बुटवल मे मैथिल विद्यार्थी समाज केर गठन संपन्न

मुखीलाल चौधरी, अध्यक्ष, मैथिल समाज नेपाल बुटवल सँ साभारः

maithil vidyarthi samaj butwalआजुक दिनाड़्क 2073/05/11 गते शनिदिन सेन्ट जोसेफ कलेज, भलवारी में मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक अध्यक्ष श्रीमुखीलाल चौधरीक अध्यक्षता में चारिटा कलेज कृर्षि क्याम्पस पक्लीहवा, युनीभर्सल मेडिकल कलेज पक्लीहवा, लुम्बिनी इन्जिनियरिड़्ग कलेज भलवारी तथा लुम्बिनी मेडिकल कलेज प्रभास, पाल्पाक बिद्यार्थी सभहक भेल भेला में दुनु समाज ( मैथिल समाज नेपाल; मैथिल महिला समाज रुपन्देही, बुटवल )क पदाधिकारी, कार्यकारी सदस्य, आजीवन सदस्य तथा सक्रीय सदस्य सभहक साथ अन्तरक्रिया कार्यक्रम कऽ मैथिल विद्यार्थी समाज , बुटवल , रुपन्देही (तदर्थ कार्यसमिति) गठन कएल गेल अछि ।

तदर्थ कार्यसमितिक गठन प्रक्रिया निम्नप्रकारक अछि ।

1) अध्यक्ष – श्रीसुदिष्टकुमार सिंह ,लुम्बिनी
इन्जिनियरिड़्ग कलेज, भलवारी
( 984313087)
2) उपाध्यक्ष – श्रीनितिश महतो,युनिभर्सल मेडिकल
कलेज, पक्लीहवा ( 9805421749)
3) सचिव – श्रीप्रदिपकुमार यादव, कृर्षि क्याम्पस,
पक्लीहवा (9800757835 )
4) सदस्य – श्रीधीरेन्द्रप्रताप ठाकुर, कृर्षि क्याम्पस,
पक्लीहवा( 9843844110)
5) ” – श्रीअभिषेककुमार साह, कृर्षि क्याम्पस,
पक्लीहवा( 98628 23485 )
6) ” – श्रीआनन्दकुमार माझी, लुम्बिनी
इन्जिनियरिड़्ग कलेज, भलवारी
( 9807775897 )
7) ” – श्रीसंजयकुमार माझी, लुम्बिनी
इन्जिनियरिड़्ग कलेज, भलवारी
( 98496 07470 )
8) ” – श्रीरसुल राइन, लुम्बिनी इन्जिनियरिड़्ग
कलेज, भलवारी(9817448348)
(9815860430)
9) ” – श्रीधीरजकुमार दास, युनिभर्सल
मेडिकल कलेज, पक्लीहवा
( 9819858547)
10) ” – लुम्बिनी मेडिकल कलेज, प्रभास, पाल्पा

11) ” – ” ” ” ” ”
( लुम्बिनी मेडिकल कलेज, प्रभास,
पाल्पाक बिद्यार्थी कें विशेष कारण
अनुपस्थिति सँ क्रम सं• 10 आऔर
11 ओकरे सभहक लेल राखल गेल
अछि )

मैथिल बिद्यार्थी समाजक सर्वसम्मति सँ चयन भेल सभटा पदाधिकारी तथा सदस्य लोकनि कें समाजक अध्यक्ष हम मुखीलाल चौधरी अपन ब्यक्तिगत दिशि सँ आऔर दुनु समाजक दिशि सँ हार्दिक बधाइ एवं शुभकमना दैत छी।

कार्यक्रम में बिद्यार्थी सभ श्रीसंतोष मंडल, श्रीनसीम अक्रम, श्रीधीरजकुमार दास, श्रीदीपनरेश यादव ; समाजक आजीवन सदस्य श्रीअमरेन्द्रकुमार सिंह, आजीवन सदस्य एवं सल्लाहकार श्रीबिद्यासागर झा, तथा मैथिल महिला समाजक अध्यक्ष श्रीमती अनिता झा अपन-अपन मन्तब्य देने छलाह । स्वागत मन्तब्य समाजक उपाध्यक्ष श्रीबिजयकुमार झाद्वारा देल गेल छलैया आऔर कार्यक्रमक संचालन समाजक सचिव श्रीनागेन्द्रराय यादव केने छलाह ।