9 sa 9 dinak yatra me 9 uplabdhi: Indian PM Modi’s recent foreign visit

९ सँ ९ दिनक यात्रा मे ९ उपलब्धि: भारतीय प्रधानमंत्री मोदीक हालक विदेश भ्रमण पर विशेष सम्पादकीय

modi on foreign tour april 9 days

भारत स्वतंत्र भेला बाद पहिल बेर गैर-काँग्रेसी सरकार पूर्ण बहुमत संग राष्ट्रवादिताक अवधारणा पर देशमे नेतृत्व प्रदान कय रहल अछि। पूर्वहु मौका गैर-काँग्रेसीक हाथ मे गेल छल मुदा हालात किछु एहन जेकर प्रभाव सँ कोनो सरकार स्थिर प्रतिबद्धताक संग सरकार नहि चला सकल। तथापि पिछला बेर १९९९-२००४ केर एनडीए कार्यकाल हर जुबान पर एकटा चर्चा छोड़ि गेल – ईण्डिया साइनिंग आ फील गुड फैक्टर। बात करब स्वदेशी मूल्यक आ विशेषताकेँ अंग्रेजीक बले जनमानस तक राखब, ताहू मे भारतक आधा सँ अधिक अनपढ-गँवार आबादीक सोझाँ तऽ परिणाम ‘मूर्खक लाठी बिच्चहि कपार’ हेबा मे कोनो संदेह नहि, वैह भेल। पुन: भारत मे काँग्रेस-नेतृत्वक यूपीए सरकारक हाथ मे शासन गेल आ एहि बेर बहुत सावधानीपूर्वक कामन-मिनिमम-प्रोग्रामक संग यूपीए चेयरपर्सन सोनिया गाँधीक अदृश्य एकल-सर्वाधिकार सुरक्षित नेतृत्व मे देशकेँ वाजपेयी द्वारा देखायल बाट पर आगू बढायल गेल। जखन कि पुन: दोसर बेर जनता यूपीए केँ सत्ताक डोरी पकड़ेलाक बाद जे मनमानी और बदजुबानी सब भेल ओ जनताकेँ चैतक तप्पत हवा जेकाँ दग्ध कय देलक आ ताहि समय भाजपाक निर्णय जे प्रधानमंत्री पदक उम्मीदवार सबसँ अधिक कूचर्चित ‘नरेन्द्र मोदी’ हेता, ई जुड़ि शीतलक जल समान भारतीय जनताकेँ जुड़ा देलक आ परिणाम सोझाँ अछि जे देश मे महंगाई-युग समाप्तप्राय अछि, अराजक अवस्था कतहु सँ नहि, आन्तरिक सुरक्षा चाक-चौबंद, विदेशी कूटनीतिक अवस्था अपूर्व आ भारतीय जन-गण-मन लेल ‘अच्छे दिन आनेवाले हैं’ केर अन्तर्भावना पर कार्य निरन्तर जारी अछि। यैह क्रम मे ९ अप्रैल सँ शुरु कैल ३ देशक ९ दिवसीय यात्रा सँ भारत लेल ९ उपलब्धि भेटबाक शोध मैथिली जिन्दाबाद द्वारा कैल गेल अछि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी फ्रांसक राष्ट्रपति फ्रांस्वा ओलोंद संग पैछला शुक्र दिन पेरिस केर बीचसँ बहयवाली सिएन नदी मे ‘नाव पर चर्चा’ केलनि। ‘चाय पर चर्चा’क लोकप्रियता उपरान्त डिप्लोमैसी मैनेजमेन्टमे प्रकृतिक संग मानवतावाद आ पर्यावरण दिशि विश्व नेतृत्वकर्ताकेँ जोड़ि राखय लेल मोदी संग खास भेंटघाँट मे एहि तरहक बातक ध्यान खूब राखल जा रहल अछि। दुनु नेता असैन्य परमाणु ऊर्जा, रक्षा, अंतरिक्ष और कारोबार क्षेत्र मे आपसी सहयोग पर ध्यान केंद्रित व्यापक विचार विमर्श केलनि। पुन: गंडोलेक घुमाय भेल। एहि तरहें यात्राक पहिल तीन दिन बीतल।

