Home » Archives by category » News » Literacy

विराटनगर मे १२म् मैथिली मासिक कवि सम्मेलन सम्पन्न भेल
विराटनगर, २१ मार्च २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली मासिक कवि सम्मेलन सम्पन्न मैथिली साहित्य अभियान विराटनगर द्वारा कर्ण संजय केर संयोजन सह अध्यक्षता में प्रत्येक मासक प्रथम शनि दिन नियमित रूप सँ होयवला मासिक कवि सम्मेलन केर चैत्र मास के आयोजन आइ हिपमत मीडिया प्रा. लि. के स्टूडियो में भव्यता संग सम्पन्न भेल […]

आइ सँ शुरू भेल मैथिली कार्यक्रम ‘फुलडाली’ नागरिक एफएम विराटनगर सँ
१३ फरवरी २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!! विराटनगर आ पुबरिया पारक मिथिलाक्षेत्र (नेपाल आ भारत दुनू दिश) लेल खुशखबरी नागरिक एफएम पर प्रत्येक शनि दिन सन्ध्याकाल ५ बजे सँ ६ बजे मैथिली कार्यक्रम ‘फुलडाली’ शुरू भेल अछि। आइ फागुन १ गते आ शनि दिन सँ ई सुन्दर मैथिली कार्यक्रम श्री प्रेम झा एवं श्रीमती कविता […]

सरस्वती पूजा २०२१ मे एकटा अनुपम मैथिली वन्दनाक उपहार
१० फरवरी २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!! आबि गेल माँ शारदेक पूजनोत्सवक समय – सरस्वती पूजा २०२१ मे लेल जाउ नव उपहार मौसम बदलि गेल, शीतलहरी समाप्त आ सूर्यदेव केर पुत्र शनिदेवक गृह मे प्रवेश यानि मकर संक्रान्ति सँ लगभग २५ दिनक अवधि सेहो समाप्त भेल, आइ २८म दिवस थिक। कवि प्रेम नारायण झा काल्हि […]

कि अहाँ सेहो मैथिली पत्रकार बनय चाहि रहल छी?
“मैथिली जिन्दाबाद पर सीधा लेखन लेल आफर” दहेज मुक्त मिथिला समूह पर एक सँ बढिकय एक लेखिका आ लेखक सब केँ देखि मैथिली भाषा-साहित्य जगत मे काफी उत्साह अछि। फेसबुक पर लिखल लेख सब छिड़िया जेबाक खतरा अछि, बहुत लोक अपनहि पुरान लेख केँ ताकियो नहि पबैत छथि। एहि समस्याक समाधान लेल वेबसाइट पर […]

मैथिलीक चर्चित युवा कवि प्रणव नार्मदेय केर दुखद निधन पर प्रवीण श्रद्धाञ्जलि सुमन अर्पित
१९ जनवरी २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि १८ जनवरी २०२१ सन्ध्या साढे ५ बजे करीब काशी मे उपचाररत कवि प्रणव नार्मदेय केर दुखद निधन भऽ गेलनि। सोशल मीडिया मे ई खबरि समस्त मैथिली साहित्य जगत केँ मर्माहत कय देलक आ देर राति धरि लोक अपन-अपन स्मृति आ कवि नार्मदेय केर मार्मिक रचना सभ शेयर करैत […]

सीतामढ़ी के पुपरी में सम्पन्न भेल मैथिली कवि गोष्ठी
रिपोर्ट साभार दिलीप कुमार झाजी के फेसबुक पोस्ट काल्हि 10 जनवरी 2021 सीतामढ़ी जिलाक पुपरी में भव्य कवि सम्मेलन आयोजित कयल गेल छल। एकर रिपोर्ट सहभागी कवि एवं साहित्यकार अभियानी दिलीप कुमार झा फेसबुक पर एना पोस्ट कयने छथि – जागृत मिथिला, सीतमढ़ीक तत्वावधानमे काल्हि१० जनवरी २०२१क’ पुपरी गाममे तिलक साह मध्य विद्यालयक प्रांगणमे दू […]

मैथिली केर इतिहास में नव आयाम जुड़ल: नेपाल संचारमंत्री गुरुङ
29 दिसम्बर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली केर इतिहास में नव आयाम जुड़ल: नेपाल संचारमंत्री गुरुङ नेपालदेशक प्राचीन आ समृद्ध भाषा मैथिली लेल एक आर महत्वपूर्ण कार्य पूरा भेल अछि। “नेपालीय मैथिली छापा पत्रकारिताको इतिहास” (लेखक- धर्मेन्द्र झा) आ पत्रकार आचारसंहिता क मैथिली अनुवाद (धर्मेन्द्र झा) क आइ सार्वजनिकीकरण कएल गेल । प्रेस काउन्सिल नेपाल […]

मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर द्वारा 5 गोटा केँ सम्मान देबाक निर्णय
11 अक्टूबर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली भाषा आ साहित्य केर संग एहि भाषा व संस्कृति केर अभियान में उल्लेखनीय योगदान केर कदर स्वरूप कुल 5 गोट स्रष्टा व अभियानी केँ सम्मानित कयल जेबाक घोषणा मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर द्वारा कयल गेल अछि। जारी विज्ञप्ति मुताबिक आर सम्मानित व्यक्तित्व केर योगदान केर ऊपर चर्चा अनुसार […]

विराटनगर सँ मैथिली मासिक पत्रिका ‘मिथिला टाइम्स’ केर पुनर्प्रकाशन भेल आरम्भ
१० सितम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! सूचित करैत अपार हर्ष भ रहल अछि जे मिथिला टाइम्स आब विराटनगर सँ रेगुलर प्रकाशित होयत। ई जनतब सम्पादक-प्रकाशक रामरिझन यादव सर सँ भेटल। लगभग 25 वर्ष पहिने एकर प्रकाशित अंक सँ हमरा प्रथम दर्शन भेल छल। ओना उपलब्ध जानकारी अनुसार 29 वर्ष भ गेल एहि पत्रिका के आयु। […]

मैथिली लेल नवारम्भ प्रकाशनक अभूतपूर्व क्रान्ति – आब पोथी सदेह के बदला विदेह रूप मे सेहो कीनि सकैत छी
२४ अगस्त २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! आब मैथिलीक पोथी आनलाइन कीनि आ पढि सकैत छी – नवारम्भ प्रकाशनक नया उपाय मैथिली भाषा-साहित्य केँ नव प्राणदान देबाक काज नवारम्भ प्रकाशन मधुबनी कय रहल अछि। काल्हि कुमार पद्मनाभ केर रचित उपन्यास ‘पपुआ ढपुआ सनपटुआ’ पर आयोजित एक वेबिनार समीक्षा मे लाखों दर्शकक यैह प्रतिक्रिया छल। गुन्जन […]