सहयोगी हाथ आगाँ एबाक क्रम जारीः १७ जून कुर्सों सँ दरभंगा मैराथनक सन्दर्भ

दरभंगा, जून २, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

विदिते अछि जे १७ जून २०१८ केँ घोषित ‘रन फोर दहेज मुक्त मिथिला’ मैराथन कुर्सों सँ दरभंगाक बीच लगभग ६० किलोमीटर केर दौड़ आयोजित होयत, काल्हि एकर घोषणा आ प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत दरभंगा मे पदाधिकारी लोकनिक एक बैसार मे प्रारूप आदिक बारे मे निर्णय लेल गेल छल। संगहि ई अपील कयल गेल छल जे एहि दौड़ मे सहयोगी हाथ बनिकय वस्तुगत सहयोग लेल आगाँ आउ, कारण दहेज मुक्त मिथिला कोनो तरहक चन्दा-चिट्ठा आदि मे विश्वास नहि रखैत अछि, नहिये कदापि कोनो सरकारी सहयोग लैत अछि। आर, काल्हि दरभंगा मे समापन सभा लेल उचित तैयारीक वास्ते समाजसेवी मुरारी मोहन झा आगू आबिकय गछलनि।
ईम्पल्स कोटा दरभंगाक संचालक राजेश झा मैराथन दौड़ मे सहयोग स्वरूप एकटा गाड़ी तथा मिनेरल वाटर उपलब्ध करेबाक संग अपन संस्थानक छात्र-छात्रा सहित दोनार चौक सँ मैराथन दौड़ मे सेहो भाग लेबाक पुष्टि कयलनि अछि।
तहिना आइ सेहो ज़िला अध्यक्ष किशोर झाक अगुवाई मे रन फ़ॉर दहेज मुक्त मिथिलाक तैयारी केँ लय केँ एकटा मीटिंग खत्म भेल अछि आर जानकारी कराओल गेल अछि जे बालेन्दु झा सेहो हरसम्भव सहायता करता, तहिना दहेज मुक्त मिथिलाक सैनानी शिवम झा केर माताश्री आदरणीया सीमा झा द्वारा एकटा गाड़ी तथा फल-फूल संग मिनेरल वाटर लेल नगद ५ हजार टका मदैद देल जायत। एहि बातक घोषणा करैत मैराथन धावन मार्गदर्शक तथा दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसेडर आर के दीपक समस्त कार्यसमिति केँ बेहतरीन कार्य लेल धन्यवाद करैत बढैत सहयोगी हाथ प्रति हार्दिक आभार प्रकट कयलनि अछि।