सभासद पवन शारडाक तरफ सँ भूकम्प राहत कोष मे अतिरिक्त योगदान

pawan sharda contributing to relief work to nepal pmनेपाल मे आयल विनाशकारी भूकम्प सँ दसों हजार लोकक मृत्यु, लाखों लोकक बेघर होयब आ पराकम्पनक दहशति मे जियब विश्व परिवेश केँ मानवीय सहयोग राहत रूप मे पठेबाक लेल निरंतर प्रेरणाक संचयण कय रहल अछि। एहि बीच नेपाली सभासद व राजनेता लोकनि पर तरह-तरह केर आरोप सेहो लागि रहल अछि। खबैड़केँ सच मानल जाय तऽ एक सभासदक निजी गोदाम मे त्रिपाल चोराकय राखल अवस्था मे भेटल। भारतक सांसद सब अपन एक महीनाक तनख्वाह नेपाल भूकम्प राहत लेल दान मे देलनि तऽ एहिठामक ६०१ सांसद सेहो अपन एक महीनाक तनख्वाह राहत कोष मे दान करबाक इतिहास बनौलनि। उद्योगी-ब्यापारी सँ लैत समाजिक संघ-संस्था सबहक योगदान एहि राहत कार्य लेल जोर पर चलि रहल अछि।

उद्योगपति, नेपालक सबसँ पुरान ब्यापार-वाणिज्य चेम्बर – मोरंग ब्यापार संघकेर अध्यक्ष आ वर्तमान नेपाल संविधान सभाक सभासद पवन शारडा द्वारा आइ नेपालक प्रधानमंत्री केँ अपना तरफ सँ पूर्व मे सभासदक भाग देलाक बाद अतिरिक्त सहयोग राहत कार्य लेल सौंपलनि अछि। श्री शारडा एक प्रसिद्ध उद्योगी परिवार – लहान मूल केर विशुद्ध मारवाड़ी रहितो मधुर मैथिलीभाषी सेहो छथि। नेपाल मे शारडा ग्रुप सँ प्रसिद्ध औद्योगिक समूह अपन सामाजिक-सांगठनिक-जिम्मेवारीकेँ बखूबी निर्वाह करैत देशक विकास मे महत्त्वपूर्ण योगदान दैत रहल अछि। तहिना मैथिली भाषा व मिथिला संस्कृति लेल विराटनगर मे आयोजित विभिन्न कार्यक्रम मे सेहो हिनका लोकनिक सहयोग उत्कृष्ट रहैत अछि। वर्तमान विपत्तिक समय नेपाल भूकम्प राहत पीड़ित लेल कैल गेल एहि महान् योगदानकेर सराहना करैत श्री पवन शारडाक स्वर्णिम भविष्य लेल शुभकामना दैत अछि। संगहि हिनकहि समान आरो योगदानकर्ताक भूमिका सँ देश जल्दिये कठिन घड़ी सँ ऊबरय ताहि लेल ईश्वर सँ प्रार्थना करैत अछि।