Home » Archives by category » Article » Heritage (Page 6)

मुनिनाथ बाबाक बहुचर्चित आ पवित्र स्थान केर सत्य आ रोचक कथा

मुनिनाथ बाबाक बहुचर्चित आ पवित्र स्थान केर सत्य आ रोचक कथा

रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। फरबरी २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंड केर बेला दउरा में, मुन्नी बाबाक स्थान अवस्थित अछि। भोला बाबा सँ जुड़ल अछि ई रोचक कथा। मुनिनाथ बाबा बेला गामक अंत चौड़ी में घनघोर जंगल में एकटा बृक्ष जाहि में अनेको रंगक पात अछि , ओहि बृक्ष सँ प्रकट भेलाह ई […]

आउ घुमि ली मिथिलाक किछु प्रसिद्ध धार्मिक पर्यटकीय स्थानपर

आउ घुमि ली मिथिलाक किछु प्रसिद्ध धार्मिक पर्यटकीय स्थानपर

मिथिला पर्यटन विशेष हिमालय सँ निकसैत पवित्र नदी द्वारा पखारल मिथिला अंगनाक हर स्थान दर्शनीय-रमणीय अछि, एतुक लोकमानस मे वेद एना रचल-बसल अछि जे एहि ठामक व्यवहार केँ धर्म निर्णीत ज्ञानीजन द्वारा कहल जाएत अछि। चूँकि सैकड़ों वर्ष सँ मिथिलाक मूल मर्मक पोषण आर एकर निजताक संरक्षण करय लेल कोनो राजकीय व्यवस्था नहि रहि गेल […]

बाबा बैद्यनाथ आ मिथिलावासीक विशेष श्रद्धा विद्यापतिकाल सँ

बाबा बैद्यनाथ आ मिथिलावासीक विशेष श्रद्धा विद्यापतिकाल सँ

मोन पड़ि गेला अछि बाबा बैद्यनाथ – देवाधिदेव महादेव केर ओ विशिष्ट स्वरूप जे हमरा सब केँ सदिखन भोला बनि सब मनोकामना पूर करैत छथि। हमरा तँ विद्यापतिक रचना ‘उगना रे मोर कतय गेलाह’ – एहि मे सेहो मात्र ‘बाबा बैद्यनाथ’ प्रति लक्षित भाव उभरैत देखाय दैछ। कहल जाएत छैक जे महाकवि विद्यापति स्वयं तरह-तरह […]

मैथिली दिवस – ८ जनवरी कियैक आर कोना

मैथिली दिवस – ८ जनवरी कियैक आर कोना

दिवस विशेष आलेख – प्रवीण नारायण चौधरी करोड़ों मैथिलीभाषी लेल आजुक दिन विशिष्ट एहि वास्ते अछि जे औझके दिन भारतीय संविधानक ८म् अनुसूची मे मैथिली भाषा केँ शामिल करबाक घोषणा भारतीय राज-पत्र (गजेट) मे प्रकाशित कैल गेल। आउ, पूरा प्रक्रिया पर एक दृष्टि दी। संविधान मे मैथिली भारतीय संविधानक ९२वाँ संशोधन जेकरा ‘संविधान (९२वाँ संशोधन) […]

राम-जानकी विवाह पंचमीक अन्तिम विधः राम कलेवा केर मनोरम दृश्य

राम-जानकी विवाह पंचमीक अन्तिम विधः राम कलेवा केर मनोरम दृश्य

राम जानकी विवाहपञ्चमी महोत्सव विशेषः अन्तिम विध मौहककेर सेहो खूब चर्चा रहल – सुजीत कुमार झा, जनकपुर । दिसम्बर ९, २०१६.   जखन विवाह भऽ गेलैक तऽ मौहक अर्थात राम कलेवा केर विध कोना रुकत । आर मिथिलाक वैवाहिक परंपरा मे पति-पत्नी बीच प्रेमालापक पहिल सामाजिक शिक्षा सेहो त आखिर एहि विध सँ भेटैत छैक […]

