Home » Archives by category » News » Politics

मिथिला विभाजन दिवस यानि ४ मार्च पर उपवास कार्यक्रमक संग वेबिनारक आयोजन
८ मार्च २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!! (ई समाचार विलम्ब सँ देबाक लेल अग्रिम क्षमायाचना) ४ मार्च १८१६ ई. सुगौली सन्धि लागू हेबाक तारीख थिक। यैह दिन सँ मिथिलाक पुण्यभूमि क्रमशः दुइ सार्वभौम सम्पन्न राष्ट्रक सीमा मे बँटि गेल, कहि सकैत छी बाँटि देल गेल। चूँकि मिथिला कतेको शताब्दी सँ अपन राजकीय स्वरूप मे नहि अछि, […]

अपने ई सब देखलहुँ कि नहिः मैथिली-मिथिलाक टटका समाचार
१५ जुलाई २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! विगत किछु समय सँ मैथिली-मिथिलाक सर्वथा चर्चित विषय पर समाचार-सार-संछेप मे! अपने ई सब देखलहुँ कि नहि! १. कोरोना कोरोनाकाल मे किछु दिन त लोक खूब सैनिटाइजर लगौलक, साबुन सँ हाथ रगड़ि-रगड़िकय साफ कयलक, नाक-मुंह-आँखि आदि केँ नीक सँ सुरक्षा कयलक, लौकडाउन मे घरहि मे सुरक्षित रहल, लोक सब […]

मुख्यमंत्री मो. लालबाबूक बयान बेतुका अछिः नेपाल भारत खुला सीमा संवाद समूह संयोजक राजीव झा
२९ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल आर भारत बीच रहल खुल्ला सीमाक कारण अपराध पर नियंत्रण करय मे समस्या एबाक नेपालक प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री मो. लालबाबू राउत केर बयान धीरे-धीरे तुल पकड़ने जा रहल अछि। शुक्र दिन सँ प्रदेश २ केर राजधानी जनकपुर मे आयोजित सुरक्षा गोष्ठी मे प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री द्वारा भारत […]

नेपाल मे फेर सँ बनत नव राजनीतिक गठबन्धन – आब राजपा आ काँग्रेस द्वारा साझा मुद्दा पर गठबन्धन
१० जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल मे राजनीतिक परिवर्तन केर दौर एखनहुँ कतेको तरहक समीकरण बनबैत आ बिगड़ैत देखा रहल अछि। आइ रातोपाटी मे प्रकाशित समाचार मुताबिक नेपाली कांग्रेस संग राष्ट्रीय जनता पार्टी केर नव गठबंधन बनाओल गेल अछि जाहि मे सदन आ सड़क सँ एकरूप विचारधाराक संग राजनीतिक संघर्ष करबाक वचनबद्धता प्रकट कयल गेल […]

दरभंगा सहित कुल चारि मिथिलाक्षेत्रीय सांसद भेंट कयलनि केन्द्रीय मंत्री पियूष गोयल सँ
५ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक्षेत्रक ४ गोट सांसद भेंट कयलनि रेलवे मंत्री गोयल सँ जागि रहला अछि मिथिलाक्षेत्रक माननीय सांसद, निरन्तर उठा रहल छथि विकास केर मांग मोदी सरकार २ सिर्फ बात नहि बल्कि विकास केर काज करबाक लेल वचनबद्ध सरकार थिक। आर एहि बेर करारा जनादेशक संग एनडीए केर सांसद लोकनि निर्वाचित भऽ […]

मधुबनी सांसद डा. अशोक कुमार यादव संसद मे उठेलनि मांगः रोजगारक साधन उपलब्ध कराउ
४ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! भारत मे आजादीक कइएक दशक बितलाक बादहु मिथिलाक्षेत्र मे रोजगारक साधन उपलब्ध नहि करेबाक अपरोक्ष आरोप आ असन्तुष्टि जाहिर करैत पहिल बेर भारतीय संसद लेल निर्वाचित मधुबनी सांसद द्वारा लोकसभाक शून्यकाल मे मांग राखल गेल अछि। मधुबनी सांसद डा. अशोक कुमार यादव द्वारा अपन निर्वाचन क्षेत्र मधुबनी मे रोजगारक साधन […]

भारतीय संसद मे मैथिली मे शपथ-ग्रहण सँ शुरुआत, आगामी समय मे प्रश्न आ विमर्श सेहो मैथिली मे
१७ जून २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! अखिल भारतीय मिथिला संघ केर अध्यक्ष विजय चन्द्र झा भारतीय संसद मे ३ गोट सांसद द्वारा मैथिली मे शपथ ग्रहण लेल हृदय सँ आभार व्यक्त कयल गेल अछि। ओ कहलनि जे दुनियाक एक गोट प्राचीन, समृद्ध आ अत्यन्त मधुर भाषा जेकरा संवैधानिक मान्यता सेहो भारतीय संविधानक आठम अनुसूची मे सूचीकृत कय […]

एनडीए द्वारा नेता चुनेलाक बाद नरेन्द्र मोदी अपन ईमानदार आ प्रतिबद्ध सैद्धान्तिक सन्देश देलनि
जे हमरा सब केँ वोट देलनि सेहो हमर, जे विरोध कयलनि सेहो हमरः मोदी एनडीए द्वारा सर्वसम्मति सँ नरेंद्र मोदी केँ चुनल गेल नेता, सेंट्रल हॉल मोदी-मोदी केर नारा सँ गूंजायमान भेल जे हमरा लोकनि केँ वोट देलनि सेहो हमरा लोकनिक थिकाह, जे विरोध केलनि ओहो सब हमरे लोकनिक थिकाह। अपार बहुमत सँ जीत प्राप्तिक […]

अपार बहुमत सँ एनडीए केर जीतः नरेन्द्र मोदीक विनम्रता संग जनादेश प्रति आभार व्यक्त
२४ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! कुल ५४२ संसदीय क्षेत्र लेल संपन्न चुनाव मे भाजपा नीत एनडीए केँ ३४८ सीट पर विजयी हासिल भेल अछि। काल्हि अबेर साँझ धरि रुझान केर हिसाब मात्र देल गेल छल। रुझान मे स्पष्ट भऽ गेलैक जे भारत मे नव सरकार एक बेर फेर मोदी सरकार केर बनत। विश्व भरिक लगभग […]

भारत मे ‘मोदी सरकार’ फेर ५ वर्ष लेल प्राप्त केलक जनादेश – नेपालक प्रधानमंत्री ओली देलनि बधाई
२३ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपालक प्रधानमंत्री खड्ग प्रसाद शर्मा ओली अपन समकक्षी भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ आसन्न संसदीय चुनाव मे अत्यन पैघ जीत लेल बधाई ज्ञापन कयलनि अछि तथा आबय वला समय मे हुनका संग आर बेसी सामीप्यताक संग सहकार्य करबाक इच्छा प्रकट कयलनि अछि। जहिना चुनावी परिणाम एहि बातक संकेत केलक […]