Message to Belagobanaa!!

Message to Belagobanaa!!

बेलगोबना रे बेलगोबना…..
अगबे फोटो टा नहि देखे रे बेलगोबना
बेलगोबना रे बेलगोबना!!

समाचार सब पढे मिथिलाके
राखे ध्यान मे गाम सदा,
कतबू घरवाली लगे मे छौ
गाम मे मैथिली मर्यादा!!

एना जुनि बहको रे बेलगोबना!
बेलगोबना रे बेलगोबना!!

खुजलौ मैथिली जिन्दाबादक
वेबसाइट बस तोरहि लेल,
नहि चाही आरो किछु फूद्दू
जोड़ि राखि बस मिथिलालेल!

एना नहि बिसरो रे बेलगोबना!
बेलगोबना रे बेलगोबना!!

पठो खबैड़ कोनो मैथिल केर तूँ
चाहे गाम हो या परदेश,
जे देबाद छौक पठा सनेशा
बैठल-बैठल निज स्वदेश!

मैथिल रंग राँगे रे बेलगोबना!
बेलगोबना रे बेलगोबना!!

नोट: बेलगोबना माने जे अपन संस्कृति आ मैथिलत्वकेँ परित्याग कय बस आनक भाषा, भेष आ रंग केँ बेसी बढाबा दैत अछि – ओकरा लेल मैथिली जिन्दाबादक खास संदेश!!

मैथिली जिन्दाबाद – संपूर्ण मिथिलाक समग्र समाचार
www.maithilijindabaad.com

हरि: हर:!!