विराटनगर सँ मैथिली मासिक पत्रिका ‘मिथिला टाइम्स’ केर पुनर्प्रकाशन भेल आरम्भ

मिथिला टाइम्स केर पुनर्प्रकाशन प्रारम्भ - विराटनगर सँ प्रकाशित मैथिली मासिक पत्रिका - सम्पादक रामरिझन यादव

१० सितम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!

सूचित करैत अपार हर्ष भ रहल अछि जे मिथिला टाइम्स आब विराटनगर सँ रेगुलर प्रकाशित होयत। ई जनतब सम्पादक-प्रकाशक रामरिझन यादव सर सँ भेटल। लगभग 25 वर्ष पहिने एकर प्रकाशित अंक सँ हमरा प्रथम दर्शन भेल छल। ओना उपलब्ध जानकारी अनुसार 29 वर्ष भ गेल एहि पत्रिका के आयु। मोरंग जिला प्रशासन कार्यालय दर्ता नम्बर 70/048-49 अन्तर्गत पंजीकृत मैथिली पत्रिका विराटनगर केर इतिहास में अपन अलग सम्मान रखैत अछि।
एक बेर फेर एहि नव आर्थिक वर्ष २०७७-७८ सँ एकर पुनर्प्रकाशन निरन्तरता मे आयल, एहि सँ अधिक प्रसन्नताक समाचार कम सँ कम मैथिली लेल किछु नहि भऽ सकैत छैक। पूर्व मे प्राध्यापन करैत मातृभाषा मैथिलीक सेवा लेल एकर प्रकाशन आरम्भ करबाक बात कहैत छथि सम्पादक-प्रकाशक रामरिझन यादव सर। कोनो भाषाक आयु तखनहि सुदीर्घ आ उपयोगिता सुदृढ होइत छैक जखन ओहि भाषा मे संचारकर्म कयल जाय। ईहो सत्य छैक जे मैथिलीक संचारकर्मक इतिहास मे साहित्यिक-वैचारिक लेखादिक भरमार त रहलैक, लेकिन जन-जन मे भाषाक पहुँच आ उपयोगिता केँ बढाबयवला समाचार आ अन्य सरोकार जाहि प्रति सभक जुड़ाव पत्र-पत्रिका सँ होइतय से कम भेलैक। तेँ श्री यादव संचार क्षेत्र मे आगाँ बढेबाक लेल साहित्य आ विचारमूलक आलेखक संग समाचार सहितक संचारकर्म लेल प्रथम मैथिली पत्रिका ‘मिथिला टाइम्स’ केर प्रकाशन एहि विराटनगर सँ कयलनि।
कतेको वर्षक बाद २०१९ मे आयोजित सत्रहम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन विराटनगर मे एहि पत्रिकाक एक विशेषांक केर प्रकाशन कयल गेल छल आर तहिये सँ एकर पुनर्प्रकाशन लेल नियार आरम्भ भेल जे आब हमरा सभक सोझाँ साकार रूप मे पहिल अंक प्रदान कय देलक अछि। एकर दोसर आ तेसर (मासिक) अंक सेहो जल्दिये हमरा सभक हाथ मे होयत। एकर वार्षिक ग्राहक बनेबाक लेल हमहुँ कृत-संकल्पित छी। शुरुआत २५ गोटे सँ करब। सालाना ५०० टका नेपाली मे वार्षिक ग्राहक, ३०० टका मे छमाही ग्राहक बनल जा सकैत अछि। एखन केवल नेपालहि भरिक ग्राहक बनथि, लौकडाउन टूटलाक बाद भारतहु सँ एकर ग्राहक बनेबाक काज करब।
विदित हो जे ‘मिथिला टाइम्स’ अपन उच्चस्तरीय लेख-संग्रहक संग सब हिसाबे उच्चस्तरीय कार्य करबाक लेल जानल जाइत अछि। मैथिली मे एहि स्तरक कार्य विरले भेटैत अछि।
नेपाल सँ हमर सम्पूर्ण मित्र मंडली सँ अपील:
मिथिला टाइम्स मासिक पत्रिका केर ग्राहक बनू।
अपने सेहो एकर एक ग्राहक बनी। कृपया वार्षिक ग्राहक शुल्क 500 टका एहि खाता पर पठाबी:
मिथिला टाइम्स,
राष्ट्रीय वाणिज्य बैंक, सिरहा शाखा,
चालू खाता न. 213000927601
अपन नाम-पता आ ग्राहक शुल्क केर बैंक वाउचर ई मेल द्वारा जनतब कराबी [email protected] phone number: +9779801536636, +9779851136636, श्री रामरिझन यादव, सम्पादक प्रकाशक, पता: मिथिला टाइम्स कार्यालय, विराटनगर-10, मोरंग, नेपाल।
हरिः हरः!!