सहरसा में दुइ ठाम मनाओल गेल आचार्य रमानाथ झा जयंती

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। सितम्बर २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
 
मैथिली, हिन्दी, अंग्रेजी व संस्कृत भाषा केर कवि, लेखक, आलोचक, समालोचक, शोधकर्ता, अन्वेषक, शब्दक भाव, विचार, व्यवहार, अनेको भाषा केर ज्ञाता परम श्रद्धेय डॉ रमानाथ झाक जयंती शहर केर रमेश झा महिला महाविधालय व एमएलटी कॉलेज में मनाओल गेल। एहि अवसरपर डॉ कमल मोहन झा चुन्नू लिखित पुस्तक निनाद केर विमोचन सेहो कयल गेल ।
 
महिला महाविद्यालय में डॉ ज्योतिवर्द्धन केर अध्यक्षता में मुख्य अतिथि प्राचार्या डॉ रेणु सिंह, डॉ एल एन झा, डॉ रामचैतन्य धीरज, अजीत आजाद द्वारा हुनक विराट व्यक्तित्व व कृतित्व पर विस्तार स चर्चा कयलनि । वक्ता लोकनिक कथनानुसार हुनक लिखल कुल 249 टा आलेख में स 207 केवल मैथिली में लिखल गेल अछि कहल गेल। हुनक आलेख आइयो लैम्पपोस्ट केर काज करैत अछि। वर्तमान मैथिली लेखनीक मानकीकरण करबा में हुनक अविस्मरणीय प्रयास कालजयी अछि । मंच संचालन भाइ शैलेन्द्र शैली कयलनि । धन्यवाद ज्ञापन डॉ कमल मोहन चुन्नु कयलनि ।
 
दोसर दिस एमएलटी कॉलेज में मैथिली अकादमी द्वारा मनाओल गेल जयंती में डॉ महेन्द्र झा, डॉ रामनरेश सिंह, प्रो ललितेश मिश्र सहित शहर केर गणमान्य व मैथिली अनुरागी उपस्थित रहथि ।