यूपीएससी परीक्षा मैथिलीः एकर लाभ आ तैयारी लेल किछु विशेष सुझाव (सिलेवस सहित)

भारतीय सिविल सर्विसेज परीक्षा मे कुल १२३६ मे दर्जनों मैथिल भेला उतीर्ण

मैथिलीक सिलेबस

साभारः https://www.civilserviceindia.com/subject/maithili/main-syllabus.html

Maithili Syllabus for Main Examination
Paper-I
History of Maithili Language and its Literature (Answer to be written in Maithili)
मैथिली भाषा आ एकर साहित्यक इतिहास
Part A
History of Maithili Language (मैथिली भाषाक इतिहास)
 
1. Place of Maithili in Indo-European language family.
भारोपीय भाषा परिवार मे मैथिलीक स्थान
 
2. Origin and development of Maithili language. (Sanskrit, Prakrit, Avhatt, Maithili)
मैथिली भाषाक उत्थान आ विकास (संस्कृत, प्राकृत, अवहठ्ठ, मैथिली)
 
3. Periodic division of Maithili Language. (Beginning, Middle era, Modern era)
मैथिलीक कालखंडीय विभाजन (आरम्भकाल, मध्यकाल आ आधुनिककाल) 
4. Maithili and its different dialects.
(मैथिली आ एकर विभिन्न बोली)
 
5. Relationship between Maithili and other Eastern languages (Bengali, Asamese, Oriya )
मैथिलीक अन्य पूर्वांचलीय भाषा (बंगाली, असमिया आ उड़िया) संग सम्बन्ध
 
6. Origin and development of Tirhuta Script.
तिरहुता लिपि केर उद्भव व विकास 
 
7. Pronouns and Verbs in Maithili Language.
मैथिली भाषा मे सर्वनाम आ क्रियापद
 
Part B
History of Maithili Literature (मैथिली साहित्यक इतिहास)
 
1. Background of Maithili Literature (Religious, economic, social, cultural).
मैथिली साहित्यक पृष्ठभूमि (धार्मिक, आर्थिक, सामाजिक, सांस्कृतिक)
 
2. Periodic division of Maithili literature.
मैथिली साहित्यक कालखंडीय विभाजन
  
3. Pre-Vidyapati Literature.
विद्यापति-पूर्व केर साहित्य
 
4. Vidyapati and his tradition.
विद्यापति व हुनक परम्परा
 
5. Medieval Maithili Drama (Kirtaniya Natak, Ankia Nat, Maithili dramas written in Nepal .
मध्यकालीन मैथिली नाटक (कीर्तिनिया नाटक, अंकिया नाट, नेपाल मे लिखल गेल मैथिली नाटक)
 
6. Maithili Folk Literature (Folk Tales, Folk Drama, Folk Stories, Folk Songs).
मैथिली लोक साहित्य (लोक कहिनी, लोक नाटक, लोक कथा, लोक गीत)
 
7. Development of different literary forms in modern era
आधुनिक काल मे विभिन्न साहित्यिक स्वरूपक विकास
 
(a) Prabandh-kavya
प्रबन्ध काव्य
 
(b) Muktak-kavya
मुक्तक काव्य
 
(c) Novel
उपन्यास
 
(d) Short Story
लघुकथा
 
(e) Drama
नाटक
 
(f) Essay
निबन्ध
 
(g) Criticism
आलोचना
 
(h) Memoirs
संस्मरण
 
(i) Translation
अनुवाद
 
8. Development of Maithili Magazines and Journals
मैथिली पत्र-पत्रिकाक विकास
  
Paper – II
Answers must be written in Maithili
 
The paper will require first-hand reading of the prescribed texts and will test the critical ability of the candidates.
Part-A
 
1. Vidyapati Geet-Shati – Publisher : Sahitya Akademi, New Delhi (Lyrics – 1 to 50)
विद्यापति गीत-शती – प्रकाशकः साहित्यक अकादमी, नई दिल्ली (गीत १ सँ ५० धरि)
 
