मिथिला मे लघु-मध्यम स्तरक उद्योग लागौ, अहि लेल प्रवासी मैथिल समुदाय आगू आओतः कन्क्लेवदर्शी राजेश

गुजरातक गांधीनगर मे मिथिला मिरर नेशनल मीडिया कन्क्लेव

मिथिला मिरर नेशनल कन्क्लेव आ मिथिला मे उद्यमशीलता विषय पर मंथन सभाक प्रत्यक्षदर्शी – मिथिलावादी नेतृत्वकर्ता श्री राजेश झा केर विचार

आर्थिक सबलतता आ नब रोजगार के निर्माण लेल लघु-मध्यम स्तर के उद्योग मिथिला में लागौ, अहि लेल प्रवासी मैथिल समुदाय आगू आओत। आजुक मिथिला मिरर नेशनल कॉन्क्लेव के यैह मुख्य समाचार अछि।

अहमदाबाद-गाँधीनगर-सूरत में एकटा छोट-छिन मिथिला बसल अछि। एकर नीक झलक आई देखल। सबहक मोन में मिथिला लेल किछ सार्थक करबाक उत्कंठा देखि मोन गदगद अछि।

क्रमशः संजय भाई मिथिला ब्रांड के सबस मजबूत चेहरा बनि उभरि रहला अछि। पिछला तीन दशक स ठमकल मिथिला आब हिनका में सुखद संभावना देख रहल अछि।

NSIC के जोनल हेड प्रभात कुमार झा आ मिथिला मिरर के ललित झा जी के सफल कार्यक्रम लेल हार्दिक बधाई। बहुत मनोयोग स कैल परिश्रम द्वारा ही एहेन कार्यक्रम संभव अछि।

अहि विषय पर अगिला कार्यक्रम नवम्बर-दिसंबर में दरभंगा में करबाक घोषणा भेल अछि। निश्चित रूप स कहल जा सकैत अछि जे प्रवासी मैथिल समाज द्वारा मिथिला में औद्योगिक क्रांति के आधार तैयार भ रहल अछि।

गुजरात मैथिल समाज के हार्दिक अभिनंदन