विराटनगर मे भाजपा प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन, भव्य स्वागत, मिथिलाक पाग सेहो सम्मान मे

विराटनगर, जुलाई १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

अनौपचारिक भ्रमण पर नेपाल एला शाहनवाज हुसैन

वृहस्पति दिन साँझ मे भारतीय जनता पार्टीक चर्चित नेता तथा राष्ट्रीय प्रवक्ताक संग पूर्व मे कतेको रास महत्वपूर्ण मंत्रालय केर सफल केन्द्रीय मंत्री सैय्यद शाहनवाज हुसैन विराटनगर (नेपाल) केर दौरा पर नितान्त व्यक्तिगत कारण सँ आयल छलाह। सीमाक्षेत्र मे पैदल चलिकय भारत सँ नेपाल प्रवेश कएलनि आर स्वागत मे हजारों आम जनमानस केँ हाथ हिलाकय अभिवादन करैत अपना केँ कोनो विदेश नहि बल्कि अपनहि स्वदेश मे एबा जेकाँ अनुभव होयबाक बात कहलनि। मोरंग ब्यापार संघ केर वरिष्ठ पदाधिकारी लोकनि हुनका स्वागत करबाक लेल ओतय पहुँचल छलाह। तहिना नेपालक जुट व्यापारी लोकनि सेहो ओहि ठाम दिग्गज नेतृत्वकर्ता सँ भारत द्वारा उचित सहयोगक अपेक्षा सँ ओहिठाम पहुँचल छलाह। फूल-माला आ फूलक गुलदस्ता भेंट करैत शाहनवाजजी केर स्वागत नेपाल भूमि पर कएल गेल छल। किछु दूर धरि पैदल चललाक बाद ओ पुनः गाड़ी मे बैसिकय विराटनगर केर होटल हैरिसन पहुँचल छलाह। हुनका संगे किशनगंज केर हुनकहि पूर्व सांसद प्रतिनिधि हरि अग्रवाल एवम् दिल्ली सँ राजीव राणा तथा सुनील झा सहित भागलपुर, सुपौल व अररिया सहित अन्य-अन्य स्थान सँ अनेको गणमान्य व्यक्ति लोकनि सेहो नेपाल एलाह। संग मे भाजपा जिला संयोजक भानु प्रकाश राय व नरपतगंज विधानसभाक पूर्व विधायिका देवन्ती यादव सेहो रहथिन।

विराटनगर केर व्यापारी समाज द्वारा कएल गेलनि भव्य स्वागत

काल्हि शुक्र दिन मोरंग ब्यापार संघ मे आयोजित एक भव्य स्वागत समारोह मे शाहनवाजजी केँ ‘टोकन अफ लव’ केर रूप मे नेपालक प्रसिद्ध पशुपतिनाथ मन्दिरक आकृतिक उपहार मोरंग ब्यापार संघ केर अध्यक्ष एवं नेपालक ब्यवस्थापिका संसद केर सांसद पवन शारडा हस्तान्तरित कएलनि। ताहि सँ पूर्व फूल-माला आ नेपाली खादा आदि प्रदान करैत भारतक पहिल सबसँ युवा मन्त्री शाहनवाज हुसैन केँ स्वागत कएल गेल छल। एहि समारोह मे विराटनगर औद्योगिक नगरीक लगभग सब नामी-गिरामी ब्यापारी व अन्य प्रतिष्ठित समाजक अग्रणी लोकनि सेहो भाग लेने छलाह।

विराटनगर मे अपनेक हार्दिक स्वागत एवम् अभिनन्दन! – मिथिला समाज

भाजपा प्रवक्ता एवम् पूर्व केन्द्रीय मंत्री सैय्यद शाहनवाज हुसैन Shahnawaz Hussain जी केर स्वागत एवं अभिनन्दन समारोह मोरंग ब्यापार संघ मे आयोजित कएल गेल। एहि मे संघक अध्यक्ष हुनकर ध्यानाकर्षण करबैत विराटनगर व नेपाल केर ब्यापारिक अवरोध, जन-समस्या आ द्विपक्षीय सम्बन्ध मे उत्तरोत्तर प्रगति सँ जुड़ल विभिन्न सरोकारक मांग रखलैन। तेकर जबाब मे प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन सेहो समुचित भरोसा दैत अपन नेतृत्व प्रदान करबाक प्रतिबद्धता प्रकट कएलनि। बहुत रोचक अन्दाज मे सभा केँ संबोधित करैत ओ कहलनि जे सिर्फ सुपौल जिला सँ गलगलिया किशनगंज धरिक क्षेत्रक हम सेवक नहि रहि अहाँ सब नेपालक वासिन्दाक सेहो समस्याक निदान लेल काज करब से वचन दैत छी।

