Home » Archives by category » News » Society (Page 3)

मैथिली भाषाभाषी समाजक उत्थान हेतु आयोजित अभियान सभक लेल आर्थिक सहयोग राजकीय कोष सँ हो

मैथिली भाषाभाषी समाजक उत्थान हेतु आयोजित अभियान सभक लेल आर्थिक सहयोग राजकीय कोष सँ हो

विराटनगर, २३ सितम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली भाषाभाषी समाजक उत्थान लेल कार्यरत संस्था लेल राजकीय कोष सँ सहायता देबाक मांग संग आइ विराटनगर केर वार्ड संख्या १० केर वडाध्यक्ष श्री माधवराज वाग्लेक मुख्य आतिथ्य एवं समाजसेवी सह महानगरपालिका कार्यसमितिक सदस्य सुशीला ओझा केर अध्यक्षता मे एक बैसार कयल गेल। ई बैसार अपन विराटगढ़ परोपकार […]

मधुबनी जिला विशेष – सर्वाधिक दहेज मुक्त मिथिला एहि जिला मे

मधुबनी जिला विशेष – सर्वाधिक दहेज मुक्त मिथिला एहि जिला मे

कि मधुबनी जिला सर्वाधिक ‘दहेज मुक्त मिथिला’ अछि? (सर्वे और बहस) काल्हि ‘दहेज मुक्त मिथिला सर्वे-२०२०’ केर पहिल तथ्यांक जारी कयल, जाहि मे दहेज प्रथाक विरूद्ध सब सँ अधिक जागरुकता ‘मधुबनी’ जिलाक लोक मे देखल गेल कहि सकैत छी। तथ्यांक सँ स्पष्ट अछि जे सब सँ अधिक लोक मधुबनी सँ सक्रियता देखौलनि। ईहो स्पष्ट अछि […]

आइ मिथिला कतय धरि जिबैत अछि – दहेज मुक्त मिथिला सर्वे २०२०

आइ मिथिला कतय धरि जिबैत अछि – दहेज मुक्त मिथिला सर्वे २०२०

२३ अगस्त २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि २२ अगस्त २०२० दहेज मुक्त मिथिला फेसबुक समूह पर एकटा सर्वेक्षण कयल गेल। एहि सर्वेक्षण मे मिथिलाक गाम आ जिलाक लोकक बीच एकटा समन्वय स्थापित करबाक मुख्य अभिप्राय अछि। ओना आजुक समय मे मिथिला सांस्कृतिक-भाषिक तौर पर दुइ देशक सीमा मे पंजाब, बंगाल आ तमिल जेकाँ विभाजित अछि। […]

कन्यादान आ मानव जीवन मे एकर महत्व आ प्रभाव

कन्यादान आ मानव जीवन मे एकर महत्व आ प्रभाव

कन्यादान   दहेज मुक्त मिथिलाक सम्पूर्ण सदस्य लोकनि केँ हम प्रवीण नारायण चौधरीक सादर अभिवादन!   आइ दिनांक १ अगस्त २०२० – कोरोनाकाल केर भयावहता सँ निकलि रहल हमरा लोकनिक मानव जीवनक पाँचम मास ‘भारतवर्ष’ मे थिक आर ईश्वर केर विशेष कृपा सँ हमरा लोकनि येनकेनप्रकारेन सुरक्षित छी, किछु अत्यन्त महत्वपूर्ण लोक एहि इहलोक सँ […]

मिथिला साइकिल यात्री शुरू कयलनि वीरपुर सँ ‘सप्तरी बोलबम यात्रा’

मिथिला साइकिल यात्री शुरू कयलनि वीरपुर सँ ‘सप्तरी बोलबम यात्रा’

राजविराज, सप्तरी। १९ जुलाई २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक लोकसंस्कृतिक जननायक अभियन्ता सुभाष विरपुरिया मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत जानकारी करौलनि जे पूर्व मे कयल गेल साइकिल देवघर यात्रा केर तर्ज पर एहि वर्ष सेहो हुनका लोकनिक जत्था द्वारा कोसी बैरेज समीप पवित्र कोसी नदी मे स्नान कय ओतहि जल भरिकय मिथिलाक्षेत्रक महत्वपूर्ण शिव मन्दिर मे […]

