रमेश बाबु – एक अरबपति नौआ

ramesh babu billionaireकहबी छैक जे ब्यापार जँ धारि गेल तऽ मिनटो मे करोड़पति बनि सकैत छी। दूरदृष्टि, ईमानदारी, कड़ा मेहनत – ई सब लक्षण सँ कोनो ब्यापारी सफलताक मुह देखैत अछि। बंगलोर निवासी नौआ रमेश बाबु एकर प्रत्यक्ष उदाहरण अछि। एहेन गलाकट प्रतिस्पर्धाक माहौल मे एकटा साधारण ब्यापार सँ ओ कतेक पैघ उदाहरण ठाढ केलक अछि जे सबहक लेल अनुकरणीय छैक। रमेश केस कटिंग आ स्टाइलिंग केर अति साधारण ब्यापार सँ शुरु केलक, आइ ओकरा पास अकूत संपत्ति छैक आ ओ भाड़ा पर कार उपलब्ध करेबाक ब्यापार सेहो चलबैत अछि जाहि मे ओकरा पास करीब ६७ टा कार उपलब्ध छैक। रमेश बाबु कहैत अछि, “कोहुना कऽ हमर काज सुतैर गेल”। रमेश अपन मृदुल व्यवहार आ केस कटिंग तथा स्टाइलिस्ट केर रूप मे अति-साधारण प्रतिभा सँ सलमान खान, आमीर खान आ ऐश्वर्या राय बच्चन समान स्टार कलाकारक संग-संग एक सँ बढिकय एक राजनेता, सेना अधिकारी सबहक चहेता नौआ बनबाक सौभाग्य प्राप्त केने अछि।

रमेश बेसीकाल अपन कार्यस्थल पर लगभग ३.१ करोड़ मूल्यक रौल्स रायस घोस्ट कार मे अबैत अछि। ओ अपन गाड़ीकेँ अपन अनमोल ग्राहक केर सेवा करय समाने रेखदेख करैत अछि। बंगलोर सिटी मे एहेन लक्जरियस कार मात्र आरो ५ गोटाक पास छैक। रमेश बाबु अपन कठिन परिश्रमक कमाई सँ ई कार किनने छल। सैलून सँ ओकर आमद बड खास नहि छैक, मुदा आरामदेह महंगा गाड़ीक ब्यापार सँ बेहतर आमदनी कमाइत अछि। एहि तरहें ओ भारतक सर्वाधिक संपत्तिशाली केस श्रृंगारक केर रूप मे प्रसिद्धि पबैत अछि। जखन कि १९८९ मे ओकर समय बड नीक नहि छलैक। रमेश बड छोटे छल तखनहि ओकर पिता जे एकटा सैलून केर मालिक छलाह तिनकर मृत्यु भऽ गेल छलनि आ रमेशक पास मात्र वैह दोकान टा ओ छोड़ि गेल छलाह। रमेशक माय ओहि दोकान केँ ५ रुपया प्रतिदिनक भुगतानी पर ओकरा भाड़ा पर दोसराक हाथे छोड़ि स्वयं घरेलू कामकाज मे सहायिकाक काज धय अपन गुजारा करय लागल छलीह।

“हमरा ओ दिन आइयो याद अछि जहिया पिता हमरा सबकेँ एहि केस कटेबाक दोकान छोड़ि स्वर्ग सिधारि गेल छलाह”, कनेक कानय सन आवाज मे ओ याद करैत अछि। १९९४ मे, रमेश अपन पढाई छोड़िकय पिताक दोकान चलेबाक निर्णय लेलक। सैलून जेकर नाम  ईनर स्पेस छलैक ओ रमेशक विद्यालय सँ सटले सापिंग कम्प्लेक्स मे छलैक। ओ कनेकबा दिन मे स्कूली बच्चा सबहक केस श्रृंगारक रूप मे प्रसिद्धि पाबि गेल। सैलूने चलबैत ओकरा एकटा कार कीनबाक शख भेलैक। ३ साल बाद बाबु मारुति ओमनी कार कीन लेलक जे लोक सबकेँ सेहो भाड़ा पर लगाबय आ अपनहु चढय। यैह ओकर जीवन केर टर्निंग प्वाइन्ट बनि गेलैक। ओकर मायक एक नियोक्ता जे इन्टेल कंपनी मे कार्यरत छलीह रमेश केँ ओहि कार केँ इन्टेल कंपनीकेँ भाड़ा पर लगेबाक लेल कहलीह। कार भाड़ाक ब्यापार सँ आमदनी काफी नीक मात्रा मे होइत छलैक जे सैलून केर आमदनी संग रमेशक उत्साह बढबैत रहलैक। जेना-जेना ओकर प्रसिद्धि पसरैत गेलैक, तहिना ओकर कार रेन्टल ब्यापार सेहो बढैत गेलैक। १९९० केर अन्त मे रमेश टूर्स एण्ड ट्रेवेल्स नाम सँ ओकर एकटा सफल टैक्सी संचालन ब्यापार ठाढ भऽ गेल छलैक। २००४ मे सरकार द्वारा पर्यटन क्षेत्र खोललाक बाद रमेश अपन ब्यापारकेँ विस्तार लक्जरी कार रेन्टल दिशि मोड़ि स्वयं-गाड़ी-चलाउ ब्यापार जोड़ि फेर कहियो पाछू मुंहें नहि तकलक। ओ पहिले एकटा मर्सडिज ई क्लास मे लगानी केलक, ओकर दाम करीब ३८ लाख पड़ल छलैक। संख्या बढैत गेलैक आ आब ३ टा आरो मर्सडिजक संग ४ बीएमडब्ल्यु आ दर्जनो टा टोयोटा ईनोवा ओकरा पास भऽ गेलैक। आइ ओकरा पास करीब २०० कार छैक, जाहि मे इम्पोर्टेड रौल्स रायस सिल्वर घोस्ट, मर्सडिज सी, ई आ एस क्लास तथा बीएमडब्ल्यु ५, ६ तथा ७ सिरीज सेहो छैक। ओकरा पास इम्पोर्टेड मर्सडिज वैन तथा टोयोटा मिनी बस केर सेहो बहुत रास गाड़ी मौजूद छैक।

“ई हमर शखिया आदैत अछि। हम ताबत धरि केस कटिंग-स्टाइलिंग केर कार्य एक नौआ बनिकय करैत रहब जाबत हमरा हाथ मे ताकत अछि।” अपन नौआ हेबाक बात पर रमेश अपन प्रतिक्रिया एहि अन्दाज मे दैत अछि। आश्चर्यरूपे रमेश रौल्स रायस केर एक दिनक चार्ज ७५ हजार रुपया रमेश लैत अछि आ ओकर ग्राहक बेसीतर बड़का नामीगिरामी लोक तथा बोलीवूड आ टोलीवूड केर स्टार्स सब होइत छैक। रमेश लंग मात्र कारहि टा नहि बल्कि एकटा १६ लाख दामक सुजुकी इन्ट्रूडर बाइक सेहो छैक जेकरा ओ स्वयं सप्ताहांत मे निजी कार्य लेल प्रयोग मे अनैत अछि। एतेक संपत्तिशाली भेलाक बादो ओ अपन जैड़ केँ नहि बिसरलक अछि। ओ मात्र ६५ रुपया मे अपन नित्यक ग्राहक केर केस बनबैत अछि। “हम जखन जे केलहुँ, बस नीक केलहुँ, एतबी कहि सकैत छी”, हँसैत ओ अपन सफलताक श्रेय नीक सोच अनुसार कर्म करबाक बात केँ दैत अछि।