मिथिलाक ब्राह्मण समुदाय मत्स्य-मांस भक्षण कियैक करैत छथि?

दर्शन-विचार

(पंडित महेन्द्र ठाकुर संग वार्ता पर आधारित)

मिथिलाक द्विजवर्ग पर एकटा आरोप लगबैत छथि अन्यत्रक विद्वान् जे ई लोकनि मत्स्य-मांस कियैक भक्षण करैत छथि।
 
एहि सन्दर्भ आइ प्रखर पंडित श्री महेन्द्र ठाकुर सँ किछु शिक्षा ग्रहण करबाक अवसर भेटल। ओ कहलनिः
 
द्विजा: शाक्ताः सर्वेप्रोक्ताः न च शैव न वैष्णवा:
गायत्री उपासन्ते च वेदमातरं,
यतीनां अश्वारूढ़म रजोमतीनां खटवारुढं
ब्राह्मणानां काष्टधारणम यत्नतः परित्यजेत॥
 
हम श्लोक सुनिकय लिखने छी। एकर शुद्धि-अशुद्धि पर नहि जायब। एतय स्पष्ट अछि जे एहि ठामक ब्राह्मण केँ नहि त शिव केर साधक कहल गेल अछि, नहिये विष्णु केर, बल्कि ओ शक्ति यानि माता केर आराधक छथि। माताक आराधक लेल शैव आ वैष्णव धर्म केर निर्वहन करब आवश्यक नहि अछि।
 
ओना, मांसाहार केँ बहुत दृष्टिकोण सँ उचित नहि मानल जाइछ आर ओ बहस अलग अछि। लेकिन धर्म आ मीमांसा मे जँ कियो सवाल ठाढ करैत छथि, तिनका वास्ते ई बुझब आवश्यक अछि जे मिथिलाक अपन परम्परा मे बहुत रास बात आन सँ भिन्न अछि।
 
आर बहुत रास गम्भीर आ गूढ रहस्य सभ पर प्रकाश देलनि। काली जी केर ओहि प्रतिमाक वर्णन कयलनि जाहि मे एक हाथ मे नरमुंड, दोसर मे तरुआरि, तेसर मे जपमुद्रा आ चारिम अभयदान करबाक मुद्रा मे अछि, ताहि समय शिव पर लात पड़िते जिह्वा बाहर करैत लज्जानुभूति मे अबैत छथि महामाया! आर विस्तार सँ पुनः लौटब!!
 
जय शिव प्रिये शंकर प्रिये जय मंगले मंगल करो
जय अम्बिके जय त्र्यंबिके जय चण्डिके मंगल करो
 
हरिः हरः!!