संपन्न भेल राम-जानकी विवाहपंचमी मे विवाहोत्सव

संपन्न भेल राम-जानकी विवाहपंचमी मे विवाहोत्सव

राम-जानकी विवाहपञ्चमी विशेष: जानकी समान अर्धांगिनी पाबि धन्य भेलाह रघुवर – सुजीत कुमार झा, जनकपुर। दिसम्बर ५, २०१६. कोने नगरके सिन्दुरिया सिन्दुर बेचए आयल हे आ हे कोन नगरके कुमारी सिन्दुर बेसाहल हे ॥ अयोध्या नगरके सिन्दुरिया सिन्दुर बेचए आयल हे आ हे जनक नगरके कुमारी सिन्दुर बेसाहल हे ॥ ई गीत सिनदुरदानक अछि आर एहि गीतक संग किशोरीजी […]

आइ फेर सँ राम शिवधनुष भंगकय सीता सँ स्वयंवर रचौलनि

आइ फेर सँ राम शिवधनुष भंगकय सीता सँ स्वयंवर रचौलनि

राम-जानकी विवाह पञ्चमी महोत्सव विशेष: रंगभूमिमे स्वयंवर भेल, हजारों श्रद्धालू-भक्त बनला एहि विशेष अवसरक साक्षी – सुजीत कुमार झा, जनकपुर । दिसम्बर ४, २०१६. राम-जानकी विवाह पंचमी केर महोत्सव मे आइ स्वयंवर सेहो भइए गेल । एक हप्तासँ स्वयंवरकेँ लऽ कऽ उत्सुकता छल । मिथिला दरबारसँ जानकीजी आ अयोध्या दरबारसँ भगवान राम जनकपुरक ऐतिहासिक रंगभूमि मैदान पहुँचल […]

जनकपुर केर गंगासागरपर जानकीक मटकोर, लाखों श्रद्धालू सहभागी

जनकपुर केर गंगासागरपर जानकीक मटकोर, लाखों श्रद्धालू सहभागी

रामजानकी विवाहपञ्चमी महोत्सव विशेषः जानकीक मटकोर करावए सुनयना गंगासागर पहुँचली – सुजीत कुमार झा, जनकपुर। दिसम्बर ३, २०१६.  राम-जानकी विवाह महोत्सव केर आइ पाँचम दिन मटकोर समारोहपूर्वक संपन्न भेल अछि । आइ महिलासभक दिन छल । आजुक मोर्चा जनकजीकेर नहि सुनयनाकेँ सम्हारबाक रहन्हि । किशोरीजीकेँ लऽ कऽ माता सुनयना स्वयं अपन सखीबहिनपा संगे तय समय पर […]

राम-जानकी विवाह महोत्सव मे तिलक चढेबाक उत्सव संपन्न

राम-जानकी विवाह महोत्सव मे तिलक चढेबाक उत्सव संपन्न

रामजानकी विवाह महोत्सव विशेषः तिलकोत्सव सम्पन्न, आब विवाहक तैयारी – सुजीत कुमार झा, जनकपुर। दिसम्बर २, २०१६ । आइ अयोध्या दरबारक दिन छल, भगवान रामकेँ छेकबाक दिन छल । आब ओ चाहिओ कऽ दोसर विवाह नहि कऽ सकैत छथि । जनकपुरक ऐतिहासिक राम मन्दिरक महन्थ अपनाकेँ दशरथजीक भूमिकामे देखल गेलाह । जेना राम मन्दिर अयोध्या […]

जनकपुर मे राम-जानकी विवाह महोत्सवः आइ धनुष भंग भेल

जनकपुर मे राम-जानकी विवाह महोत्सवः आइ धनुष भंग भेल

रामजानकी विवाहपञ्चमी विशेषः मिथिलामे सभा लागल, फेरसँ शिवक धनुष टूटल – सुजीत कुमार झा, जनकपुर। आइ फेरसँ मिथिलामे जनक दरबार सजल देखायल । सीता स्वयंवर लेल जनकक संकल्प जे शिवधनुष भंग कएनिहार मात्र सीता सँ विवाह कय सकता, ताहि लेल ई सभा जनकपुर मे विवाह पंचमीक अवसरपर हर वर्ष लगैत आबि रहल अछि। आजुक सभा मे […]