Message of Thanks to All!

धन्यवाद ज्ञापन

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ मे सब सहयोगी केँ हृदय सँ आभार!

बहुत हाल तक ‘मैथिली महायात्रा’ केर अर्थ बुझबा मे कतेको विज्ञजन तक केँ समस्या भेलनि। आशा करैत छी जे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५, विराटनगर सब गोटा केँ मैथिली-मिथिलाक विभूति सँ दर्शन कराय अपन प्रासंगिकता केँ प्रमाणित केलक।

कार्यक्रम सफलतापूर्वक निष्पादन कैल जा सकल, अपने सब गोटाक योगदान अविस्मरणीय अछि:

1. Amar Nath Jha​
2. Amit Kumar Choudhary​ , RBS International School + Mahishi.org
3. Bindeshwar Thakur​ , Navodit Saahityik Vachanaalay + Antarrashtriya Nepali Saahitya Samaaj, Qatar
4. Asian Thai Foods (P) Ltd., Maker of Rumpum Noodles
5. Karuna Jha​
6. Kumod Jha​ , The Dreamland Biratnagar​
7. Vivekananda Jha​ , Oyster International School, Inerwa
8. Sunil Gupta​ , Mithila Ekta Samaj – Saudi Arab Family
9. Bimal Kant Jha​ , Bimal Sewa Samiti, Saharsa
10. Dharmendra Kumar Jha​ , President, Dahej Mukt Mithila, Maharashtra
11. Amlesh Jha​
12. Vimal Ji Mishra​
13. Mithilanchal Mahasabha Uttar Pradesh​ Anil Jha​ Amit Zha​ Ravi N Mishra​
15. Mani Shankar Thakur​
16. Subodh Mandal, Manav Sewa Sadan Samiti, New Delhi + United Real Estate Consultant, New Delhi
17. Ramanath Jha​, Saicharan Entertainment Pvt. Ltd., New Delhi – Producer of HALF MURDER​ Maithili Film
18. Sunil Pawan​, Maithili Kala Parivar​, New Delhi
19. Parbat Raj Jha​, Lumbini Net Pvt. Ltd., Biratnagar – sponsored Online Streaming

अपने समस्त सहयोगी द्वारा पूर्व-घोषित विज्ञापन शुल्क अनुसार यथोचित योगदानक सराहना करैत आभार सहित धन्यवाद प्रकट करैत छी।

कार्यक्रमक योजनानुसार सह-संयोजनक भार किसलय कृष्ण द्वारा सम्हारल गेल। हमर प्रिय साढू रंजित झाजी द्वारा खान-पान एवं अतिथि-सत्कारक पूर्ण भार सम्हारल गेल। भोजन-भातक इन्तजाम लेल रसोइया रामा साहु केर सहयोग रहल। तहिना सरोज कार्की द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केर डिजाइनिंग आ विमोचन संयोजन कैल गेल। धीरज बर्मा, विनय लाभ, निराजन झा द्वारा कार्यकर्ता सहयोग कैल गेल। नागरिक एफ एम द्वारा प्रचार-प्रसार सहयोग कैल गेल। जितेन्द्र ठाकुर द्वारा नेपाली मिडिया संयोजन कैल गेल। लगभग सब प्रमुख समाचारपत्र तथा टेलिविजन केर प्रतिनिधि – अजितजी, अबधेशजी, मोहन मानन्धरजी, चुमन बस्नेतजी, उद्धवजी, नविन कर्णजी, आदि द्वारा कार्यक्रमकेँ पूरा कवर कैल गेल। हिन्दुस्तान, जोगबनी प्रतिनिधि आ हमर अभिन्न कक्षामित्र वरुण मिश्र द्वारा सल्लाहक संग पूर्ण सहयोग कैल गेल। मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. एस. एन. झा तथा संस्थापक डा. एस. एन. मिश्र द्वारा नैतिक सहयोग कैल गेल। स्वैच्छिक सहयोग अन्य किछु सहयोगी द्वारा कैल गेल जाहि मे प्रा. भगवान् झा केर चर्च करब जरुरी अछि। तहिना भाइ विजय मंडल द्वारा साज-सज्जा-व्यवस्थापन मे पूर्ण सहयोग कैल गेल। राजेश झा द्वारा कार्य व्यवस्थापन मे सहयोग कैल गेल। जिनकर नाम छूटि रहल अछि तिनको सबकेँ जाने-अन्जाने त्रुटि हेतु क्षमा मंगैत आगामी समय मे पुन: अपने लोकनिक सुन्दर सहयोगक आशा रहत। मैथिली जिन्दाबाद!!

हरि: हर:!!

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 3 =