हम नेता नहि जनता बनिकय काज करब: बिमल कान्त

किसलय कृष्ण, सहरसा। मई १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

bimalkantमहिषी विधानसभाक बहुअर्बा मध्य विद्यालय पर आयोजित हिन्दुस्तान अवाम मोर्चाक जनसभा संपन्न भेल। एहि अवसर पर उपस्थित जनसमूह केँ संबोधित करैत स्थानीय समाजसेवी आ राजनीतिज्ञ बिमल कान्त झा द्वारा एक‍-एक जन समस्या पर अपन बात रखलैन। एहि क्रम मे अपन भाषा, समाज, संस्कृति सब मुद्दा केँ उठौलनि। आगामी विधान सभा चुनाव मे समर्थनक अपील करैत जनमानस सँ अपील करैत सबहक साथ लैत हरेक समस्या मे स्वयं सेहो साथ ठाढ रहबाक वचन देलनि। उपस्थिति हजारों लोकक जनसमूह केँ संबोधन करैत ऐगला चुनाव मे उम्मीदवारी देबाक घोषणा कएलनि। एहि समय आरो समाजसेवी व नेतृत्वकर्मी केर उपस्थिति छल जाहि मे जिबेन्द्र राय, शिव शंकर यादव मुख्य छलाह।