मैथिली गीतक नवका एलबम होयत रिलीज: डिग्री भऽ गेल झुनझुन्ना!!

रोशन मिश्र, मैथिली जिन्दाबाद!!

degree albumअगिला महीना 10 जून सँ बाजार मे उपलब्ध रहत मैथिली गीतक ई नवका एलबम – डिग्री भऽ गेल झुनझुन्ना! प्रसिद्ध गीतकार सियाराम झा सरस संग युवा गीतका अक्षय आनन्द तथा रौशन मिश्र सहितकेर गीत, गुरुदेव भारतीक संगीत आ मुंबई केर सरगम म्युजिक मे रिकार्डेड गायक महंत झा, सर्वेश झा संग गायिका प्रीति सुमन केर सुमधुर आवाज मे ई नव मैथिली गीति एलबम आबि रहल अछि।