मिथिलाक सम्मानक प्रतीक “पागक निशान वाला “डाक टिकट” जारी

नव डाक टिकट

” रवीन्द्र भारती” मधुबनी, मैथिली जिंदाबाद, तिथि १९/०७/२०१७ दिन- शैन



दिनांक19/08/17 कs जानकी सेनाक जिला महामंत्री धर्मेन्द्र भारद्धाज उर्फ बौआ झा मिथिलाक सम्मानक प्रतीक “पाग” के  “डाक टिकट” पs जारी करबाक अमुल्य कार्य के लेल माननीय  प्रधानमंत्री महोदय के धन्यवाद देलैन।

    नव डाक टिकट

ई खबर सँ सम्पूर्ण मिथिलावासी आ मैथिली प्रेमी में हर्ष अछि। अहि क्रम में-

जानकी सेनाक महामंत्री श्री झा कहलैन कि  *पाग* मिथिलाक  परंपराक एकता  प्रतीक अछि। हिनक सम्मान सम्पूर्ण मिथिलावासीक सम्मान अछि। अगर किनको माथ पs पाग विराजमान अयि तs आहां सहजे अंदाज लगा सकैत छि कि वो व्यक्ति मिथिलाक वासी  छैथ। तड़क-भड़क आ भागम-भाग के  संसार में मिथिलाक पाग  अपन अस्तित्वक  लड़ाई लैड़ रहल अछि। कोनो जाति विशेष सँ मात्र पागक संबंध होबय के मिथ्या के तोड़य के कार्य कs रहल अछि जानकी सेना ।

        जानकी सेना सहित मृतुंजय झा,एवं बौआ झा

मिथिलाक युवापीढ़ी सँ पाग धारण करबाक एवं अपना सम्मानक रक्षार्थ हेतू एवं मिथिला धरोहरों के बचाव हेतू  प्रेरित करैत आबि रहल अछि जानकी सेना । आ जानकी सेनाक  मुख्य संरक्षक माननीय मृत्युंजय झा जी ई संघर्ष हेतू जानकी नवमी पर शंखनाद कs तमाम् सांसद – विधायक – मंत्रिगण सब सँ वार्ता जारी रखलैन आ आय मिथिलाक सम्मान में अपन देशक गौरव आय तक सबसँ लोकप्रिय आदरणीय प्रधानमंत्री श्री  नरेंद्र मोदी जी सम्पूर्ण मिथिलावासी के  मिथिला पाग पs डाक टिकट जारी कs एक अनुपम उपहार भेंट स्वरूप देलैन ।  मिथिला वासी ई अनमोल उपहार पाबि अति प्रसन्न अछि।

                      जय मिथिला,जय मैथिली



विज्ञापन लेल समपर्क करु –

Whatsapp- 09534303907,

Email- [email protected]