मैथिली फिल्म केँ भेटत नवका ऊँचाईः प्रेमक बसात केर सूटिंग मिथिला मे पूरा

मधुबनी, अक्टूबर १६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली फिल्मक ‘अच्छे दिन’ आबि रहल अछिः कुणाल ठाकुर (निर्माता)
निर्माता वेदान्त झा एवम् कुणाल ठाकुर द्वारा मैथिली फिल्म केँ नव ऊँचाई धरि पहुँचेबाक अत्यन्त महत्वपूर्ण कार्य कयल जा रहल अछि। मैथिली फिल्म विशेषज्ञक दृष्टि मे व्यवसायिकताक कमी बड पैघ कमजोरी रहल अछि मैथिली फिल्मक, लेकिन ताहि बात केँ नीक जेकाँ ध्यान मे रखैत हिन्दी फिल्मक एक्सपर्ट आ तकनीक केर सहयोग सँ बनाओल जा रहल अछि ‘प्रेमक बसात’।
 
कथा-पटकथा एवम् निर्देशन रूपक शरार केर, कैमरामैन नरेन्द्र पटेल, संगीत प्रवेश मल्लिक केर रहल ई मैथिली फिल्म प्रेमक बसात केर सूटिंग काल्हि धरि समाप्त भऽ जायत। निर्माता कुणाल कहैत छथि जे बहुत दिनक शोध आ लगन सँ संयोजनक परिणाम थिक ई फिल्म। व्यवसायिकताक कमी केँ ध्यान मे रखैत पूर्णरूप सँ फिल्म मे समर्पित काज केनिहार केँ मात्र चुनल गेल अछि। ई नहि जे फिल्म निर्माण मे पूँजी लगेनिहार अपन मनमर्जी सँ गैर-पेशाकर्मी केँ सेहो सिल्वर स्क्रीन पर उतरबाक लिलसा केँ पूरा करैत अपनहि सँ अपन पैर पर कुरहैर मारि लेब।
 
एहि फिल्म मे बतौर हिरो पियूष कर्ण आ हिरोईन रैना बनर्जी केँ भूमिका देल गेल अछि। नामहि सँ स्पष्ट ई फिल्म प्रेम कथा केँ देखाओत। अन्य कलाकार मे मोना रे, एससी मिश्रा, प्रज्ञा झा, शैल झा, कल्पना मिश्रा, संजना, आशुतोष झा, राजीव झा, प्रेम झा, गोविन्द पाठक, आकाशदीप, शरद सोनू आदि विभिन्न भूमिका मे अपन अदाकारी प्रस्तुत कय रहल छथि। नृत्य निर्देशक केदार सुब्बा, कला निर्देशक प्रेमजी सहित विभिन्न जबाबदेह व्यवस्थापन लेल अलग-अलग प्रोफेसनल्स केँ एसाइनमेन्ट देल जेबाक काज संभवतः मैथिली फिल्म मे पहिल बेर प्रयोग कएल गेल अछि, कुणाल मैथिली जिन्दाबाद संग बात करैत जानकारी करौलनि। मेक-अप पंकज झा केर आ आइटम डान्स गौलरी महन्ता केर लेल गेल अछि। एहि फिल्म केर सूटिंग लोकेशन समस्तीपुर जिलाक करियन गामक इलाका केँ राखल जेबाक जनतब सेहो कुणाल करौलनि। ओ विश्वास दियबैत कहलनि जे एहि फिल्म सँ मैथिली फिल्मक बाजार बढत ई सुनिश्चित अछि।
 
सब सँ बेसी प्रसन्नताक बात जे मैथिली जिन्दाबाद वेब न्यूज पोर्टल केँ सेहो मीडिया पार्टनर केर रूप मे रखबाक भरोसा भेटल अछि। एहि फिल्म केर सफलताक शुभकामनाक संग समग्रता मे मैथिली फिल्म केँ सफलता भेटय ई कामना करैत छी हम सब। फिल्महि सँ भाषाक भविष्य उज्ज्वल होयत आर मिथिलाक पहिचानक विशिष्टता केँ सेहो राष्ट्र व अन्तर्राष्ट्रीय जगत मे लाभ भेटत।
 
हरिः हरः!!