2. Govind Das Bhajanavali – Publisher : Maithili Acadamy, Patna (Lyrics – 1 to 25)
गोविन्द दास भजनावली – प्रकाशकः मैथिली अकादमी, पटना (गीत – १ सँ २५ धरि)
 
3. Krishnajanm – Manbodh
कृष्णजन्म – मनबोध
 
4. Mithilabhasha Ramayana – Chanda Jha (only Sunder-Kand)
मिथिलाभाषा रामायण – चन्दा झा (मात्र सुन्दरकाण्ड)
 
5. Rameshwar Charit Mithila Ramayan – Lal Das (only Bal-kand)
रामेश्वर चरित मिथिला रामायण – लाल दास (सिर्फ बालकाण्ड)
 
6. Keechak-Vadh – Tantra Nath Jha.
कीचक-वद्ध – तंत्र नाथ झा
 
7. Datta-Vati – Surendra Jha ‘Suman’ {only 1st and 2nd Cantos}.
दत्तवती – सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ (मात्र पहिल आ दोसर भाग)
 
8. Chitra-Yatri
चित्रा – यात्री
 
9. Samakaleen Maithili Kavita – Publisher : Sahitaya Akademi, New Delhi .
समकालीन मैथिली कविता – प्रकाशकः साहित्य अकादमी, नई दिल्ली
 
Part-B
10. Varna Ratnakar – Jyotirishwar (only 2nd Kallol)
वर्ण रत्नाकर – ज्योतिरिश्वर (दोसर कल्लोल)
 
11. Khattar Kakak Tarang – Hari Mohan Jha
खट्टर काकाक तरङ्ग – हरि मोहन झा
 
12. Lorik–Vijaya – Manipadma
लोरिक विजय – मणिपद्म
 
13. Prithvi Putra – Lalit
पृथ्वीपुत्र – ललित
 
14. Bhaphait Chahak Jinagi – Sudhanshu ‘Shekhar’ Choudhary
भफाइत चाहक जिनगी – सुधांशु शेखर चौधरी
 
15. Kriti Rajkamlak – Publisher : Maithili Academy, Patna (First Ten Stories only)
कीर्ति राजकमलक – प्रकाशकः मैथिली अकादमी, पटना (पहिल १० कथा मात्र)
 
16. Katha–Sangrah – Publisher : Maithili Academy, Patna
कथा-संग्रह – प्रकाशकः मैथिली अकादमी, पटना
 
Question Papers of Maithili
विभिन्न साल मे मैथिलीक पहिल आ दोसर पत्र मे पूछल गेल प्रश्न सब एहि लिंक सँ डाउनलोड करू आ एकर अभ्यास जरूर करूः

 

प्रश्नक अध्ययन सँ उत्तर लिखबाक अभ्यास करय मे बहुत आसानी होइत छैक। संगहि निर्धारित समयक भीतर बेसी सँ बेसी युक्तिसंगत जवाब लिखनाय संघ लोकसेवा आयोग केर परीक्षा मे बड बेसी जरूरी छैक। प्रश्नपत्र (प्रथम पत्र) केर एकटा उतार निम्न रूप मे राखल गेल अछि।

साभारः https://www.upsc.gov.in/sites/default/files/MAITHILI-I.pdf

मैथिली

पेपर I

(Literature)

Time Allowed: 3 Hours                                                  Maximum Marks: 250

Question Paper Specific Instructions

Please read each of the following instructions carefully before attempting questions:

There are EIGHT question divided in TWO SECTIONS.

Candidate has to attempt FIVE questions in all.

Questions no. 1 to 5 are compulsory and out of the remaining, any THREE are to be attempted choosing at least ONE from each section.

The number of marks carried by a question / part is indicated against it.

Answers must be written in MAITHILI.

Word limit in questions, wherever specified, should be adhered to.

