Home » Entries posted by chandan jha

Stories written by chandanjha
मैथिल मजदूर केर शोषण विरुद्ध संघर्ष करत अभामिपा

मैथिल मजदूर केर शोषण विरुद्ध संघर्ष करत अभामिपा

कि अहाँ जनैत छी?? दिल्ली मे न्यूनतम मजदूरी लेल सरकार द्वारा तय सीमा सँ लगभग अधिया भुगतानी पर कतेक मैथिल दिन गुदस्त कय रहल अछि? हालहि घोषित नव श्रम नीति द्वारा दिल्ली सरकार सामान्य, अर्द्धदक्ष व् दक्ष श्रमिक लेल न्यूनतम मजदूरी केँ करीब-करीब 40 सँ 50 फीसदी बढ़ोत्तरी केलक अछि, जतय पहिने एक सामान्य मजदूर […]

दिल्ली सँ मैथिली जिन्दाबाद पाक्षिक केर प्रकाशन

दिल्ली सँ मैथिली जिन्दाबाद पाक्षिक केर प्रकाशन

दिल्ली में मिथिला आ मैथिली जिन्दाबाद मूल रूप सँ विदेह केर सन्तति मैथिल अपन विपन्न मातृभूमि पर पररोजगार अथवा स्वरोजगार सँ लिल्लोह भ परदेश बसय लेल बाध्य अछि। गृह नगर सँ महानगर लेल भेटल रेल सेवा सेहो एहि बाध्यता केर अनुकूल बुझू। साक्षर-निरक्षर सभक भर महानगर! प्रतिदिन कोंचम-कोंच रेलक डिब्बा में मडुवा ढेरी खेलाइत विदेहक […]

चंद्रशेखर आजाद होएथ प्रेरणाक स्रोत

चंद्रशेखर आजाद होएथ प्रेरणाक स्रोत

एक विचार मिथिलावादी कार्यकर्ताक नाम – राम बाबु सिंह, मधेपुर (कलुआही), हाल दिल्ली सँ क्रन्तिकारी सपूत चन्द्रशेखर आजाद: जनमन हेतु प्रेरणास्त्रोत आजुक पीढ़ी देश केर आजादी लेल अपन प्राण न्योछावर कएनिहार क्रांतिकारी सपुतक नाम धरि बिसरि रहल अछि। छात्र लोकनि संचार क्रांतिक उपभोग में अतेक व्यस्त छथि जे आजाद देश आ आजादी केर महत्व सँ […]

संस्थाक नाम ओकर काम सँ दर्जा पबैत अछि

संस्थाक नाम ओकर काम सँ दर्जा पबैत अछि

विचार: प्रकाश कमती समाजसेवाक भावना बिनु समाज सेवा सम्भव नहि : एक्सलेन्ट सिक्स —————————— कोसी केर विनाशलीला सँ त के नहि परिचित छी, हरेक साल इ विशाल नदी अपन प्रलयकारी स्वरूपक साक्षात् दर्शन कराबैत रहल अछि आ जाहिसँ अपन निकटवर्ती क्षेत्र जेना मधेपुर, सहरसा, मधुबनीक अधिकांश भाग केर अपन प्रलय केर ग्रास बना लैत अछि। […]

सहरसा में 21 अगस्त केँ होयत दोसर बेर सोसल मीट वार्षिकोत्सव

सहरसा में 21 अगस्त केँ होयत दोसर बेर सोसल मीट वार्षिकोत्सव

अगस्त 11, 2016, मैथिली जिन्दाबाद। गत वर्षक भाँति अहु वर्ष फेसबुक पर संचालित सोसल मिडिया केर सहरसा नाम्ना समूह द्वारा 21 अगस्त केँ अपराह्न 1 बजे सँ वार्षिकोत्सव मनायल जेबाक जानकारी संयोजक कुमार रवि शंकर करौलनि अछि। श्री रवि शंकर कहलनि जे एहि बेर कुल 4 गो विशेष पक्ष संग ई आयोजन राखल गेल अछि।सोसल […]

नेपालक संविधान में मिथिला

नेपालक संविधान में मिथिला

नेपालक नव संविधान आ मिथिला आब करीब एक वर्ष पूरय लागल जे नेपाल में नव संविधान घोषणा पूर्व सर्वाधिक झँझटिया विषय संघीय नेपालदेश में प्रदेशक सीमांकन आ नामांकन केर प्रथम चरणक निर्णय लेल गेल छल। असंतोष आ विवाद झँझटिया काज में होइते छैक, घोषित संविधान केर सीमांकन में से देखेबे ता नहि लोक केँ भोगइयो […]

समाजक गति आ लोकक मति: कथा

समाजक गति आ लोकक मति: कथा

गामक याद: लूल्हीक गोइठी बिछनाय (नैतिक कथा) – प्रवीण नारायण चौधरी कोनो जमाना मे मिथिलाक गाम-घर जहिया मूल कृषि पर आधारित जीवन-यापन चलबैत रहल – ताहि समय माल-जाल चराबय हेतु गाम सँ बाहर मैदान तक एक पेरिया रस्ता, कच्ची-पक्की सब उपयोग मे अबैत छल। भैर पेट जखन खाय गाय-महिस-बरद-बकरी-भेड तखन मुनहाइर साँझ तक फेर सब […]

प्रथम अटल मिथिला सम्मान समारोहपूर्वक बाँटल गेल

प्रथम अटल मिथिला सम्मान समारोहपूर्वक बाँटल गेल

प्रथम “अटल मिथिला सम्मान-२०१६” हस्तांतरण समारोह दिल्ली मे सम्पन भेल – श्रीचन्द कामत, दिल्ली। अगस्त 10, 2016. मैथिली जिन्दाबाद। हर्षक संग सूचित करब जे आजुक संध्या ” हिन्द पोस्ट मीडिया ” केर प्रस्तुति “अटल मिथिला सम्मान-२०१६” दिल्लीक पंचसितारा होटल “ली मेरिडियन” मे हर्षोल्लास सँग सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल। एही सुंदर आयोजनक लेल कर्मठ मैथिल पुत्र प्रदीप […]

ऐगलग्गिक पीड़ित केँ मानवीय सहयोग

ऐगलग्गिक पीड़ित केँ मानवीय सहयोग

‘मैथिल सेवा संस्थान’ एगलग्गी सँ बेघर पटोरी गामक लोक लेल बढ़ेलक मदैतक हाथ :- ———————————- किछुए दिन पहिने दरभंगा जिलाक पटोरी गाम में भयानक एगलग्गीक घटना घटल छल जाहि सँ लगभग 1200 सँ 1500 परिवारक सभ किछु जड़िके खाक भए गेल छल। बेघर परिवार के नहिए रहैक लेल घर आ नहिए खेबाक लेल कुनो अन्न-पैन […]

ताड़ी कतेक सुरक्षित

ताड़ी कतेक सुरक्षित

विचार – राम बाबु सिंह बिहार में मद्यपान वर्जित भेलाक बाद अन्यानेक खबर सुनबा में आबि रहल अछि। जे पियक्कड़ छथि नशा करय लेल नव नव रास्ता खोजि रहल छथि। शराबी सभक मनोस्थित तेहन भ गेल अछि कि जँ कियो किछ नाम लक प्रचार क दथि की ओकरा पिला सँ निशा आबि जायत छैक त […]