नेपालक दूरसंचार तथा एनसेल मोबाइल पर सेहो हो मैथिली मे सूचना-घोषणा

जनकपुर, जुलाई २८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर द्वारा नेपाल केर दुइ प्रमुख मोबाइल टेलिफोन सेवादाता कंपनी सँ मैथिली भाषा मे संचार सेवा प्रदान करबाक मांग सहित ज्ञापन पत्र सौंपलक अछि। ई जनतब मांगकर्ता संस्थाक प्रमुख एवं मैथिली कवि-कथाकार प्रेम विदेह ललन देलनि अछि।

मैथिली साहित्यकार सभा नेपालक सरकारी संचार सेवादाता नेपाल दूरसंचार कंपनी तथा प्राइभेट सेवादाता एनसेल कंपनी सँ फोन आर मोबाइल मे कंपनीक तरफ सँ मिथिला क्षेत्र मे मैथिली भाषा मे सेहो सेवा संचालन करबाक माँग कएल गेल अछि। सभाक सभापाल जनार्दन लाल काठमांडूक भद्रकाली स्थित नेपाल दूरसंचार कंपनी केर केन्द्रीय कार्यालय तथा ललितपुर, नख्खु स्थित एनसेल केर प्रधान कार्यालय मे पहुँचि ई मांगपत्र हस्तान्तरित कएलनि। एहि मांगपत्रक एक-एक प्रति सूचना तथा संचार मंत्रालय एवम् संसद सचिवालय सिंहदरबार मे सेहो सौंपलक अछि।