Attempts of questions shall be counted in sequential order. Unless struck off, attempt of a question shall be counted even if attempted partly. Any page or portion of the page left blank in the Question-cum-Answer Booklet must be clearly struck off.


SECTION A

Q1. निम्नलिखित पउ टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि):                                               10 x 5 = 50

(a) तिरहुताक महत्त्व                                                                                                          10

(b) प्राचीन मैथिलीक विशेषता                                                                                            10

(c) संस्कृत ओ मैथिलीक सम्बन्ध                                                                                        10

(d) ‘प्रयत्नलाघव’क विशेषता किछु उदाहरणक संग                                                            10

(e) ‘अवहठ्ठ’क ऐतिहासिक स्वरूप-विवेचन                                                                        10

Q2. (a) पूर्वांचल-भाषा मे मैथिलीक बांग्लाक संग सम्बन्ध स्थापित करू।                             20

       (b) मध्यकालीन मिथिलाक सामाजिक, सांस्कृतिक आदि परिस्थितिक परिचय ज्योतिरिश्वरक जाहि ग्रंथसँ               प्राप्त होइत अछि, तकर युक्तियुक्त विवेचन करू।                                                 15

       (c) भारोपीय भाषा परिवारक विश्लेषणक क्रममे मैथिलीकेँ कतए पबैत छी? सयुक्ति प्रतिपादित करू।                                                                                                                                               15

Q3. (a) बोली कोन-कोन परिस्थिति मे भाषाक रूप ग्रहण करैत अछि?                             20

       (b) भाषाक स्वरूपक विवेचन करू।                                                                          15

       (c) भाषाक उत्पत्तिक चर्चा करैत स्पष्ट करू, जे भाषावैज्ञानिक अथवा शोधकर्त्तालोकनि कोन सिद्धान्त केँ

             सर्वाधिक प्रामाणिक मानलन्हि।                                                                             15

Q4. (a) भाषा परिवर्त्तनशील अछि, एकर कारण पर प्रकाश दिअ।                                     20

       (b) मैथिलीक सर्वनामक विषयमे लिखू।                                                                      15

       (c) मैथिली एक स्वतंत्र ओ समृद्ध भाषा थीक, ‘भाषा’क कसौटी पर एकरा प्रमाणित करू। 15

SECTION B

Q5. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि) :                                 10 x 5 = 50

        (a) मैथिलीक लघुकथाक विवेचन करू।                                                                  10

        (b) मैथिली उपन्यासक रूपरेखा प्रस्तुत करू।                                                         10

        (c) असमक अंकीयनाटकक विवेचन करू।                                                             10

        (d) विद्यापतिक लोकप्रियता पर प्रकाश दिअ।                                                          10

        (e) कवीश्वर चन्दा झा ओ लालदासक रामायणक तुलनात्मक विवेचन करू।              10

Q6. (a) ‘वर्णरत्नाकर’क साहित्यिक महत्त्व पर प्रकाश दिअ।                                            20

        (b) गोविन्ददासक रचना ‘नारिकेरफलसम्मित’ अछि, एहि उक्तिकेँ चरितार्थ करू।   15

        (c) ‘दत्तवती’क महाकाव्यत्व प्रमाणित करू।                                                           15

Q7. (a) मैथिली साहित्यक काल-विभाजनक प्रसंग विभिन्न विद्वानक मतक समीक्षा करू। 20

       (b) मैथिली नाट्य परम्परामे नेपालक योगदान अछि। ज्ञापित करू।                           15

       (c) मैथिली भाषाक आदिकालीन स्वरूप पर विचार करैत अपन मतसँ अवगत कराउ। 15

Q8. (a) मैथिलीक विकासमे ‘मिथिलामिहिर’क विशिष्ट योगदान अछि, सिद्ध करू।           20

       (b) मैथिली लोकगाथा पर प्रकाश दिअ।                                                                     15

       (c) मिथिला समाजमे व्याप्त वैवाहिक समस्याकेँ दूर करबाक हेतु कोन-कोन रचनाकार द्वारा प्रयास

