नेपाली भाषाक चर्चित फिल्म राज्जा रानी मैथिली भाषा मे सेहो प्रदर्शित कयल जायत

राज कुमार महतो, काठमांडु। नवम्बर २९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज प्रथाक पीड़ा देखबैत बनायल गेल एक नेपाली भाषाक फिल्म ‘राज्जा रानी’ आब मैथिली भाषा मे सेहो उपलब्ध होयत। २० लाखक सम्झौता मे नेपाल, भारत सहित अन्य विदेशी मुलुक सब मे सेहो प्रदर्शन होयत आगामी पुष २१ गते केँ। प्रोमो तथा गीतक कारण चर्चा मे रहल एहि फिल्मक प्रतीक्षा बहुतो दर्शक मे बनल अछि। नाजिर हुसेन आ केकी अधिकारी स्टारर फिल्म पश्चिम तराई केर एक जनजाति समुदायक कथा प्रस्तुत कएने अछि ।

फिल्म मे मधेसक लब्ज प्रयोग कयल जेबाक बात त फिल्म-निर्माण टोली द्वारा हाले सार्वजनिक कयल गेल ‘चिपक चिपक’ बोल केर गीत सँ स्पष्ट भेले अछि। मुदा आब एकर पुनर्निर्माण टिम द्वारा मैथिली भाषा मे सेहो प्रदर्शन कयल जेबाक निर्णय कयल गेल अछि। आर्यन फिल्म्स केर बैनर मे रमेश एमके पौडेलक प्रस्तुति ‘’राज्जारानी’’ मैथिली भाषा मे सेहो देश भरि एक्के दिन प्रदर्शन होयब तय भेल छैक। प्रस्तुतकर्ता रमेश द्वारा जानकारी दैत कहल गेल अछि जे भारतक मैथिलीभाषी क्षेत्र सहित अानो विदेशी मुलुक सब मे प्रदर्शन करबाक लेल भोर कम्पनी प्रा. लि. केर सीईओ राज कुमार महतो संग रु. २० लाख मे फिल्म केर समझौता भेल अछि।

यम थापा निर्देशित एहि फिल्म मे नाजिर तथा कामेश्वर संग केकी अधिकारी, लक्ष्मी बर्देवा, संगीता नापित, अरुण रेग्मी, दीपक क्षेत्री, विनोद निरौला, अनोज पाण्डे, अशोक आचार्य लगायतक अभिनय अछि। फिल्म मे ताराप्रकाश लिम्बु आ दीपक शर्माक संगीत, पुरुषोत्तम प्रधानक छायांकन, चन्दन दत्तक सम्पादन एवं विक्रम स्वारक नृत्य निर्देशन रहल अछि।