विदेश मे रोजगार चाही तऽ सम्पर्क करू: मिथिला एकता समाज सउदी अरब

616

रियाध, सउदी अरब। सितम्बर १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila ekta samaaj saudi rojgaarमिथिला एकता समाज सउदी अपन निरंतर चिन्तन एवं कार्यक्रम सँ मिथिला समाज सहित समस्त नेपाली मानव समुदाय केर हित लेल किछु न किछु नव कीर्तिमान् बनबैत रहल अछि। मिथिला एकता समाज केर अध्यक्ष सुनील गुप्ता जानकारी करौलनि अछि जे मानवीय सेवा आ परोपकारक भावना सँ हम सब जतेक कय सकैत छी से करय लेल तत्पर रहैत छी।

ओ जानकारी करौलनि जे मैन-पावर एजेन्सी केर मार्फत सँ बहुत ठगीक मामिला सोझाँ अबैत अछि, मुदा स्वयं कामदार केर मार्फत दोसर कामदार लेल रोजगार ताकब एकटा सुभिस्तापूर्ण सेवा हम सब उपलब्ध करा सकैत छी से सोचि अपन संस्थाक सदस्य सबकेँ एहि लेल उचित जानकारी समेटबाक आग्रह केलहुँ।

संस्थाक तरफ सँ आ व्यक्तिगत सदस्यक तरफ सँ सेहो समय-समय पर एहि तरहक आवश्यकताक बारे समाचार दैत रहब, इच्छूक व्यक्ति हमरा सब सँ फेसबुक पेजक मार्फत सम्पर्क करैत उचित लाभ उठा सकैत छथि। एहि मे बिचौलिया सब पर जे अनाहक पैसाक नोक्सानी करय पड़ैत छैक ताहि सँ बचता, संगहि बेसीकाल बात कोनो काजक आ यथार्थ काज किछु आरे समान जे धोखाधड़ी आदि होइत छैक ताहू सँ बचैत सीधे रोजगारदाता आ संस्था सँ सम्पर्क कय सकैत छथि।

निश्चित रूप सँ मिथिला एकता समाजक एहि डेग सँ बहुते मिथिलावासी लोकनि केँ लाभ पहुँचत से आशा राखि सकैत छी।

हालक लेल अध्यक्ष सुनील गुप्ता अपन फेसबुक पेज सँ जानकारी करौलनि अछि जे यदि कियो साथी नक्कल कफाला कराबय चाहैत होइ तऽ इलिक-क्तृसियन, प्लम्बर, टायल मेशन, कार्पेन्टर, स्टील फिक्चर सबहक कार्यक लेल आकर्षक सेलरीक व्यवस्था सहित उपलब्ध अवसर केर लाभ उठाउ। तुरन्त आवश्यकता रहबाक कारणे टेलिफोन मार्फत सेहो सम्पर्क कय सकैत छी – सुनील गुप्ता जी अपन नंबर सेहो उपलब्ध करौलनि अछि: सम्पर्क न. ०५९१०८१३७२ – सुनिल गुप्ता।