पत्र-पत्रिकाक संग मिथिलाक आरो उत्पाद, पेन्टिंग व अन्य सेवा लेल सदैव याद करूः

नाम: मणिभूषण झा “राजू”
पिताजीक नाम : वैद्य गणपति नाथ झा
माताजीक नाम : श्रीमती सुगंधा झा
गाम : तीसी बलिया,बेनीपट्टी मधुबनी
शिक्षा : बी.ई.(कमप्युटर साइंस)
जन्मतिथि : 10 फरवरी 1984
मोबाइल : 9582293330
ई-मेल : [email protected]

वर्तमान में नोयडा में एकटा कंपनी में System Engineer केर पद पर कार्यरत आ www.maithilmanch.com सँ जुड़ल छथि।