अपने ई सब देखलहुँ कि नहिः मैथिली-मिथिलाक टटका समाचार

अपने ई सब देखलहुँ कि नहिः मैथिली-मिथिलाक टटका समाचार

१५ जुलाई २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! विगत किछु समय सँ मैथिली-मिथिलाक सर्वथा चर्चित विषय पर समाचार-सार-संछेप मे! अपने ई सब देखलहुँ कि नहि! १. कोरोना कोरोनाकाल मे किछु दिन त लोक खूब सैनिटाइजर लगौलक, साबुन सँ हाथ रगड़ि-रगड़िकय साफ कयलक, नाक-मुंह-आँखि आदि केँ नीक सँ सुरक्षा कयलक, लौकडाउन मे घरहि मे सुरक्षित रहल, लोक सब […]

मैथिली ठाकुर द्वारा सौराठ सभापर स्पष्टीकरण, सभागाछीक वर्तमान आ नीक भविष्य मैथिलीक प्रस्ताव

मैथिली ठाकुर द्वारा सौराठ सभापर स्पष्टीकरण, सभागाछीक वर्तमान आ नीक भविष्य मैथिलीक प्रस्ताव

१३ जुलाई २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! ऐतिहासिक सौराठ सभागाछी पर मैथिली ठाकुर अपन एक वीलौग मे देल गेल हल्का टिप्पणी पर उठल विवाद आ विरोधक वातावरण सँ आहत होइत अपना तरफ सँ एकटा स्पष्टीकरण देलीह। फेसबुक पर लाइव आबिकय एहि विषयपर अपन विचार रखलीह, संगहि अपन वीलौग मे सँ ओहि विवादपूर्ण टिप्पणी केँ हंटा देल […]

बात कम काज बेसी – ग्लोबल मैथिल केर विशेष परिचय

बात कम काज बेसी – ग्लोबल मैथिल केर विशेष परिचय

ग्लोबल मैथिलः काज बेसी बात कम मानवीय संसारक वर्तमान ग्लोबल विलेज केर लोकप्रियता मैथिलीभाषी-मिथिलावासी लेल सेहो ‘ग्लोबल मैथिल’ केर नाम सँ साकार होइत देखा रहल अछि। मूल रूप सँ ‘शाश्वत मिथिला आ माँ जानकी सेवा समिति, अहमदाबाद’ केर कुशल संचालकगण द्वारा परिकल्पित ‘ग्लोबल मैथिल’ केर परिकल्पना २०१९ ई. मे आयोजित ‘अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव’ केर जनादेश-फलादेश […]

समाजसेविका नीतू झा एवं पिंकी भरद्वाजक अगुवाई मे दहेज मुक्त विवाहक शुभारम्भ मधुबनी मे

समाजसेविका नीतू झा एवं पिंकी भरद्वाजक अगुवाई मे दहेज मुक्त विवाहक शुभारम्भ मधुबनी मे

घरहि सँ दहेज मुक्त विवाहक शुरुआतः नीतू झा   मधुबनी, २१ जून २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!   घरहि सँ दहेज मुक्त विवाह आरम्भ करय पड़त। दहेज मुक्त मिथिला केर परिकल्पना सम्पूर्ण मिथिला लेल रहितो आरम्भ स्वयं सँ आ स्वयं केर परिधि सँ करबाक जरूरत अछि। देश सेहो व्यक्ति-व्यक्ति आ क्षेत्र-क्षेत्र केँ जोड़िकय बनैत छैक। आदर्श […]

पूर्वी नेपाल मे मैथिली भाषा आ संचार अवस्था

पूर्वी नेपाल मे मैथिली भाषा आ संचार अवस्था

पूर्वी नेपाल आ मैथिली संचार – प्रवीण नारायण चौधरी, विराटनगर, नेपाल। भूमिकाः नव नेपाल अर्थात् नया राजनीतिक संरचनाक नेपाल – नया संविधान पर संचालित नेपाल – नव लोकतांत्रिक अवधारणाक नेपाल – संघीय लोकतांत्रिक गणतंत्र नेपाल – तेकर पूर्वी भूभाग अर्थात् प्रदेश १ – पूर्वक कोसी आ मेची अंचल सहितक भूभाग आर नेपाल केँ ५ विकास […]