मैथिली फिल्म ‘जिला बेगुसराय’ केर मुहूर्त ७ फरवरी केँ मुम्बई मेः नव वर्ष मे नव सौगातक बरसात

२०१९ मे रिलीज होयत मैथिली फिल्म जिला बेगुसराय

२४ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली फिल्म लेल नव वर्ष २०१९ नव-नव उपहार लय केँ आयब शुरू भऽ गेल अछि। एक दिश मैथिलीक म्यूजिक केर वीडियो एल्बम केर बाढि सँ करोड़ों मैथिलीभाषी नित्य नव गीतक उपहार पाबि रहल छथि, दोसर दिश कतेको रास तैयार आ तैयारी मे रहल फिल्म सभक समाचार सँ सोशल मीडिया पाटल देखा रहल अछि। भाषाक भविष्य मे फिल्म केर योगदान महत्वपूर्ण छैक, अनिवार्य सेहो छैक – ई मोट लाइन आब सचमुच अपन प्रभाव आ प्रसार सँ मैथिली संसार केँ ओतप्रोत कय रहल अछि।

लघु फिल्म इतिहास जे मिथिलाक लोकदेव लोरिक केर जीवन आ प्रेम गाथा पर आधारित फिल्म छल, एकर सफलतापूर्वक रिलीज उपरान्त मैथिली फिल्म केर जानल-मानल चेहरा किसलय कृष्ण सेहो नव हुंकार भरैत कहलनि अछि “साकार होइत स्वप्न… आइ वस्तुतः बहुत प्रसन्न छी। रवि आ राजेश सर प्रति आभार। ७ फरवरी २०१९ केँ म्यूजिक रिकॉर्डिंग संग मुहूर्त मुम्बई मे।” आर एहि संग प्रारम्भिक पोस्टर जारी करैत ‘जिला बेगुसराय’ नामक मैथिली फिल्म बनेबाक घोषणा कयलनि अछि। विदिते अछि जे सदिखन मिथिलाक मौलिक कथावस्तुक संग अपन भाषाक यथार्थ विस्तार केँ स्थापित करबाक लेल कृत्-संकल्पित किसलय कृष्ण मैथिली भाषा आन्दोलन मे भाषा-संकुचन केर घोर विरोधी रहला अछि आर हिनक प्रयास मे सतति एकटा विशेष बात झलकैत रहल अछि जे मिथिला पुण्य भूमिक वास्तविक सीमा मे अवस्थित हरेक बोली आ भाषिका केँ जोड़बाक काज करैत अछि। हालहि सम्पन्न ‘मिथिला कला साहित्य आ फिल्म महोत्सव सहरसा’ मे सेहो मैथिलीक संकुचित क्षेत्र ‘दरभंगा-मधुबनी’ पर कड़ा प्रहार करैत ई सिद्ध कएने छलाह जे मैथिलीक वास्तविक क्षेत्र सिर्फ दुइ जिला सँ बहुत ऊपर दुइ देश भारत आ नेपाल केर दर्जनों जिला मे छैक।

फिल्म ‘जिला बेगुसराय’ मे हाल स्क्रीप्ट आ कलाकार लोकनिक चयन पर काज चलि रहल अछि। एहि फिल्म मे मैथिली भाषाक ओ मिठास रहत जे विभिन्न जिलाक यथास्थिति केँ देखबैत अछि। कलाकार लोकनि सेहो ओहि तर्ज पर विभिन्न जिलाक मूलवासी केँ समेटैत एहि फिल्म केर निर्माण करबाक योजना अछि। फिल्म निर्देशक आ कथा पर कार्य कयनिहार किसलय कृष्ण जनतब दैत कहलनि। मैथिलीक चर्चित गायक पवन नारायण प्रति आभार प्रकट करैत ओ कहलनि जे निर्माता झा रवि ओ राजेश ठाकुर संग हुनक भेंट करौलनि आ तदनुसाद फिल्म कथावस्तु पर बात-विचार कयला उत्तर बहुत अधिक उत्साह भेटल। जे अभियान अपन जीवन मे संचालन करैत आबि रहलहुँ अछि तेहने विषय-वस्तु केँ समेटबाक अवसर थिक ई फिल्म। प्रस्तुत पोस्टर मे ‘जिला बेगुसराय’ लेल संयोजन कयल गेल नाम सेहो एहि बातक गबाही दैत अछि, काठमांडू मे मैथिलीक मौलिक गीत-संगीत लेल निरन्तर प्रयोग करैत एकटा अलग छवि बनौनिहार धीरेन्द्र प्रेमर्षि सँ लैत नेपाली चलचित्रक महाखलनायक अवार्ड सँ सम्मानित कलाकार रमेश रंजन झा, तहिना संगीत निर्देशक मधुबनी सँ पवन नारायण, दिल्ली सँ रंगक्षेत्रक सिद्धहस्त स्रष्टा प्रकाश झा, मुम्बई सँ कार्यकारी निर्माता कुणाल ठाकुर सहित समस्त नेपाल-भारत केर एक सँ बढिकय एक चर्चित व्यक्तित्वक सङ्गोर केर संयोजन सँ बनेबाक परिकल्पना अपना आप मे अनुपम अछि।

मैथिली फिल्म मे स्थापित अभिनेता अनिल एवं अभिनेत्री जानबी सहित कलाकारक चयन मे सेहो अनुभवक संग प्रोफेशनलिज्म केर सिद्धान्त सर्वोपरि होयबाक बात कहलनि किसलय कृष्ण। युग मीडिया केर सक्रियताक कय गोट उदाहरण गनबैत ओ तर्क देलनि जे एहि तरहक बैनर जे सदैव अपन सहयोग सँ मैथिली-मिथिला केर पृष्ठपोषण करैत रहल अछि, तिनका सभक संग आ सकारात्मक सोच सँ ई फिल्म सेहो लक्ष्य धरि सहजहि पहुँचबाक उम्मीद अछि। फिल्म सूटिंग केर लोकेशन मे अररियाक चनका गाम सँ लैत राजधानी दिल्ली केर आरम्भिक नियार छन्हि, फिल्म केर कथानक पूरा भेलाक बाद योजनाबद्ध ढंग सँ आरो जोड़-घटाव होयबाक संभावना रहत। हर तरहें ई २०१९ मैथिली फिल्म लेल एकटा नव वरदान सिद्ध होयबाक उम्मीद बनि रहल अछि।