जनकपुर मे मैथिली अभिनेत्री पूजा पासवान केर आक्रोश आ हो-हल्ला प्रकरण – यथार्थता पर प्रकाश

१९ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि सँ एकटा वीडियो सोशल मीडिया मे बड़ा जोर-शोर सँ वायरल भऽ रहल अछि। ओ थिकैक रङ्गवाटिका नेपाल द्वारा आयोजित ‘प्रदेश स्तरीय नाटक तथा चलचित्र सांस्कृतिक महोत्सव’ जे पैछला ३० गते चैत सँ वैसाख ४ गते धरि जनकपुरधाम केर उद्योग वाणिज्य संघ सभागार मे चलल तेकर समापनक समय प्रमुख अतिथि प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री मो. लालबाबू राउत केर उपस्थिति मे मैथिली फिल्म अभिनेत्री पूजा पासवान द्वारा भरल सभा मे मंच पर चढिकय हो-हल्ला ठाढ करब, स्वयं एक महिला सिनेमा उद्यमी आ नायिका अपन कोरा मे छोट बच्चाक संग घन्टों धरि दिक्कत मे रहिकय सहभागिता देलाक बावजूद उचित मौका नहि भेटि सकबाक शिकायत करैत, मुख्यमंत्री द्वारा चलायल गेल ‘बेटी बचाउ – बेटी पढाउ’ अभियान केँ ढकोसला कहिकय असन्तोष आ आक्रोश प्रकट करैत। आखिर कि कारण भेल जे अभिनेत्री पूजा पासवान एहि तरहें बिगैड़ गेलीह, बिफैर पड़लीह? एकतर्फी बात बुझला आ गुनला सँ पूजा प्रति सहानुभूतिक लहैर सोशल मीडिया पर स्पष्ट रूप सँ देखाइत अछि। लेकिन सब बातक छानबीन केला पर पता चलैत अछि जे आयोजन मे सहभागिताक अवसर सही समय पर सही ढंग सँ नहि चलि पेबाक कारण बाद मे पूजाक चलचित्रक प्रदर्शन करबाक अवसर आयोजक द्वारा नहि देल जेबाक कारण ओ बिगड़ैत समापन सत्र मे मुख्यमंत्रीक विरुद्ध अपन आक्रोश व्यक्त केलीह। आउ, पूरा विस्तार सँ बुझी ई पूरा प्रकरण।

रङ्गवाटिका नेपाल केर आयोजन मे ‘प्रदेशस्तरीय नाटक तथा चलचित्र सांस्कृतिक महोत्सव’ विसं साल २०७५ चैत्र ३० गते सँ २०७६ वैसाख ४ गते धरि जनकपुरधाम मे भेल। आयोजक द्वारा राखल गेल जानकारी अनुसार एहि महोत्सव मे निम्न विवरणक कार्यक्रम सब प्रस्तुत करबाक बात छलयः

नाटक प्रदर्शन विवरणः

शीर्षक – भाषा – समय-अवधि – लेखक-निर्देशक – प्रस्तोता – जिला

समय अपराह्न ३ बजे सँ २०७५ चैत ३० गते

१. दान दहेज – थारु – ४५ मिनट – अरुण चौधरी – नाट्य समूह पंचसेरा – सप्तरी

२. माइम – सांकेतिक – ३० मिनट दिलिप घिसिंग-सन्तोषलाल दास – मिथिला संस्कार विकास समाज – सिरहा

३. चुनाव लड़ल छी – मैथिली – ४५ मिनट – हरिशंकर प्रसाई-रितेश साह‘पाटली’ – रङ्गदर्पण – जनकपुरधाम धनुषा

समय अपराह्न ३ बजे सँ २०७६ वैसाख १ गते

४. ‘लू’ – (नाट्य अनुवाद) मगही – ८० मिनट – सरिता साह – अनुप मिडिया प्रो. – सर्लाही

५. आजु के लक्ष्मण – भोजपुरी – ६० मिनट – गोपाल अश्क – भोजपुरी प्रज्ञा प्रतिष्ठान – पर्सा

६. सिसकैत जिनगी – मैथिली – ३० मिनट – उपेन्द्र भगत नागवंशी – आकृति – जनकपुरधाम धनुषा