मिथिलाक पाग सँ सेहो कएल गेलनि सम्मान

सभा मे मौजूद विराटनगर केर लगभग सब सम्भ्रान्त ब्यवसायी-उद्योगपतिक संग समाजसेवी एवम् संचारकर्मीक बीच मिथिला समाजक लोक केर सेहो पाग स्वीकार करैत मैथिली भाषा केर संवर्धन-प्रवर्धन हेतु ओ अपन योगदान देबाक वचन देलनि। संचारकर्मी एवम् मिथिला विकास परिषद् केर संयोजक वरुण मिश्र हुनका पाग आ माला पहिरा सम्मानित कएलाह। एहि अवसर पर मैथिली जिन्दाबादक प्रतिनिधित्व करैत मिथिला समाजक लेल आ मोरंग ब्यापार संघ केर विदेश मामिलाक परामर्शदाताक रूप मे प्रवीण नारायण चौधरी सेहो भाग लेलनि।

मैथिली आन्दोलन मे आपसी सहकार्य सँ भाषा-साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन होयबाक बात सुनिश्चित अछि। विराटनगर केर लोकमानस मे भाजपा नेता शाहनवाज केर आगमन सँ काफी उत्साह आर हर्षक माहौल देखा रहल अछि, तहिना नेताक असल कार्य ओ स्वयं सेहो कएलनि।

सभा केँ संबोधन करबाक अन्दाज रहल निराला

मोरंग ब्यापार संघ केर अध्यक्ष पवन शारडाजी केर तरफ सँ एकटा मांगपत्र मे दुनू देशक ऐतिहासिक प्रगाढ सम्बन्ध केँ आरो सशक्त बनेबाक आह्वान कएल गेल छल। नेपाल मे लगानी हेतु शाहनवाजजी समान दिग्गज नेतृत्वकर्ता सँ उचित ध्यान दैत आगाँ भविष्य मे उचित योगदान लेल अनुरोध सेहो रहय ओहि मांग पत्र मे। तहिना नेपाली नागरिक केर हित लेल नेपाल-भारत बीच भेल ऐतिहासिक १९५० केर संधि पर पुनरावलोकन हेतु ध्यानाकर्षणक संग जोगबनी रेलवे स्टेशन केँ अन्तर्राष्ट्रीय मापदंडक स्टेशन बनेबा लेल आर जोगबनी केँ दक्षिण भारत, राजस्थान इत्यादि सँ जोड़यवला सीधा ट्रेन प्रदान करबाक लेल रेलवे मंत्रालय धरि सिफारिश पहुँचेबाक आग्रह कएल गेल। संगहि जोगबनी-कोलकाता एक्सप्रेस नित्य चलेबाक संग-संग वर्तमान समय-सारिणी मे सेहो यात्रीक सुविधा देखैत उचित परिवर्तनक मांग कएल गेल। सीमांचल एक्सप्रेस केर चलबाक समय केर कोनो सीमा नहि रहि जेबाक बात पर सेहो ध्यानाकर्षण करबैत रेल मंत्रालय द्वारा एहि दिशा मे उचित सहयोगक अपेक्षा राखल गेल।

एहि सब मांग पर काज करबाक भरोसा दैत शाहनवाजजी बहुत निराला अन्दाज मे सभा केँ संबोधित कएलनि। एक प्रवक्ताक कार्य थिक जे कोनो विषय-वस्तु पर अपन पार्टी आ सिद्धान्तक पक्ष रखैत सब बात पर राय राखय, ताहि लेल विराटनगर केर व्यापारी समाज सँ अन्तर्क्रिया मे ओ सुपौल सँ लय गलगलिये धरि नहि बल्कि विराटनगर आ नेपाल केर एहि क्षेत्रक समस्या पर भारत सरकार सँ उचित सहयोगक वातावरण बनेबाक लेल काज करबाक आश्वासन देलनि। विराटनगर एबाक बहुत इच्छा रहितो एहि ठामक लोक मार्फत सहभागिताक आमंत्रण अत्यल्प भेटबाक बात पर शिकायत सेहो रखैत बहुत सरल भाव सँ अपन यात्र ३६ वर्ष बाद होयबाक बात सँ अपनो मे असन्तोष रहबाक बात ओ कहलनि। आगाँ सँ अहाँ सब जरुर बजायल करू, आर हमहुँ एतय अबैत रही – यैह मनोभाव ओ रखलनि।

