दरभंगा सहित कुल चारि मिथिलाक्षेत्रीय सांसद भेंट कयलनि केन्द्रीय मंत्री पियूष गोयल सँ

५ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिलाक्षेत्रक ४ गोट सांसद भेंट कयलनि रेलवे मंत्री गोयल सँ

जागि रहला अछि मिथिलाक्षेत्रक माननीय सांसद, निरन्तर उठा रहल छथि विकास केर मांग

मोदी सरकार २ सिर्फ बात नहि बल्कि विकास केर काज करबाक लेल वचनबद्ध सरकार थिक। आर एहि बेर करारा जनादेशक संग एनडीए केर सांसद लोकनि निर्वाचित भऽ सदन मे पहुँचला अछि। सभ पर अपन क्षेत्र केर समुचित विकास लेल आवश्यक ध्यान पहुँचेबाक जरूरत छन्हि। एहि बीच दरभंगा सँ सांसद माननीय गोपाल जी ठाकुर सोशल मीडिया मार्फत खबरि देलनि अछि जे हुनका सहित अररिया सँ सांसद प्रदीप सिंह, मधुबनी सँ सांसद डा. अशोक कुमार यादव तथा शिवहर सँ सांसद रमा देवी हालहि केन्द्रीय मंत्री पियूष गोयल सँ भेंट कय मिथिलाक्षेत्र सँ जुड़ल अनेकों मांग सहितक ज्ञापन पत्र सौंपलनि अछि।

बकौल सांसद गोपाल जी ठाकुर काल्हि दिल्ली मे केंद्रीय रेल और वाणिज्य एवं उद्योग मंत्री पियूष गोयल Piyush Goyal सँ भेंटघांट कय दरभंगा सहित मिथिलांचल केर सर्वांगीण विकास हेतु विभिन्न विषय पर ज्ञापन सौंपल गेल अछि। * दरभंगा केर सब रेलवे लाइन केर ऊपर ओवरब्रिज निर्माण केनाय, * गाड़ी संख्या 12569 तथा 12570 जयनगर सँ आनंद बिहार गरीब रथ एक्सप्रेस केँ प्रतिदिन चलेनाय, * डिब्रूगढ़ सँ नई दिल्ली राजधानी एक्सप्रेस केँ बरौनी, समस्तीपुर, दरभंगा, रक्सौल, गोरखपुर होइत नई दिल्ली तक चलेनाय, * सकरी सँ हसनपुर भाया बिरौल, कुशेश्वरस्थान अर्धनिर्मित रेल लाइन केँ पूरा केनाय, * दुरंतो या हमसफर रेलगाड़ी केँ दरभंगा सँ नई दिल्ली तक चलेनाय….. एकर संबंध मे ज्ञापन सौंपबाक जानकारी गोपाल जी ठाकुर द्वारा फेसबुक पोस्ट करायल गेल अछि। एहि अवसर पर ई लोकनि मंत्री जी केँ मिथिलाक पाग आ मिथिला चित्रकला सहितक दोपटा परिधान लगाकय सम्मान एवं कार्यकाल सफल रहबाक लेल शुभकामना देलनि सेहो स्पष्ट अछि।