समय अपराह्न ३ बजे सँ २०७६ वैसाख २ गते

७. जिनगी अन्हार – मैथिली – ९० मिनट – रामेश्वर साह – प्रतिबिम्ब रङ्गमञ्च – धनुषा

८. होशियार – मैथिली – ७५ मिनट – सुनिल यादव ‘दामोदर’ – जनचेतना अभियान नेपाल – धनुषा

समय अपराह्न ३ बजे सँ २०७६ वैसाख ३ गते

९. मधेशके शान – बज्जिका – ४५ मिनट – सञ्जय मित्र-सन्तोष पौडेल – न्यु दियालो युवा क्लब – रौतहट

१०. समाजक पीड़ा – मैथिली – ४५ मिनट – जीबछ दास – भोरुकवा नाट्य समूह – सप्तरी

समय अपराह्न ३ बजे सँ २०७६ वैसाख ४ गते

११. बरमसिया – सांस्कृतिक प्रस्तुति – ६० मिनट – सन्तोष एक्ट सोच नेपाल – महोत्तरी

१२. नोरक भाषा – मैथिली – ९० मिनट – उपेन्द्र भगत नागवंशी – रङ्गवाटिका नेपाल – धनुषा

सहभागी लोकनि केँ प्रमाणपत्र ओ अवार्ड वितरण एवं समापन समारोह ।

रंगवाटिका नेपाल द्वारा आयोजित ‘नाट्य एवं चलचित्र सांस्कृतिक महोत्सव’ मे प्रस्तुत होयवला नाटक तथा चलचित्र सभक विवरणः

समय विहान ११ बजे सँ  २०७५ चैत्र ३० गते

चलचित्र प्रदर्शन विवरणः

शीर्षक – भाषा – समय-अवधि – लेखक-निर्देशक – निर्माता – जिला

१. दहेज नइ – मैथिली – १.२० मिनट – रामकाजी घिमिरे – रौतहट

२. महायात्रा – मैथिली – ४५ मिनट – अमितेश शाह – धनुषा

समय विहान ११ बजे सँ २०७६ वैसाख १ गते

३. दहेजक पीड़ा – मैथिली – २ घण्टा – पुजाकुमारी पासवान – धनुषा

४. मन नै मानै – मैथिली – ३० मिनट – राजदेव चौधरी ‘राजु’ – सप्तरी

५. मधेशी पुत्र पार्ट–२ – भोजपुरी – २ घण्टा – राजु साह – सप्तरी

समय विहान ११ बजे सँ २०७६ वैसाख २ गते

६. बेरवादी – भोजपुरी – २ घण्टा – वीरेन्द्र कबीरपंथी-सुजित यादव – धनुषा

७. डकुमेन्ट्री – मैथिली – ३० मिनट – सुनिल यादव दामोदर – धनुषा

८. बेटी – भोजपुरी – १ घण्टा – संजय साँवरिया-वीरेन्द्र कबीरपंथी – सर्लाही

समय विहान ११ बजे सँ २०७६ वैसाख ३ गते

९. मधेशी पुत्र पार्ट–१ – मैथिली – २ घण्टा – निराजन मेहता ‘मञ्जित’ – सप्तरी़

१०. बकलेल बेटा काबिल – थारु – २० मिनट – राजदेव चौधरी ‘राजु’ – सप्तरी

११. ईजोत – मैथिली – ४० मिनट – अमितेश शाह – धनुषा

समय विहान ११ बजे सँ २०७६ वैसाख ४ गते

१२. इज्जत – मैथिली – २ घण्टा – सन्तोष सरकार-महेश-राजु साह – सिरहा

१३. आबो त’ सोचू – मैथिली – ४५ मिनट – रामकाजी घिमिरे-सुभाष गजुरेल – रौतहट

१४. गुमकी – मैथिली – ३० मिनट – विकास साह – धनुषा

१५. झिल्के ((प्रदर्शन लेल) – नेपाली – २.२० घण्टा – लाखमान योञ्जन राजु-राजीव साह – सिरहा