नेपाल मे पर्यटन सँ दू देशक बीच आर्थिक कारोबार मे समानता आयत, एतय पैघ-पैघ विवाह भवन बनला सँ पूँजीपति लोकनि थाईलैन्ड नहि जाय एतय आबिकय विवाहादिक आयोजन पूरा करता। नेपाल-भारत बीच असन्तुलित आर्थिक व्यवहार केर प्रश्न पर शाहनवाजजी अपन विचार रखलैन। जोगबनी स्टेशन नेपालक लोक वास्ते ‘गेटवे अफ इंडिया’ होयबाक कारण ओतुका स्टेशन केँ अन्तर्राष्ट्रीय स्तरक बनेबाक लेल ओ सब प्रयास करता आर एहि बीच मे मोरंग ब्यापार संघ केँ सेहो अवगत करबैत रहता, ओ भरोसा देलनि। दुनू देशक बीच केर सम्बन्ध आर आन कोनो ठाम नहि भेटत ताहि तरहक सहोदर भाइ-भाइ केर सम्बन्ध अछि, ई खूनक सम्बन्ध अछि, एकरा कियो नहि तोड़ि सकैत अछि। तखन किछु लोक एकर विरुद्ध सेहो काज कय रहल अछि तेकरा सँ सावधानी बरतबाक जरुरत पर ओ बल देलनि। अपन बजबाक विशिष्ट शैली आ चुटकी लैत सब केँ हँसबैत रहबाक अन्दाज सचमुच लोक केँ खूब पसीन पड़लैक। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्व मे सम्बन्ध आरो प्रगाढ होयबाक वचन दैत ओ कहलनि जे हुनकर कार्यकालहि मे सब कमी-कमजोरी दूर होयत से विश्वस्त रहू।

विकास केर कार्यक व्योरा दैत शाहनवाजजी अपन गृह-जिला सुपौल सँ लैत कर्मभूमि किशनगंज आ भागलपुर तक केर लोकक प्रतिनिधित्व मे कतहु कमी नहि आबय देबाक बात कहलनि। संगहि ओ नेपालक पूर्वी क्षेत्रक लोक केँ सेहो अपनहि क्षेत्रक लोक बुझि आगाँ हिनको लोकनिक प्रतिनिधित्व भारतक केन्द्र स्तर सँ करबाक विश्वास दियौलनि।

जुम्माक नमाज पढबाक लेल गेला विराटनगर केर गुदड़ी बाजार स्थित मस्जिद मे

सभा सँ पूर्वहि समय मांगि नमाज पढबाक लेल १ बजे सँ ५ मिनट पूर्व जेबाक अनुमति लय लेने छलाह। सभाक अन्त मे स्थानीय व्यापारी-उद्योगपति-समाजसेवी हसन अंसारीक नेतृत्व मे शाहनवाजजी जुम्माक नमाज अदा करबाक लेल गुदड़ी बाजार स्थित जामा मस्जिद मे गेलाह। ओतय मुस्लिम समाजक वरिष्ठ लोकनि संग गला मिलिकय शुभकामना आदान-प्रदान कएलनि।

एहि सँ पूर्व विराटनगर केर मेयर, उपमेयर आदि सहित व्यापारी व इष्ट-मित्र सब संग एक विशिष्ट अतिथिक रूप मे विभिन्न स्थान पर स्वागत-अभिनन्दन होएत रहल छलन्हि। निश्चिते शाहनवाजजी केर एहि यात्रा सँ विराटनगर केर जनमानस मे एकटा विशेष उत्साह जागल जे दुइ देशक बीच सम्बन्ध केँ आरो मजबूती देत।