मिलाफ द्वारा भाषा-संस्कृति प्रति जागरुकता अभियान आब गाम-गाम मे

गाम-गाम मे मिलाफ द्वारा भाषा-संस्कृति प्रति जागरुकता अभियान

राजविराज, २६ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिलाक शहर सँ गाम-गाम मिलाफ

मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान नेपाल (मिलाफ नेपाल) केर अभियान आब शहर सँ गाम दिश प्रस्थान कयलक, एहि अभियानक क्रम मे पहिल आयोजन सप्तरी जिलाक छिन्नमस्ता गाउँपालिका वडा नम्वर १ मे कयल जेबाक सूचना मिलाफ सचिव विद्यानन्द बेदर्दी करौलनि अछि।  मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान नेपाल (MiLAF Nepal) केर वार्ड समिती गठन कऽ मैथिली भाषा कार्यान्वयन सम्वन्धी विभिन्न निर्णय सभ सेहो कयल जेबाक जानकारी बेदर्दी करौलनि।

उपरोक्त गाम मे कार्यक्रमक शुरुआत स्थानीय ग्रामीण महिला लोकनिक समूहद्वारा पारम्परिक गोसाईं गीत केर गायन आ रसन-चौकीकेर बाजा बजाकय कयल गेल। गामक एक दलान आ तेकर आंगन मे आम ग्रामीण महिला, पुरूष, धिया-पुता आ विशेष रूप सँ छात्र-छात्राक आम जनसहभागिता मे कयल गेल कार्यक्रमक उद्घोषक मिलाफक केन्द्रीय सदस्य शम्भू श्री केने छलाह। वार्ड अध्यक्ष विनोद कुमार यादवक अध्यक्षता तथा प्रतिष्ठानक संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्रक प्रमुख आतिथ्यमे मिलाफक केन्द्रिय सह-सचिव सुभाष विरपुरियाक विशेष सक्रियता मे शनि दिन २५ मई केँ सम्पन्न बैठक मे भाषा सम्बन्धी निर्णय सेहो कयल गेल। बैठक सँ १) वार्ड कार्यालयक नाम तिरहुता लिपिमे लिखबाक, २) वार्डक सीमान पर मैथिली मे स्वागतद्वार पर लेखनकार्य, आर ३) वार्ड अन्तर्गतक विद्यालय सभ मे मैथिली पढाई सुचारू करबाक निर्णय भेल।

उक्त बैठक मे सेवा निवृत्त शिक्षक अरुण कुमार यादवक अध्यक्षता मे प्रतिष्ठानक वार्ड समिति सेहो गठन कयल गेल । समितिक उपाध्यक्ष मे सिंहेश्वर मेहता, सचिव मे भुवनेश्वर यादव, कोषाध्यक्ष भुवनेश्वर राम, सह–सचिव मे दयानन्द मेहता, सदस्य सभ मे सरोज राम, कुशमा देवी यादव, अमिरका देवी यादव आ सावित्री देवी राम केर नाम चुनल गेलनि अछि।