उपरोक्त कार्यक्रम विवरण अनुसार एक अत्यन्त भव्य आ सर्वभाषा समावेशिक कार्यक्रमक आयोजन जनकपुर मे आयोजित भेल। किछुए समय पूर्व एहि ठाम जनकपुर साहित्य कला एवं अन्तर्राष्ट्रीय नाटक महोत्सवक आयोजन भव्यताक संग संपन्न भेल छल। भाषा, साहित्य, कला, संस्कृति, सिनेमा, समाज, चित्रकला – हर क्षेत्र मे जनकपुर बहुत आगाँ अदौकाल सँ रहल अछि, एहि बातक ई प्रमाण थिक जे एहि तरहक विहंगम कार्यक्रमक आयोजन पुनः दोहरायल गेल। कुल १२ गोट नाटक आ १५ गोट सिनेमाक प्रदर्शन प्रदेश २ केर विभिन्न जिला तथा विभिन्न लेखक, निर्देशक, निर्माता लोकनि केँ समेटैत प्रदर्शन करब बड पैघ परिकल्पना केँ उजागर करैत अछि। एहि मे पूजा पासवान केर निर्माण-निर्देशन मे बनल मैथिली फिल्म दहेजक पीड़ा केर प्रदर्शन ११ बजे सँ दोसरे दिन यानी १ गते नव वर्षक दिन राखल गेल छल। परञ्च प्राविधिक कारण सँ हुनकर ई सिनेमा निर्धारित समय मे प्रस्तुत नहि कयल जा सकल। आयोजक द्वारा पूजाक फिल्म केर प्रदर्शन लेल दोबारा समय देल गेल, ताहि समय सभागार मे दर्शकक संख्या उल्लेख्य नहि रहबाक कारण पूजा स्वयं कनेकाल मे प्रदर्शन रोकि देलीह। पुनः जखन दर्शक केर उपस्थिति उल्लेख्य भेल ता धरि समापन सभाक समय होयब आ मुख्य अतिथि लोकनिक उपस्थिति भऽ जेबाक कारण पूजाक फिल्म जे लगभग २ घंटा समय केर छल तेकर प्रदर्शन अनुपयुक्त आ गैर-वाजिब होइतय। एतेक समय देबाक लेल मुख्य अतिथि प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री लालबाबू राउत नहि मानलनि। एहि बातक कष्ट सँ व्यथीत पूजा विशेष रूप सँ ‘दहेज प्रथा’ पर आधारित सिनेमा ‘दहेजक पीड़ा’ केर प्रदर्शन मुख्य अतिथिक सोझाँ नहि भेलाक कारणे आक्रोशित भेलीह। ओ एहि आक्रोश मे मुख्यमंत्री द्वारा चलायल गेल कार्यक्रम ‘बेटी बचाउ बेटी पढाउ’ पर सवाल सेहो उठेलीह। हुनकर मनक इच्छा पूरा नहि होयब मे समय आ महत्वपूर्ण व्यक्तित्वक अन्य कार्यक्रम मे पहिने सँ भाग लेबाक सहमति देबाक नैतिक मर्यादाक पालनक बाध्यताक कारण भेल। ताहि लेल ई आक्रोश जायज नहि होयबाक प्रतिक्रिया आम दर्शक व अन्य सहभागी लोकनि द्वारा देल गेल अछि। पूजा केँ सेहो एहि बात केर भान हेबाक चाहियनि आर ओ पहिने सँ आयोजक संग एहि तरहक व्यवस्थाक लेल बात कय सकैत छलीह, एहि तरहक भाव रखैत दर्शक व आयोजक केँ सुनल गेल।

एम्हर एहि प्रकरण पर बिना जैड़िक सब बात बुझने किछु लोक पुनः ब्राह्मणवाद आ मैथिली भाषा सीमित लोकक भाषा आदिक निरर्थक आरोप लगा बिना कोनो सरोकारक सरोकार मे पर्यन्त भाषाक तोड़बाक लेल सोशल मीडिया केँ घिनबैत देखल जा रहला अछि। कियो पूजा पासवान केँ मैथिली सँ इतर मगही भाषा आ मूलवासी संग कार्य करबाक प्रेरणा दय रहल देखाइत छथि तऽ कियो एहि तरहक आक्रोश केर जिम्मेवार ब्राह्मण वर्ग लोक केँ मानि वातावरण दुर्गन्धित कय रहल छथि। एहि तरहक अनाप-शनाप आरोप आ झूठक कलंक लगाकय विगत किछु समय सँ मैथिली भाषाभाषी केँ विखंडित कयल जेबाक कतेको प्रकरण सोझाँ अभरैत रहल अछि। जखन कि पूरा विवरण, सहभागिता, आयोजनक मर्म आ बात-व्यवस्था मे एकहु गोट ब्राह्मण कतहु नहि देखाइत छथि, ई पूरा विवरण सँ आ उपरोक्त समस्त समाचार सँ अवगत भेल जा सकैत अछि।