“मातृभाषा”

227

– दीपिका झा                                       

अंतरराष्ट्रीय मातृभाषा दिवस के बहुत-बहुत शुभकामना!!💐💐
मैथिली के जुनि भाषा क बूझू,
ई हृदय सं हृदय के डोर अछि।
मधुरता जै बोली में समाहित,
अई प्रेमक नहिं कोनो छोड़ अछि।
माईयक मुंह के अछि बोली ई,
ममता सं भरल, वैह कोर अछि।
अछि शपथ अहांक जन्मभूमि के,
मैथिली बाजू, ई आग्रह पुरजोर अछि।।