भारत मे ‘मोदी सरकार’ फेर ५ वर्ष लेल प्राप्त केलक जनादेश – नेपालक प्रधानमंत्री ओली देलनि बधाई

२३ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपालक प्रधानमंत्री खड्ग प्रसाद शर्मा ओली अपन समकक्षी भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ आसन्न संसदीय चुनाव मे अत्यन पैघ जीत लेल बधाई ज्ञापन कयलनि अछि तथा आबय वला समय मे हुनका संग आर बेसी सामीप्यताक संग सहकार्य करबाक इच्छा प्रकट कयलनि अछि।
 
जहिना चुनावी परिणाम एहि बातक संकेत केलक जे नरेन्द्र मोदीक अगुवाई मे एनडीए भारी जीत हासिल करय जा रहल अछि, ताहि पर नेपालक प्रधानमंत्री ओली जी द्वारा ट्विट करैत उपरोक्त बधाई व शुभकामना ज्ञापित कयल गेल।
 
“हम पूर्ण गर्मजोशीक संग प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी जी केँ लोकसभा चुनाव २०१९ मे भारी जीत लेल बधाई दैत छी। संगह आगामी समय मे अहाँ संग नजदीक भऽ कार्य करबाक इच्छा रखैत छी।” प्रधानमंत्री ओली केर ट्विट मे कहल गेल।
 
 
भारतीय चुनाव आयोग द्वारा जारी आंशिक चुनाव परिणाम सँ स्पष्ट अछि जे एहि दशक केर सर्वाधिक लोकप्रिय नेताक रूप मे नरेन्द्र मोदी सफल सिद्ध भेलाह अछि, तथा भारत मे दोसर बेर ५ वर्ष लेल सरकार गठन करबाक जनादेश सेहो वैह प्राप्त करता।