             कएल गेल?                                                                                                         15

मैथिलीक प्रश्नक सुची ऊपर मे देल गेल लिंक सँ विभिन्न साल केर लेल जा सकैत अछि।

आब आउ देखी जे मैथिलीक तैयारी लेल कि सब करबाक चाहीः

साभारः https://testbook.com/ias-preparation/maithili-literature-syllabus/

मैथिली साहित्य ऐच्छिक विषय केर रूप मे एकटा अवसर केर रूप मे मानल जाइत अछि। एहि सँ उम्मीदवार अपन स्कोर केँ उल्लेख्य रूप सँ बढेबाक आशा रखैत छथि। एहि विषय संग अपन परिचिति आ कुशल योग्यताक लाभ सहजहि उम्मीदवार उठेबाक सोच रखैत छथि। गैर-मैथिलीभाषाभाषी द्वारा एहि भाषा मे कोनो तरहक प्रतिस्पर्धा नहि रहबाक गूढ तर्क केर लाभ हिनका सब केँ भेटैत छन्हि। लेकिन मैथिली साहित्य मे देल गेल सिलेबस पर नीक पकड़ बनेलाक बादहि एहेन लाभ उठायल जा सकैत अछि से सुनिश्चित अछि। एतय किछु महत्वपूर्ण टिप्स (सुझाव) देल जा रहल अछिः

१. निर्धारित पाठ्यक्रम आ पाठ्यपुस्तक सँ पूर्ण रूप सँ परिचित होयबाक लेल मुख्य पोथी सब केँ पूरा-पूरी पढि लियऽ। निर्धारित पोथी सब केँ बिना पढने नीक स्कोर नहि आबि सकैत अछि।

२. साहित्यिक कार्य केँ समग्र मे बुझिकय अपन स्वयं केर विचार (ओपिनियन्स) संग ओकर अर्थ-विश्लेषण, आलोचनात्मक विश्लेषण आ समग्र विश्लेषण पर पकड़ बनाउ।

३. जेहेन साहित्य जाहि समय मे लिखल गेल छल ताहि सँ लैत आजुक समयक सामाजिक-राजनीतिक अवस्था सब केँ नीक सँ बुझैत वर्तमान समय ओकर कि-कतेक प्रासंगिकता रहि गेल अछि ततेक गहींर विश्लेषण होयब आवश्यक अछि।

४. कोनो लेख केर लेखकक सामाजिक अवस्था केँ सेहो बुझब जरूरी अछि जाहि सँ ओहि लेख आ लेखकक साहित्यिक सृजनक पाछाँ कोन-कोन तत्त्व प्रेरणा प्रदान कयलक अथवा ओहि तरहक साहित्य सृजनक आधारविन्दु बनल से बुझनाय जरूरी होइछ।

५. विगत वर्ष मे पूछल गेल प्रश्न सभक उत्तर लिखबाक नीक अभ्यास करू जाहि सँ प्रश्नक स्तर आ अपन तैयारी मे बेस सहयोग भेटत।

६. निर्धारित समयक भीतर मे युक्तिसंगत जवाब लिखबाक लेल बेसी सँ बेसी प्रश्न जवाब लिखबाक अभ्यास करू। समय संग समुचित तथ्य आ विश्लेषण लिखबाक कला बड पैघ सहयोगी होयत।

७. तैयारी लेल एकटा निश्चित योजना बनाउ आर ताहि पर दृढतापूर्वक निष्पादनक काज करू।

८. एक्कहि तरहक साहित्यिक आलेख पर अलग-अलग लोकक विश्लेषण केँ पढू आ बुझू – एहि तरहें अहाँ स्वयं केर ठोस आ सुदृढ आकलन-विश्लेषणक निर्माण करैत अन्तिम निष्कर्ष धरि पहुँचि सकब। एहि लेल विभिन्न सन्दर्भ पुस्तक (रेफरेन्स बुक्स) सभक अध्ययन-मनन जरूरी अछि।