भीषण ऐगलग्गीक घटनाः आँखि झपैकते ३०० घर साफ

साभारः अनिल चौधरी, सनहौली (रिपोर्टः दिल्ली सँ) – अप्रैल १४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

sanhauli aiglaggi4कुशेश्वरस्थान थाना क्षेत्रक सनहौली गाम मे दुपहर केँ लागल भीषण ऐगलग्गी मे १८ घर ४ मवेशी आ तीन एकड़ मे गहुंमक पाकल फसल जैरकय खाख भऽ गेल अछि।

भेटल जानकारी अनुरूप गामक फूलकिशन साहु केर घर सँ शुरु भेल आगिक लपट देखिते-देखिते आस-पड़ोसक १८ टा घर केँ अपन ग्रास बना लेलक। तेज पछबा हवा केर कारण आगि विकराल रूप धारण कए लेने छल। लोक सब किछु छोड़ि-छाड़ि बस अपन आ परिजनक जान बचेबाक लेल सुरक्षित स्थान पर जेबाक काज केलक।

sanhauli aiglaggi6एम्हर ग्रामीणक संग-संग आसपासक गाम हिरणी, परसंडा, बेरि, रामबाड़ी, कुमारी आ विषहरिया सहित आन-आन ठामक लोक सब डोल-बाल्टी आ पम्प सेट केर सहारे घंटों आगि केँ मिझेबाक प्रयास करैत सफलता पेबाक खबैर भेटल अछि। मुदा ताबतकाल धरि फूलकिशन साहु, राजकांत साहु, मो. सोनदाय देवी, गुलेल पासवान, बाउन साहु, रामसुन्दर ठाकुर, अर्जुन ठाकुर, रामस्वरूप शर्मा आ शंकर शर्मा सहित १८ जनक घर मे राखल अन्न-वस्त्र सहित सबटा समान जरिकय खख्स्याह भऽ गेल।

sanhauli aiglaggi3फूलकिशन साहु केर दुइ गाय, ब्रह्मदेव यादव केर दुइ गाय आ यदुवीर पासवानक डेढ बीघा मे लागल गहुंमक खेत जरिकय नाश भऽ गेल। ओतहि महिसक एकटा परू सेहो गंभीर रूप सँ जख्मी भऽ गेल।

ऐगलग्गीक खबैर सुनिते ओहि ठामक विधायक शशिभूषण हजारी, मधुकांत झा मिंटू सबसँ पहिने पहुँचिकय घंटों भरि लोक सब सँ जिज्ञासा आ सहायताक भरोस दैत रहला। गाम पहुँचबाक रास्ता संकीर्ण रहबाक कारण अग्निशम गाड़ी हिरणी गाम सँ आगू नहि जा सकल। बिरौल एसडीओ मो. शफीक सेहो ओतय पहुँचिकय स्थितिक निरीक्षण कएलनि आ पीडित परिवार केर सूची बनाकय तत्काल राहत सामग्री उपलब्ध करेबाक लेल सीओ कृष्ण कुमार सिंह केँ निर्देश देलनि। एहि समय सीआइ गौतम सेन गुप्ता, राजस्व कर्मचारी भरतलाल दास, राजकुमार कमती, मणिकांत झा, संतोष यादव, गणेश यादव आदि सेहो मौजूद छलाह।

sanhauli aiglaggi5ओहि ठाम एक दोसर गाम घोड़दौर मे सेहो ऐगलग्गी भेल जाहि मे चारि आदमीक घर जैर गेल। जानकारी भेटल मुताबिक ई आगि वीरेन्द्र पासवान केर घर सँ शुरु होएत सुनील पासवान, अनिल पासवान आ सुजित पासवान केर घर केँ खाक कय देलक।

कचराक ढेरी मे लगाओल गेल आगिक चिन्गारी सँ अही क्षेत्रक एक अन्य गाम मे दिनक १२ बजे शुरु भेल आगि मे सेहो कतेको घर जैर जेबाक खबैर अछि। ई जनमारा पछबा हवा आ लोकक कनेक टा असावधानी सँ एतेक पैघ नोकसान सँ समूचा इलाका मर्माहत अछि।