Home » Archives by category » Uncategorized (Page 7)

विज्ञ प्रश्न: चुनाव आ मिथिला

विज्ञ प्रश्न: चुनाव आ मिथिला

आलेख – रमानाथ झा आबयवला बिहार विधानसभा चुनाव मिथिला के राजनीति के लेल कतेक महत्वपूर्ण? जेना पिछला लोकसभा चुनाव और दिल्ली के चुनाव भारतीय राजनीति के लेल एकटा नवीन प्रयोग छल, एकटा नव अध्याय के शुरुआत छल और एक तरह स कही त जनता में जबरदस्त राजनैतिक नवचेतना के संचार बुझना जैत ऐछ तहिना की […]

सांझक भाभट

सांझक भाभट

देखितहि, कहय लागलि नदी बहुत दिन बाद अयलहुँ अहाँ; बाट तकैत, बड्ड उदास फिरैत छल सूरज; चन्द्रमा गूम्मी लदने अबैत छल, गाछीक ओहि पार सँ; मद्धिम भेल जाइत रंग, संध्याक; शीघ्र मौलाइत छलैक रौदक आभा; थाकल-ठेहिआयल हवा बहैत छल, द्रुत-विलम्बित – बड्ड उदास रहैत छल, सांझ अपन चित-चोरक उत्कंठा मे!   पूछियौक ओहि पथरायल टीला […]

किया बिसैर गेलियै हमरा (मैथिली भाषा)

किया बिसैर गेलियै हमरा (मैथिली भाषा)

– बिजय मंडल, विराटनगर किया बिसैर गेलियै हमरा हम छी अहाँके मोनक भाषा भेल जन्म य’ अहाँक मिथिला मे – २ बाज’ लेल किया हिचकीचाय मैथिलीमे कि ल’ के जेबै अहाँ एहि संसार सँ – २ किछुओ त’ द’ के जाउ मिथिलाके किया बिसैर गेलियै हमरा हम छी अहाँके मोनक भाषा नहि माँगै छी अहाँसँ […]

आउ कनियां आउ – फोटो खिंचाउ

आउ कनियां आउ – फोटो खिंचाउ

आउ कनियां आउ फोटो खिंचाउ सेल्फी कि जुल्फी स्टाइलिश लूक देखाउ आउ कनियां आउ गेलय ओ जमाना कनियां छल घोघ तर आब तऽ प्रदर्शन पोज सब देखाउ आउ कनियां आउ… भेल छय कम्पीटिशन लाइक्स आ कमेन्टके मोबाइल मे कैमरा इन्टरनेट लगाउ आउ कनियां आउ… गोली मारू पर्दा स्त्रिगणक अंगना पुरुखक दलान पर मजलिस लगाउ आउ […]

विखंडित मिथिलाक कोसी, मिथिलांचल आ अंग केँ जोड़यवला पूलक भेल उद्घाटन

विखंडित मिथिलाक कोसी, मिथिलांचल आ अंग केँ जोड़यवला पूलक भेल उद्घाटन

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। मई १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद! २०१० मे शिलान्यास राखल गेल नौगछियाक विजय घाट (कोसी नदी) पर १.८४ किलोमीटर – ३६ पाया पर आरसीसी ढलैया द्वारा पूल केर निर्माण लगभग १७ महीनाक देरी सँ संपन्न होइतो रवि दिन मुख्यमंत्री नितीश कुमार द्वारा उद्घाटन कैल गेल। मुख्यमंत्री कहलनि जे ई नहि केवल पूर्वी बिहारक […]

स्मार्ट सिटी बनेबाक लेल आन्दोलन: पूलिस द्वारा बर्बर अत्याचार

स्मार्ट सिटी बनेबाक लेल आन्दोलन: पूलिस द्वारा बर्बर अत्याचार

विमल जी मिश्र, नव दिल्ली। मई १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला स्टुडेन्ट युनियन – दिल्ली तथा मैथिल लोक मंच – दिल्ली केर संयुक्त तत्त्वावधान मे राखल गेल शान्ति मार्च संग रैली-जुलूस सहित नाराबाजी करैत शहरी विकास मंत्री वेंकैया नायडुक निवास स्थान जाइत ज्ञापन पत्र देबाक पूर्व निर्धारित कार्यक्रम संपन्न भेल। एहि जुलूस मे नाराबाजी आ […]

हम नेता नहि जनता बनिकय काज करब: बिमल कान्त

हम नेता नहि जनता बनिकय काज करब: बिमल कान्त

किसलय कृष्ण, सहरसा। मई १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! महिषी विधानसभाक बहुअर्बा मध्य विद्यालय पर आयोजित हिन्दुस्तान अवाम मोर्चाक जनसभा संपन्न भेल। एहि अवसर पर उपस्थित जनसमूह केँ संबोधित करैत स्थानीय समाजसेवी आ राजनीतिज्ञ बिमल कान्त झा द्वारा एक‍-एक जन समस्या पर अपन बात रखलैन। एहि क्रम मे अपन भाषा, समाज, संस्कृति सब मुद्दा केँ उठौलनि। […]

स्मार्ट पहिने स्वयं बनू

स्मार्ट पहिने स्वयं बनू

आलेख – राकेश झा, ठाढी, मधुबनी। हाल – पटना! मई ९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! दरिभंगा जेकर नस मे मिथिलाक संस्काररूपी रक्तधार बहैत छल, दरिभंगा जेकर विभुति सँ मिथिलाक श्रृंगार बढैत छल,  आइ ओ दरिभंगा समयचक्र मे अय तरहें ओझरा गेल जे अपन अतीत केँ पुर्णतः बिसैर भांग-गांजाक मद मे वर्तमानोक रोटी, कपङा आ मकानक जरूरत […]

दरभंगियाक सेरायल खून केँ फेर चुनौती: लोकप्रिय एसएसपी केर अवधि पूरा होय सँ पहिने ट्रान्सफर

दरभंगियाक सेरायल खून केँ फेर चुनौती: लोकप्रिय एसएसपी केर अवधि पूरा होय सँ पहिने ट्रान्सफर

दरभंगाक जनता द्वारा अत्यधिक मात्रा मे चुड़ा-दही-चीनी-अँचार आ मिठाइ आदिक सेवन करैत गप्प मारय मे प्रसिद्धि पटनिया-राजनीति बुझि गेल अछि, एक सँ बढिकय एक जबरदस्ती हुकुमत चलेबाक एहि सँ दोसर उदाहरण कि होयत जे किछुए दिनक कार्यकाल मे एसएसपी मनु महाराज दरभंगाक लोकमानस लेल कानून-रक्षक देवता बनि अपराधी प्रवृत्तिकेँ निर्मूल कय देने छलाह। लेकिन एतय तऽ […]

गीताज्ञान – नियत कर्म करू

गीताज्ञान – नियत कर्म करू

गीताज्ञान: नियतं कुरु कर्म त्वं कर्म ज्यायो ह्यकर्मण:। शरीरयात्रापि च ते न प्रसिध्येदकर्मण:॥३-८॥ त्वं नियतं कर्म कुरु हि अकर्मण: कर्म ज्याय: अकर्मण: ते शरीरयात्रा अपि च न प्रसिध्येत्! अहाँ नियत कर्म करू कियैक तऽ अकर्म कर्म सँ बेसी नीक होइत छैक, अकर्म सँ तऽ अहाँक शरीरक यात्रा पर्यन्त संभव नहि अछि। कर्मक सिद्धान्त बहुत गूढ […]