पुन: प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक दोसर तीन दिन वास्ते जर्मनीक यात्रा प्रारंभ भेल, अप्रैल १२ केँ जर्मनीक हनोवर पहुँचि गेलाह। ओतय चांसलर एंजेला मार्केल आ जर्मनीक ब्यापारी नेतृत्वकर्ता सब संग भेंटघाँटक संग भारत सहयोगी देश बनि संचालित ब्यापारिक मेला मे भाग लेलनि। मूलत: तीन बात, जर्मनी संग आपसी सहयोग आ अन्तर्राष्ट्रीय मुद्दा आदि पर द्विपक्षीय समझौता, ब्यापारिक नेतृत्वकर्ताक संग भारत मे उत्पादनशीलता बढेबाक नारा ‘मेक इन ईण्डिया’क पोषण आ हनोवर मेला मे सहभागी भारतीय तथा जर्मनी ब्यापारकेँ संवर्धन-प्रवर्धनक संग गाँधी-मूर्ति अनावरण, भारतीय पैवेलियनक उद्घाटन आदि मुख्य उपलब्धि रहल। जर्मनी युरोपीय देश मध्य सर्वाधिक ब्यापार करऽवला देश थीक भारत लेल आ ई संबंध आरो प्रगाढ हो जाहि सँ दुइ देशक आपसी लाभ मे बढोत्तरी होयत। संगहि टेक्नोलाजीक मामिला मे भारतकेँ विकसित देश सँ बहुत किछु सिखबाक अछि तैँ रेलवे आधुनिकीकरण हेतु किछु ओहेन विकसित तकनीकी पक्षक अध्ययन सेहो प्रधानमंत्रीक खास टार्गेट मे रहल। ९ सँ नवग्रहक खास ज्योतिष ध्यान रखितो प्रधानमंत्रीक विमान मे किछु खराबी आयल जेकरा एयर ईण्डियाक दोसर विमान पठाय सुधार कय लेल गेल।

यात्राक तेसर तेराति (तीन दिन) कनाडा लेल भेल। एतहु तीन बात, परमाणु समझौताक संग उर्जा सहयोग आ भारतक विकास लेल ब्यापार आ तकनीकी सहयोग पर ध्यान केन्द्रित कैल गेल। प्रौद्योगिकी सहयोग लेल कनाडा विश्व मे प्रतिष्ठा अर्जित केने अछि। पिछला ४२ साल मे ई भारतीय प्रधानमंत्रीक पहिल यात्रा छल जे द्विपक्षीय समझौता लेल कनाडा गेल छल।

आउ, आब एक नजरि ओहि सब समझौता पर दौड़ाबी, ९ दिनक ९ उपलब्धिक मोहावरा सँ ऊपर निष्पक्ष रूप सँ देश आ मानवताक हित मे:

फ़्रांस संग समझौता:
१. भारत ३६ रफ़ाएल लड़ाकू विमान जल्द सँ जल्द ख़रीद करत.
२. महाराष्ट्रक जैतापुर मे परमाणु ऊर्जा प्लांट लेल सहयोग, छ टा प्लांट बनेबाक दिशा मे प्रगति.
३. भारत केँ तीन स्मार्ट शहर बनेबा मे सेहो मदद करत. एहि मे पॉन्डिचेरी सेहो शामिल अछि जे कहियो फ़्रांसक उपनिवेश छल.
४. भारत मे एयरबस, आबयवला समय मे दुइ अरब यूरो केर निवेश करत.
५. छात्र पढ़ाइ पूरा केलाक बाद नौकरी तकबाक लेल बेसी समय तक रुकि पाओत.
६. दुनु देश मे वीज़ा नियम आसान करबा पर सेहो सहमति.
७. सेमी हाई स्पीड रेल केर क्षेत्र मे सहयोग पर सहमति.
८. कूटनैतिक दबाव पाकिस्तान पर – फ़्रांस कहलक जे मुंबई हमलाक आरोपी ज़की-उर रहमान लखवीक रिहाइ हैरान करयवला अछि.
९. अक्षय ऊर्जाक क्षेत्र मे समझौता
१०. स्पोर्ट्स, मेडिसिन, खेलक क्षेत्र मे, महिला और विकलांग केर भागीदारी पर समझौता

जर्मनी सँ भेल समझौता:
१. दुनु देशक मध्य खुला ब्यापार पर समझौता.
२. शहरी विकास पर साझेदारी, भारत मे वर्किंग ग्रुप बनत.
३. भारत मे जर्मनी कंपनिय लेल अधिक सुविधा देनाय जाहिसँ जर्मन निवेशक बेसी सँ बेसी निवेश कय सकय.
४. शिक्षाक क्षेत्र मे सहयोग, दुनु देशक विश्वविद्यालय बीच साझेदारी.

कनाडा संग भेल समझौता:

१. पांच वर्ष मे भारत, कनाडा सँ तीन हज़ार टन सँ ज़्यादा यूरेनियम खरीद करत. एकर उपयोग भारतक परमाणु कार्यक्रम मे कैल जायत.
२. तेल और गैस केर क्षेत्र मे साझेदारी बढ़ेबापर सहमति. संगहि अक्षय ऊर्जाक क्षेत्र मे कार्य करबा मे सहयोग.
३. भारत मे कनाडाक ग्रेंड चैलैंजेस 25 लाख केनेडियन डॉलर केर निवेश करत.
४. टोरंटो आर नई दिल्लीक बीच एयर कनाडाक सीधा उड़ान पर सहमति.
५. आंतकवादक ख़िलाफ़ दुनु देश मिल कय लड़त.
६. नेशनल स्किल डेवेलेपमेन्ट काउंसिल ऑफ़ इंडिया तथा कनाडाक शिक्षा संस्थान आर अन्य कतेको संस्थानक मध्य 13 समझौत पर हस्ताक्षर भेल.

(विवरण स्रोत: साभार बिबिसी हिन्दी)