देशक पहिल मैथिली प्रज्ञा भवनक निर्माण जनकपुर में शुरू

शुभ समाचार – एहि सँ नमहर आ सुन्दर आन कोनो योजना नहि भ सकैत अछि। मुंह सँ केवल वाह आ बस वाह वाह निकलि रहल अछि। वाह निकलबाक दु गोट कारण, एक जे कीर्तिपुरुष जिवनाथ भाइजी अर्थात मैथिली विकास कोष जनकपुर केर ई वृहत योजना केँ साकार रूप भेटब आरम्भ भेल जे नेपालदेशक पहिल ठोस आ दीर्घकालिक पहल छी आ दोसर जे एकर जानकारी लोकसाहित्य के सुमधुर भाषा व शैली में स्वयं याज्ञवल्क्य रूपी मनीषी परमेश्वर कापड़ि देलनि अछि। वाह आ वाह वाह!!👍👍👍💐💐💐😊

समाचार विस्तार सँ:

जनकपुर में आरम्भ भेल मैथिली प्रज्ञा भवनक निर्माण

साभार परमेश्वर कापड़ि, जनकपुर

शुभे हे शुभे

लहदह शुभ सुखद ऐतिहासिक बात देखाइ द’रहल अछि जे जनकपुरक ज्ञानकूपक सटले पुरूब,ई महा ऐतिहासिक भव्य ‘मैथिली प्रज्ञा भवन’, हबर-दोबर भारी-भरखम योजना, बजेटमे बनि रहल अइ, तकरे तरका शिलान्याशीत ‘फाउनण्डेशन’क, अगह-बिगह मजगूत निर्माणरूप देखाइ द’ रहल अइ ।

मिथिला मैथिलीक नव संरचना विकास,  मैथिली भाषा-साहित्य, कला-संस्कृति, नाट्य, आम-संचार सहित टिभी -एफएम, रेकर्डिङ फिल्मांकन, प्रकाशन ओ अति विशिष्ट आधुनिक सेवा-सुविधाबला पुस्तकालय, रिसर्च-सेन्टर,  1000 संख्याक सभाकक्ष, नाट्य कला प्रदशर्शन कक्ष, गेष्टहाउस आदिक आगबैत, सुविधाबला, एहि प्रज्ञा भवनके, समग्र सृजना रचनाधर्मिताक उत्साहित पूण्यपीठक रूपमे, विकास करबाक योजना रहल बात, एकर विकास निर्माणमे,  प्रमुख, महत्वपूर्ण रूपस’ , लागल महान मैथिली अभियानी, सेवी, मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष, जीवनाथ चौधरी जनौलनि ।

ई कते लम्वा-चौडाक, कते कोठलीक, कते महलके बनत से  त’ एखने नै कहल जा सकैछ । कारण ई एखन निर्माणाधीन अइ बनैत जायत । आ देखिए रहछिऐ जे ई बढकी लग्गाक चारि-पाॅच कट्ठामे, भूकम्प, बम-प्रूफ गिरिदा गरोरमे, चाकर चौसर दूबगली सिरही आ लिफ्टक नियार-सिरखारस’, एकर भव्यताक  अनुमान कएले जा सकैछ ।
बहुत शुभ-शुभ क’ मिथिला-मैथिली कला प्रज्ञा पीठक,  अनेकानेक अग्रीम  अगाउत आगबैतबला, ऐ परम ऐतिहासिक भवनक संरचना निर्माणमे सब सकारात्मक रचनात्मक लोक, शक्तिक सद्भाव सहयोग प्राप्त होइत रहए ।

जय मिथिला ! जय मैथिली !!

महत्वपूर्ण टिप्पणी:

1. स्वयं जिवनाथ भाइजी लिखलखिन्ह –

🙏🙏🙏🙏
बहुत बहुत आभार सर । एहि निर्माण कार्यमे प्रदेश २ सरकारक भौतिक पुर्बाधार बिकास मन्त्री माननीय जितेन्द्र सोनल जि , आर्थिक मामिला मन्त्री माननीय बिजय यादव जि , नेपाली काङ्ग्रेस संसदीय दलक नेता माननीय रामसरोज यादव , रामबिनोद चौधरी लगायतक  बहुत बेसि सहयोग अईछ ।

2. मैथिली विकास कोष जनकपुर केर सचिव व योजनाकार परिकल्पक श्यामसुन्दर शशि कहलखिन्ह –

सम्पूर्ण सहयाेगी हाथप्रति आभार । निर्मान काज सुरु भेल अछि । थप सहयाेगक अपेक्षा । अध्यक्ष जीवनाथजी अथक मेहनतिके प्रशंसा करय चाहब । शुभम्

3. स्वयं कापड़ि सर जोडलखिन्ह, जिवनाथ भाइजी प्रति सम्बोधित भ –

प्रदेश सरकारक स्वीकृति आ बजेटीय सहयोग आ एतुके राजनेतालोकनिक सद्भाव सहयोग उल्लेख्य, महत्वपूर्ण छैहे आ निश्चिते रहबो करति । ओइ बेगर त’ चलबे, बनबे नै करतै ।
अहाॅ एकर परिकल्पना, परियोजनामे अपने अग्रसर छिऐ, से हमर कहब छल ।

4. श्री परमेश्वर गुप्ता जी के मनोबल बढाबय वला टिप्पणी –

बहुत निक याेजना मिथिला अा मैथलिक लेल, याेजना तथा डिजायन के खाका तैयार हाेवाक चाही जाहिस जानल जा सकैत अछि भबिष्यक अाधार! कार्य अति शिघ्र पुरा हाेय तेकर कामना। जय श्री जानकी, जय जनकपुरधाम।

5. श्री चंद्रिका ठाकुर जी से मनोबल बढेलनि –

सफलताक शुभकामना । नीक याेजना । उतम काज  मे सहयाेग करबाक प्रतिबद्धता। कहलहुँ जे सब गाेटे  सहयाेग करू । सफलता हाेय । जय किशाेरी जी ।