मैथिली-मिथिला अभियानी, विद्वान् तथा समाजसेवी डा. सत्यनारायण महतोक अभिनन्दन ग्रंथक लोकार्पण

डा. सत्यनारायण महतो केर अभिनन्दन ग्रंथ भोलानाथ रचित 'सत्यनारायण' केर विमोचन समारोहपूर्वक दलसिंहसराय मे संपन्न

satyanarayan mahato smrutiदलसिंहसराय सँ प्रो. उदय शंकर मिश्र जनौलनि अछि जे आइ सुप्रसिद्ध मैथिलीसेवी – मिथिला राज्य अभियानी डा. सत्य नारायण महतो केर जीवन पर आधारित अनेको घटना-परिघटना, सामाजिक, सांस्कृतिक व राजनैतिक योगदान आदिकेँ समग्र संग्रह रूप सहित श्री भोलानाथ मधुकर रचित अभिनन्दन ग्रंथ केर लोकार्पण समारोहपूर्वक कैल जा रहल अछि। एहि ग्रंथक नाम ‘सत्यनारायण’ राखल गेल अछि। विदित हो जे राउरकेला मे कार्यरत डा. महतो सदैव अपन मातृभाषा मैथिली तथा मातृभूमि मिथिला प्रति एक सँ बढिकय एक महान योगदान दैत भारत सरकारक सोझाँ पृथक् मिथिला राज्य केर गठनक प्रस्ताव सेहो मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्षक रूप मे दय चुकल छथि। हिनकर मानब स्पष्ट अछि जे बिहार राज्य मे रहैत मिथिला क्षेत्रक समग्र विकास आ पूर्ववत् प्रखरता संभव नहि होयत, ताहि हेतु मिथिलाक अपन सपुत सब मिलिकय केवल मिथिलाक विकास लेल राज्य संचालन करैथ तखनहि टा कोनो भविष्यक निर्माण समुचित ढंग सँ होयत। भारत सरकार समक्ष अनेको बेर ज्ञापन दैत डा. महतो एहि लेल कतेको बेर धरना तथा प्रदर्शनक संग सामाजिक जागृति सेहो जोर पकड़य ताहि लेल प्रयासरत रहैत अयला अछि।

दलसिंहसराय (समस्तीपुर) केर निवासी डा. सत्यनारायण महतो अपन विद्यार्थी जीवन सँ लैत पेशागत जीवनकाल मे सेहो प्रखर राष्ट्रसेवक केर रूप मे सेवा योगदान कएलनि। अपन नौकरी सँ अवकाशप्राप्त करबा सँ पहिनहि सँ कर्मठ समाज सेवक केर रूप मे ख्याति कमौनिहार डा. महतो अवकाशप्राप्त केलाक बाद आरो सक्रियता सँ मातृभूमिक सेवा मे लागि गेलाह। आइ हिनकर जीवनक विभिन्न पहलू केर नीक संकलनक संग प्रकाशित भेल अभिनन्दन ग्रंथक लोकार्पण मे स्वयं प्रो. उदय शंकर मिश्र एक सहकर्मी केर रूप मे १९८५ सँ मैथिली तथा मिथिला लेल संघर्षक अपार अनुभवक संग समारोह मे उपस्थित छथि। तहिना एहि अवसर पर डा. महतोक अनन्य मित्र एवं सहयात्री मैथिली तथा मिथिला प्रकाण्ड सेवक डा. बुचरु पासवान सेहो उपस्थिति देखा रहल छथि। अखिर भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक संस्थापक तथा मिथिल राज्य संयुक्त संघर्ष समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजु सहित स्थानीय बुद्धिजीवी समाज तथा विद्वानजनक उपस्थिति मे ई समारोह भव्यतापूर्वक दलसिंहसराय मे आयोजित कैल गेल अछि। समारोह समाचार लेखन करबा धरि निरंतरता मे रहबाक कारण विशेष जानकारी मैथिली जिन्दाबाद पर दोसर अपडेट द्वारा प्रकाशित कैल जायत।

मैथिली जिन्दाबाद केर संपूर्ण कार्यटोलीक तरफ सँ सम्मानित स्रष्टा डा. सत्यनारायण महतो सहित ग्रंथ-रचनाकार भोलानाथ जी व समस्त उपस्थित महानुभाव लोकनि केँ मैथिली तथा मिथिला प्रति निरंतर योगदान देबाक प्रतिबद्धता केँ बेर-बेर प्रणाम करैत कार्यक्रमक सफलता लेल शुभकामना दैत अछि। प्रो. उदय शंकर मिश्र केँ सेहो समाचार संप्रेषण हेतु हृदय सँ धन्यवाद!!